• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे बनत फिल्मसिटी

December 29, 2008
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

मुंबई। बिहार सरकार ई फैसला ल चुकल अछि जे प्रदेश मे जल्द स जल्द फिल्मसिटी क स्थापना कैल जाइत। काफी दिन स एहि दिशा मे विचार भ रहल छल। पूर्व सांसद आ सिने अभिनेता शत्रुघ्न सिन्हा आ प्रकाश झा एहि लेल पहिने मुख्यमंत्री स भेंट करि चुकल छथि। पिछला हफ्ता मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार मे फिल्मसिटी क जरूरत पर नव सिरा स सोचैत ओकरा मंजूरी देबाक फैसला करि लेलैथि। एकर सूचना सूचना भोजपुरी क पॉपुलर स्टार मनोज तिवारी देलथि अछि। मनोज तिवारी क कहब अछि जे सोमवार दिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हुनका स फोन पर गप क दौरान ई शुभ सूचना देलखिन। उल्लेखनीय अछि जे तीन दिन पहिने भोजपुरी फिल्म इंडस्ट्री क प्रतिनिधी हवाला स ई खबरि आईल छल जे मुंबई स भोजपुरी फिल्म इंडस्ट्री शिफ्ट भ सकैत अछि।
मनोज तिवारी स्पष्ट केलथि जे हम सब भोजपुरी फिल्म इंडस्ट्री कए शिफ्ट करबाक गप नहि केने रहि। हम सब ई उम्मीद जाहिर केने रहि जे बिहार आ उत्तरप्रदेश क सरकार एहि दिशा मे पहल करि सकैत अछि। अगर एहि भोजपुरी भाषी प्रदेश मे फिल्मसिटी बनत त ओकरा स भोजपुरी फिल्म क विकास होइत। मनोज तिवारी केलथि जे मुख्यमंत्री हुनका संकेत देलखिन जे बिहार मे जल्द एकटा फिल्मसिटी क स्थापना लेल जमीन देल जाइत। एकरा लेल 150 एकड़ जमीन आवंटित भ सकैत अछि। पटना शहर स चालीस किलोमीटर दूर राजगीर क रास्ता मे फिल्म इंडस्ट्री क लेल जमीन क चयन भ चुकल अछि। पटना क सूत्र बता रहल अछि जे मुख्यमंत्री फिल्मसिटी क लेल रजामंद भ चुकल छथि। कोनो वरिष्ठ प्रशासनिक अधिकारी कए फिल्मसिटी क स्थापना आ विकास क स्वतंत्र जिम्मेदारी देल जा सकैत अछि। मंगलवार दिन,11 नवंबर कए मुख्यमंत्री एकर संबंध मे एकटा बैठक करताह, जाहिमे मनोज तिवारी समेत फिल्म और प्रशासन स संबंधित अधिकारी शामिल हेताह। मनोज तिवारी बिहार सरकार क एहि पहल पर खुश छथि आ केलथि जे बिहार मे फिल्मसिटी बनत त ओकर सुविधा क लाभ हिंदी फिल्म क निर्माता सेहो उठा सकताह। रोजगार क अवसर बढ़त। भोजपुरी फिल्म क व्यस्त निर्माता अभय सिन्हा एकरा बिहार सरकार आ नीतिश कुमार क अहम फैसला मानैत छथि। ओ केलथि जे बिहार क फिल्मसिटी आधुनिक तकनीक और सुविधा स संपन्न होइत, जाहि ठाम निर्देशक स्क्रिप्ट ले अउताह त सीधा फिल्म क प्रिंट ले कए जेताह। ओ केलथि जे एहि स भोजपुरी फिल्म क लागत सेहो कम भ जाइत। हालांकि मनोज तिवारी आ पटना क सुत्र बिहार मे फिल्मसिटी क स्थापना कए महाराष्ट्र मे चलि रहल बिहार-उत्तरप्रदेश विरोध क लहर स अलग राखि रहल छथि, मुदा राज ठाकरे क आह्वान पर चलि रहल मनसे क आक्रमक विरोध क संदर्भ मे बिहार क मुख्यमंत्री क ई निर्णय खास अर्थ रखैत अछि।

Tags: developmententertainmentfilm city

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

10 हजार उर्दू शिक्षक क नियुक्ति संभव

Esamaad Epaper Website

नेशनल स्कूलक होइत निरीक्षण

Esamaad Epaper Website

भारी बरखा स डूबल दरभंगा

Comments 1

  1. गजेन्द्र ठाकुर says:
    16 years ago

    बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
    समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
    लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि