मुंबई। देश क बेकरी आओर डेयरी उत्पाद बनेनिहारी एकटा प्रमुख कंपनी ब्रिटानियां इंडस्ट्रीज बिहार मे संयंत्र स्थापित करत। कंपनी क प्रबंध निदेशक विनीता बाली शुक्रदिन एकर जानकारी देलथि। ओ कहलथि जे इ संयंत्र एहि वित्त वर्ष मे स्थापित भ जाएत। एहि संयंत्र मे मुख्य रूप स बेकरी उत्पाद तैयार होएत।
बाली कहलथि जे एकटा नव संयंत्र ओडिशा मे सेहो लगाउल जा रहल अछि। दून संयंत्र मे कंपनी 70 करोड़ स 90 करोड़ टका तक निवेश करत। कंपनी क उत्पाद क दाम बढाउल जेबा पर बाली कहलथि जे एखन एहन कोनो विचार नहि अछि।
ब्रिटानियां एहि सप्ताह चालू वित्त वर्ष क दोसर तिमाही क अपन परिणाम घोषित केलक अछि। परिणाम मे शुद्ध लाभ पिछला साल क एहि अवधि क मुकाबले 46 प्रतिशत खसि कए 31 करोड़ 87 लाख रहि गेल अछि। कंपनी कए बिस्कुट उत्पाद मे मैरी, लिटिल हार्ट्स, फिफटी-फिफटी, टाईगर आ स्नैक्स काफी लोकप्रिय अछि।