दोसर राज्य से आएल प्रवासी मजदूर जखन कष्टपूर्ण यात्रा कए अपन घर अबैत छथि त हुनका 21 दिन धरि क्वारेंटाइन सेंटर मे रहय पड़ैत अछि । घर-परिवार सँ दूर ई इक्कीस दिन हिनका लेल दुखदाई होएत अछि । मुदा दरभंगा जिलाक बिरौल ब्लॉकक सहसराम मिड्ल स्कूल पर बनल क्वारेंटीन सेंटरक प्रबंधक अपना एहिठाम स विदा होएत मजदूर लेल जे केलक ओ हुनका सदिखन याद रहताह ।
14 दिन क्वाकरंटीन सेंटर मे रहलाक बाद जखन प्रवासी मजदूरक विदाई पीयर धोती स कैल गेल त हुनकर चेहरा खिल उठल । एहि सेंटर सँ कुल 45टा मजदूर कए पीयर धोती पहिरा विदा करल गेल ।
क्वारंटीन सेंटर मे रहनिहार मजदूर मे से एकटा मजदूर हरेराम पासवान बतेलथि जे क्वारंटीन सेंटर पर परेशानी आम बात अछि । हुनको सबकए कैकटा परेशानी झेलय पड़ल । मुदा अंतिम दिन सेंटर केर प्रबंधक क सहृदयता देख हम सब भावुक भए गेलहुँ । विदाई एहन भेल जेना मिथिला सँ पाहुन विदा भए रहल होए । ई क्षण खुखद छल, हम जीवन धरि एहि बात कए नहि बिसरब ।
मध्य विद्यालय सहसराम क प्रधानाध्यापक चंद्रकांत पाठक बतेलथि जे सभटा प्रवासी कए धोती सरकार दिस से भेटल छल । ओ ओहि धोती कए पीयर रंग स रंगा देलक आ हुनका पहिरा कए प्रवासी मजदूर कए विदा केलथि । ओ कहलथि जे एहि सँ समाजक बीच एकटा सुखद संदेश जाओत ।