696.60 करोड़ भूमि अधिग्रहण पर होएत खर्च
4291.80 करोड़ 6 लेन परियोजना लेल
4988.40करोड़ कुल लागत
पुल क कुल लंबाई 9.76 किलोमीटर पहुंच पथ क लंबाई 13 किलोमीटर
दक्षिण छोर 1.5 किमी
उत्तरी छोर 8.5 किमी
एनएच-103 क चौड़ीकरण 3 किमी
संवेदक- डेवू (कोरिया) और लार्सन एंड टुब्रो (जेवी)
पटना । कच्चीदरगाह-बिदुपुर ब्रिज क निर्माण लेल एडीबी संग 500 मिलियन डॉलर लोन क करार भ गेल। मंगलदिन नई दिल्ली मे एडीबी, केंद्र सरकार आ राज्य सरकार क पथ विकास निगम (बीएसआरडीसी) क बीच त्रिपक्षीय करार पर हस्ताक्षर कैल गेल।
बीएसआरडीसी दिस स एमडी पंकज कुमार हस्ताक्षर केलथि। एहि स गंगा पर ब्रिज क निर्माण क रास्ता साफ भ गेल। एहि 9.6 किलोमीटर लंबा आओर 21 किलोमीटर एप्रोच वाला ब्रिज लेल जरूरी 324 एकड़ जमीन मे स पटना दिस जमीन क व्यवस्था क लेल गेल अछि। वैशाली दिस जमीन अधिग्रहण क काज तेजी स चलि रहल अछि। राज्य सरकार क एखनधरिक इ सबसे पैघ परियोजना थीक। 5000 करोड़ क लागत स इ पुल बिहार क सबस चौडा पुल होएत। पटना सिरा एनएच-30 पर सबलपुर मे, त वैशाली सिरा एनएच-103 पर समस्तपुर मे जुड़त।
उल्लेखनीय अछि जे एहि पुलक निर्माण एलएंडटीदेवू ज्वायंट वेंचर एजेंसी क रहल अछि। एहि पुल क निर्माण स राघोपुर दियारा क कायाकल्प भ जाएत, संगहि गांधी सेतुक एकटा मजबूत विकल्प सेहो भेटत।