ज्योत्सना मिश्रा
दरभंगा। केंद्रीय स्वास्थ्य राज्यमंत्री अश्विनी चौबे के अध्यक्षता मे डीएमसीएच क सभागार मे एम्स आ सुपर
स्पेशियालिटी अस्पताल कए लय कए बैसार कयल गेल। मंत्री कहलथि सुपर स्पेशियालिटी अस्पताल के लेल
पार्किंग क व्यवस्था कयल जाएत । मंत्री कहलथि जे बिना पार्किंग के अस्पताल के सुरू करय में दिक्कत होयत।
ओ बोरिंग कराकय या टावर के माध्यम सँ हॉस्पिटल के लेल एक लाख 60 हजार गैलन जलापूर्ति के व्यवस्था
करायल जाय लेल कहलथि। मंत्री पुरान सर्जरी भवन के डिमोलिश कराबय आ सुपर स्पेशियालिटी हॉस्पिटल के
चारू कात बाउंड्री कराबय के निर्देश देयथि। मंत्री डीएमसीएच के सब सामान के एम्स के हस्तांतरित कराब के
निर्देश सेहो देलखिन्ह । कहल जाएत अछि कि यदि संबंधित सब कार्य पूरा भ जायत त मार्च में प्रधानमंत्री नरेंद्र
मोदी सँ एम्स के शिलान्यास कराओल जायत। नव सत्र स एहि ठाम पढाई शुरू भ जायत। बैसार में सांसद
गोपाल जी ठाकुर, विधायक संजय सरावगी, मिश्रीलाल यादव, केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालय के विशेष सचिव, स्वास्थ्य
विभाग बिहार सरकार के अपर सचिव, डीएम डॉ त्यागराजन एसएम, अपर समाहर्ता विभूति रंजन चौधरी,
डीएमसीएच के प्राचार्य डॉ एचएन झा व अधीक्षक डॉ मणिभूषण शर्मा आदि मौजूद छलाह।