समदिया
पटना। एनएचडीपी फेज तीन क तहत पटना-बख्तियापुर क बीच फोर लेन क सड़क निर्माण क लेल आइ-काल्हि नव एलायनमेंट तय कैल जा रहल अछि। सिंगापुर क कंपनी मेनहार्ट द्वारा एहि काज कए पूरा कैल जा रहल अछि। नव एलायनमेंट क लेल जे आरंभिक खबर आयल अछि ओकर अनुसारे जीरो माइल स ले कए सत्रहम किमी धरि इ सड़क क वर्तमान मे जे एलायनमेंट अछि ओहिमे कोनो तरहक कोनो परिवर्तन नहि कैल जा रहल अछि। दीदारगंज तक फोर लेन क लेल सड़क क कात मे जगह भेट रहल अछि। ओकर बाद जगह क समस्या अछि। एहि लेल सत्रहम किमी क बाद फोर लेन क सड़क क लेल एलायनमेंट कए बदलल जा रहल अछि। दक्षिण दिशा क ओर सड़क बढ़त आ एकरा लेल जमीन अधिग्रहण करबाक प्रक्रिया शीघ्र शुरू होइत। इ सड़क कए बीओटी टाल पर देबाक संभावना अछि, किया कि भारी संख्या मे वाहन क फ्लो एहि सड़क पर अछि। सर्वे मे इ गप सामने आयल अछि जे एक दिन मे 38 स 39 हजार वाहन एहि सड़क स गुजरैत अछि। एनएचएआई क देखरेख मे पूर्व मे सेहो इ सड़क क फोरलेनिंग क लेल एलायनमेंट तैयार कराउल गेल छल जे आब पुरान भ चुकल अछि। पूरा 53 किमी लंबाई वाला इ स्ट्रेच मे 17 म किमी क बाद सड़क क किनार मे जगह नहि बचैत अछि जे एकरा चार लेन क बनाउल जाए। कई जगह पर त भारी संख्या मे पक्का निर्माण भ चुकल अछि। पक्का निर्माण कए हटाबा क झंझट मे नहि पडै़ चाहैत अछि एनएचएआई। एहि लेल नव एलायनमेंट पर काम भ रहल अछि। नव एलायनमेंट पर सिंगापुर की कंपनी कए एहि माह अपन रिपोर्ट सौंपबाक छैक।
बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।