पटना : हिट भ गेल कृषि मंत्रीक ड़ीम प्रोजेक्ट। बिहारक किसान कए योजनाक जानकारी भेटल आ कृषि विभाग क अधिकारी कए ओकर फीडबैक। वैज्ञानिक सेहो मुफ्त मे सहलाह दइत रहला। कृषि वैज्ञानिकगांव की ओर कार्यक्रम स कृषि वैज्ञानिक आ विभाग कए अधिकारी खेत तक पहुंचलाह आ हुनका गांम तक ल जेबाक प्रयास सफल भेल। कृर्षि वैज्ञानिक खेत मे उतरि किसान कए सीधा आधुनिक खेतीक जानकारी देबा मे कोनो कोताही नहि बरतलाह। कृषि मंत्री लेल सबस पैघ चुनौती छल लगातार फरमान बावजूद अपन वातानुकुलित चेंबर स बाहर नहि निकलबाक आदत बनार चुकल अधिकारि लोकनि कए खेत तक आनब। अधिकारी आ वैज्ञानिक जखन खेत तक पहुंचला त किसानक दरबाजा खटखटाउल गेल। किसान सरकारक एहि योजना स पहिने त अचंभित भेलाह आ योजनाक लाभ लेबाक मे उत्सुकता नहि देखेलथि, मुदा धीरे-धीरे ओ एकर लाभ उठा खेत मे प्रयोग शुरू केलथि। कार्यक्रमक दौरान किसान वैज्ञानिकक गप ध्यान स सुनैत छथि, मुदा कृषि विभागक अधिकारी कए सुनेबा स नहि चुकैत छथि। कतेक ठाम त विभागक अधिकारी किसानक कोपभाजन बनला पर माफी तक मांगी लइत छथि। एहन अधिकतर कार्यक्रमक उद््रघाटन स्वंय कृषि मंत्री नागमणि करैत छथि। एकर लोकप्रियताक प्रमाण अछि जे किसान क गप सुनबा लेल एखन धरि एक दर्जन मंत्री, 70 स बेसी विधायक आ एक हजार स बेसी पंचायत प्रतिनिधि कार्यक्रम मे हिस्सा ल चुकला अछि। बामेतीक निदेशक आरके सहानेक कहब छैन जे प्रखंड स्तर पर आयोजित होइवाला एहि कार्यक्रम कए गाम स्तर पर ल जेबाक प्रयास भ रहल अछि।
बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।