• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मुजफ्फरपुर मे शुरू भेल मॉल क निमार्ण

July 14, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

मुजफ्फरपुर। मुजफ्फरपुर मे दू टा मॉल अगिला साल शुरू भ जाएत। शहरक बेला मोहल्‍ला मे एनएच 28 पर बनि रहल इ दूनू मॉल निर्माण तेजी स भ रहल अछि। पहिल मॉल अम्रपाली ग्रुप बना रहल अछि, जखन कि दोसर मॉल द्वारिका सिटी सेंटर में एसटी मार्केटिंग प्राइवेट लिमिटेड 185000 वर्ग मीटर मे मॉल बना रहल अछि जेकर अगिला सालक अंत तक शुरू हेबाक उम्‍मीद अछि। इ मॉल बिहार मे संपूर्ण सुविधा स सुसज्जित दोसर मॉल होएत। मुजफ्फरपुर शहर मे एनएच -28 स मात्र 300 मीटर क दूरी पर बनल ई मॉल शहर क लोक लेल एकटा सनेस जेकां अछि। एहि छोर के आदमीक लेल आसानी से पहुँचय बला हाएत। मुजफ्फरपुर क विकास क गवाह बनवा लेल तैयार भ रहल इ मॉल स उत्‍तर बिहार क सेहो छवि मे चारि चांद लागत आ मॉल क्‍लचर स लोक परिचित होएत।
185000वर्ग मीटर मे बनि रहल इ मॉल आठ मंजिला होएत जेकर निचलका मंजील आ ऊपर क दूटा मंजिल खुदरा सामान क लेल रहत, तेसर मंजिल भोजन आ मनोरंजन क लेल रहत आ चारिम आ पाँचम मंजिल तीन टा स्क्रीन बला मल्टीप्लेक्स क लेल रहत। एकर संगहि मॉल मे 47000 वर्ग मीटर क पार्किंग बेसमेंट क दू टा मंजिल आ 25000 वर्ग मीटर क अलग स बाहर मे पार्किंग क व्यवस्था रहत।
एहि संबंध मे एसटी मार्केटिंग प्राइवेट लिमिटेड क डाइरेक्टर शास्वत कुमार कहला- हमरा विश्वास अछि जे मुजफ्फरपुर आ बिहार लोक एहि ठाम विश्वस्तरीय शॉपिंग क मज़ा लए सकताह। ओ कहलखिन जे द्वारका सिटी सेंटर एहि ठामक लोक क संपूर्ण मनोरंजन, खाद्य पेय आ खरीदारी क लेल अपना आप मे एकटा सम्पूर्ण जगह बनत। एहि मॉल क निर्माण मुख्या रूप स परिवारिक मस्ती आ मनोरंजन क लेल त भैये रहल अछि संगहि एहि स स्‍थानीय स्‍तर पर रोजगार सेहो उपलब्‍ध भ सकत। सबस पैघ गप जे एहि मॉल क कमाई क पाँच प्रतिशत राशि गरीब आ कमजोर तबका क छात्रा क पढाई मे लागाउल जाएत। उम्‍मीद अछि जे इ मॉल शहर मे नव माहौल बनाउत आ बिहारक एकटा नव रूप दुनिया क सामने प्रस्‍तुत करत।

Tags: mallmuzaffarpur

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

अंतरराष्ट्रीय संग्रहालय मे होएत आर्यभट्ट आ चाणक्य गैलरी

Esamaad Epaper Website

शिक्षक क नियुक्ति क रास्ता साफ

Esamaad Epaper Website

गति पकडि रहल अछि मुजफ्फरपुर क औद्योगिक विकास

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि