काठमांडू। नेपाल मे भारत सहित सीमावर्ती देश क लोक पर आब बिना पासपोर्ट क बेरोकटोक आवाजाहीक सुविधा पर लगाम लागि सकैत अछि। संविधान सभा क राष्ट्रीय हित संरक्षण समिति सीमावर्ती देश क नागरिक कए नेपाल मे आबैय लेल नव पासपोर्ट या परिचय पत्र जारी करबाक सिफारिश केलक अछि। समिति देश मे सीमापार घुसपैठ कए रोकबा लेल पड़ोसी देश क नागरिक कए बिना पासपोर्ट क आबै कए सुविधा कए बंद करैत नव पासपोर्ट या परिचय पत्र जारी करबाक सिफारिश केलक अछि। समिति भारत आ नेपाल क बीच 1950 क संधि क तहत दूनू देश क सीमा खुलल रखबा संबन्धी प्रावधान कए नजरंदाज करैत सीमा पर बाड लगेबाक सेहो सिफारिश केलक अछि। समिति संविधान मे नव प्रावधान क रूप मे एहि व्यवस्था कए शामिल करबा क सिफारिश क लेल देश क 60 प्रतिशत जनता क इच्छा कए आधार बनेलक अछि। समितिक कहब अछि जे 60 प्रतिशत लोक चाहैत अछि जे चीन आ भारत कए समान धरातल पर रखैत सीमा पर न सिर्फ बाड लगाउल जाए, बल्कि स्थायी रूप स सुरक्षा बल कए सेहो तैनात कैल जाए। सीमा पार घुसपैठ कए कारगर तरीका स रोकबा लेल समिति सीमा पर पांच स दस किमी क अंतराल पर निगरानी टावर सेहो बनेबाक सिफारिश केलक अछि। ज्ञात हुए जे 41 सदस्य वाला एहि समिति क अध्यक्ष माओवादी नेता अमीक शेरचान छथि।
बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।