पटना । पीएमसीएच मे एमबीबीएस कोर्स मे 150 सीट पर नामांकन संभव अछि। मेडिकल काउंसिल आफ इंडिया (एमसीआइ) एहि पर हरी झंडी देखा देलक अछि। सरकार कए एकरा लेल नव मेडिक ल कॉलेज खोलबाक आवश्यकता सेहो नहि पड़त। एमसीआइ क सदस्य डा बसंत सिंह कहला जे हाल दिल्ली मे आयोजित सामान्य परिषद क बैठक मे एहि प्रस्ताव कए पास करि देल गेल। प्रस्ताव मे कहल गेल अछि जे ओना त मेडिक ल कॉलेज अस्पताल जतय मरीज क भर्ती क लेल खाट क संख्या 1500 या ओहि स बेसी अछि त ओतहि एमबीबीएस कोर्स मे 250 छात्र क नामांकन भ सकैत अछि। एमसीआइ इ सेहो कहलक जे सीट बढ़ेबा लेल इ सेहो आवश्यक अछि जे छात्र आ खाट क संख्या क अनुपात मे शिक्षक, पारामेडिकल और अन्य कर्मचारी क संख्या पर्याप्त हेबाक चाही। एहि पैमाना पर बिहार क पीएमसीएस कए छोडि़कए कोनो आओर कॉलेज मे खाट क संख्या 1500 स बेसी नहि अछि। पीएमसीएच मे 1675 ओछान मरीज लेल आवंटित अछि। नालंदा मेडिकल,पटना और श्रीकृष्ण मेडिकल,भागलपुर मे 500 ओछान आवंटित अछि। दरभंगा मेडिक ल मे 875 जखन कि अनुग्रह नारायण मगध मेडिकल, गया आ जवाहरलाल नेहरू मेडिकल,भागलपुर मे क्रमश: 420-420 टा ओछान क स्वीकृति भेटल अछि। डॉ सिंह कहला जे एहि प्रस्ताव कए भारत सरकार कए अधिसूचित करैत अछि है, त बिना नव मेडिकल कॉलेज खोलने सीट क संख्या बढ़ाउल जा सकैत अछि।