• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

चाही मिथिला मे कारखाना भेल टवीटर पर ट्रेंड, 2 लाख ट्वीटक संग 30 देश स 3 हजार लोक भेलथि शामिल

गाम लौट रहल मजदूर आ कारखाना खोलबाक मांग क बीच अगर किछु गायब छल त ओ छल निवेशक आश्‍वासन। जेकर बाट तकैट बाट पर पैदल मजदूर बिहार क दुहारि लांघि गाम दिस चलल आबि रहल अछि।

May 18, 2020
in समाचार
A A

मुकुंद मयंक

दरभंगा । एक दिस मिथिला लौट रहल मजदूरक संख्‍या लाख से दू लाख पहुंच रहल छल त दोसर दिन टवीटर पर लाख स दू लाख ट्वीट इंडस्‍ट्री इन मिथिला हैशटैगक संग ट्रेंड क रहल छल। मजदूर आ मांग क बीच अगर किछु गायब छल त ओ छल निवेशक आश्‍वासन। जेकर बाट तकैट बाट पर पैदल मजदूर चलैत आबि रहल अछि। मुदा एतबा जरुर जे पछिला पांच सप्‍ताह से शुरु भेल #Tweet4Mithila मुहिम आब हजार स लाख मे पहुंच गेल। सोशल मीडिया क एहि दुनिया मे मिथिला आब अनजान शब्‍द नहि रहल। पिछला पांच सप्‍लाह स कम स कम एक दिन दुनिया एहि नाम स परिचित होइत अछि। लगभग 10 हजार ट्वीट संख्या स शुरू भेल इ मुहिम पिछले एक माह क अंदर ट्वीटर ट्रेंड में पहिल स लकए पांचम पायदान तक ट्रेंड भ चुकल अछि। 17 मई कए भेल ट्रेंड #IndustryInMithila अभूतपूर्व रहल। भारत क अलावा 30 आओर देश स 3200 लोग लगातार ट्वीट करैत रहलाह। 12 बजे स 7 बजेक दौरान एहि हैशटैग स कुल 2 लाख 26 हजार ट्वीट भेल। ट्रेंड क पोटेंशियल रीच 24 करोड़ लोक तक रहल। एहि मुहिम स जुड़ल लोकक कहब अछि जे इ कोनो पार्टी या संगठनक मुहिम नहि छी, ताहि एहि मे संख्‍याक एखन आओर बढोतरी होएत।

एहि संबंध मे राजेश झा कहैत छथि जे इ मुहिम मिथिलाक राजनीति कए बदलत। जात-पात, धर्म कर्म स आगू जा मिथिला कए एकजुट करत। एहि मुहिम पर एखन धरि कोनो संस्था या राजनैतिक दल क प्रभाव नहि पडल अछि ताहि लेल एकर विस्‍तारक संभावना प्रबल अछि। मिथिला मात्र लेल लोक सोचब शुरु केलक अछि। एहि मे प्रबुद्ध, युवा वर्ग, साहित्यकार, शिक्षा और उद्योग से जुड़े लोक संग राजनैतिक दलक नेता सेहो शामिल छथि। एकटा प्लेटफॉर्म पर एतबा मैथिल जमा भेल इ कोनो चमत्‍कार स कम नहि। एहि मुहिम मे MNC कंपनी मे काज केनिहार मैथिल सेहो छथि आ पलायन क दंश झेल रहल मजदूर वर्ग सेहो. एतबे नहि लगभग 30टा देश स मैथिल एहि मुहिम मे शामिल छथि।

मिथिलाक प्रवासी उद्योगपति एहि मुहिम कए केतबा गंभीरता स ल रहल छथि। हुनका दिस स कोनो निवेशक योजनाक घोषणा या विचार करबाक सूचना देल जा रहल अछि। मुहिम स जुडल लोग एहि सवाल पर एखन चुप भ जाइत छथि। कहैत छथि जे मुहिम एखन लोक कए एकजुट क रहल अछि आगू निवेश लेल दबाव सेहो जरुर बनाउत। जमीन पर सेहो माहौल बदलत।

मुहिम स जुड़ल एकटा अन्‍य सदस्‍य अनूप चौधरी कहैत छथि जे – “हमर उद्देश्य मिथिला क हित कए आगू ल जायब अछि। सुतल सरकार आ जनप्रतिनिधि सब कए जगेबाक उद्देश्य स हमरा सब कए एकजुट होएब जरुरी अछि। इ मुहिम एखन धरि सफल रहल अछि।”

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रकाश कामती कहैत छथि – “हम मैथिली भाषा, इलाका मे बेहतर परिवहन व्यवस्था, अस्पताल, हवाई अड्डा, आईटी सेक्टर, शिक्षा स जुड़ल सुधार, कृषि जनित उद्योग धंधे, खादी आ कुटीर, मछली पालन आदि विषय पर आवाज उठा रहल छी। एहि बेर हमर सबहक तैयारी पैघ स्‍तर पर अछि आ योजना बहुत पुख्‍ता बनल अछि। कामती एकटा गप बहुत जिम्‍मेदारी स कहला जे मिथिला मे आब निवेशक कए मदद लेल सेहो एकटा समूह तैयार भ रहल अछि। हम सब केवल आलोचनात्‍मक काम टा नहि करब बल्कि सरकार आ निवेशक कए मदद सेहो करब। कुछ योजना पर शुरूआती काज सेहो भ रहल अछि। ज्योति झा कहैत छथि – “एकर क्रेडिट कोनो दल, व्यक्ति बा संस्था कए नहि देल जा सकैत अछि। अगर कियो दावा करैत छथि त ओ झूठ अछि। एकर क्रेडिट कोनो दल या संगठनक सदस्य नहि ल सकैत छथि। इ मुहिम एहि कारण सफल भ रहल अछि किया कि एकर क्रेडिट हर एक मैथिल कए लग मे अछि। देश विदेश सब ठाम स मैथिल एहि मुहिम मे अपन हिस्‍सेदारी द रहल छथि।” एमएसयू स जुडल आदित्‍य मोहन आ अनूप मैथिल सेहो एहि कहैत छथि जे एहि मुहिम मे कोनो दल या संगठन मात्र शामिल नहि अछि बल्कि इ समस्‍त मैथिल क मुहिम छी। ओना कांग्रेस क एकटा छोटगर कार्यकर्ता इ दावा केलथि अछि जे एहि मुहिमक पाछू कांग्रेस अछि मुदा अखबार मे प्रकाशित एहि समाद कए समाज मे लोक हस्‍यास्‍पद बता रहल अछि।

Tags: Biharmithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
शुरू भेल जीवछ धार क उड़ाही, संजय निभौलथि‍ वादा

शुरू भेल जीवछ धार क उड़ाही, संजय निभौलथि‍ वादा

ब्रॉडगेज ट्रैक पर मालगाडी खींच विदा भेल मिथिला मे बनल विश्‍वक सबसे शक्तिशाली रेलइंजन

ब्रॉडगेज ट्रैक पर मालगाडी खींच विदा भेल मिथिला मे बनल विश्‍वक सबसे शक्तिशाली रेलइंजन

पाहुन जेंका कराओल गेल प्रवासी मजदूरक विदाई : पहिराओल गेल पीयर धोती

पाहुन जेंका कराओल गेल प्रवासी मजदूरक विदाई : पहिराओल गेल पीयर धोती

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि