दरभंगा । दरभंगा मे 17 स 20 नवंबर तक भारतीय वायु सेना अपन शक्ति क प्रदर्शन करत। 1938 में निर्मित दरभंगा एयरपोर्ट कए 1963 मे एयरबेस क दर्जा भेटल छल। दरभंगा मे भ रहल एयर शो नहि केवल दरभंगा बल्कि बिहार मे पहिल बेर भ रहल अछि। एहि एयर शों लेल वायु सेना क 5टा हेलिकेप्टर दरभंगा पहुंच चुकल अछि।
शनिदिन स तीन दिन तक करीब दू घंटा आसमान मे विमान क करतब देखबा लेल भेटत। एहि एयर शो क संबंध मे विंग कमांडर राजीव रंजन कहला अछि जे एयरफोर्स क सारंग टीम दरभंगा पहुंच गेल अछि। ओ कहला जे एहि एयर शो क मुख्य प्रदर्शन 20 नवंबर कए होएत। दरभंगा मे आयोजित भ रहल इ एयर शो अपने आप मे बहुत खास है, किया कि अगिला किछु मास मे दरभंगा एयरबेस सेवा विमान लेल खोलल जा रहल अछि। एयर शो क पहिल तीन दिन प्रैक्टिस होएत आ 20 तारीख कए मुख्य शो होएत। एहि एयर शो लेल दरभंगा क लोक मे सेहो काफी उत्साह अछि। कहल जा रहल अछि जे एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो उपस्थित रहताह। सूत्रक कहब अछि जे ओहि दिन सेवा विमान लेल एयरबेस क रनवे कए मरम्मत करबाक काज क शुभारंभ सेहो भ सकैत अछि।