मैथिली रंगमंच का प्रतिष्ठित युवा सम्मान ”रंगकर्मी श्रीकांत मण्डल सम्मान – 2015” सुपरिचित रंगकर्मी, अभिनेता अनिल मिश्रा क देल जाएत । इ सम्मान मैथिली रंगमंच पर सक्रिय ओ युवा रंगकर्मी कए देल जाएत अछि, जे पिछला साल मे मैथिली रंगपटल पर लगातार अपन उपस्थिति दर्ज केने होए । रंगकर्मी श्रीकांत मंडल सम्मान क संचालन मैथिली लोक रंग ( मैलोरंग रेपर्टरी ) दिस स हरेक साल कैल जाएत अछि।
रंगकर्मी श्रीकांत मंडल सम्मान – 2015 क लेल चयनित युवा रंगकर्मी अनिल मिश्रा क जन्म मधुबनी मे भेल छथि । श्री मिश्रा मैथिली वा हिन्दी क स्थापित रंग निर्देशक यथा – कुणाल, प्रकाश झा, किशोर केशव, मुकेश झा, संजय चौधरी, अभिषेक नारायण, रविभूषण, देवेन्द्र राज अंकुर, भानु भारती, संजय उपाध्याय, आशिफ अली हैदर, परवेज अख्तर, आयशा जुल्का, फिरोज असरफ आदि क संग रंगमंच केने छथि । अखैन धरि श्री मिश्रा मैथिली भाषा मे लगभग 15 नाटक क 20 से बेसी प्रस्तुती केने छथि, जाहि मे प्रमुख अछि – सुन्दर संयोग, मुक्तिपर्व, जल डमरू बाजे, पैघ नटकिया के, मैथिल नारी चारि रंग, ऑरिजनल काम, गाम नै सुतैए, अग्निपथक सामा, लोरिकायन, हीरक जयंति आदि । अहाँ हिन्दी क लगभग 20 नाटक मे सेहो अभिनय कए चुकल छथि, जाहि मे प्रमुख अछि – अंधायुग, बड़ा नटकिया कौन, मुआवजे, ताजमहल का टेंडर, कभी लक कभी चांस, दूर देश की कथा, सवा सेर गेहूँ, समरथ को नहि दोश गोसाईं, अंतरनाद, रामलीला प्रसाद आदि ।
अनिल मिश्र क नाम फिल्म आ टी. वी. क्षेत्र मे सेहो स्थापित अछि । मैथिली, भोजपुरी वा हिन्दी टी.वी. सिरियल – नैन नै तिरपित भेल, एस. एन. झा के गजबे दुनिया, लाल चुनरिया, स्वर्ग नै बिन मुइने, बिन्देसरा बी.ए. पास, जय महाभारत, चाचा चौधरी, भाग ना बाचे कोई आदि आ हिनका स अभिनीत महत्वपूर्ण फिल्म – सिंदुरदान, गरीबक बेटी, एक चुटकी सिंदूर, शादी ब्याह, डमरू उस्ताद आदि अछि ।
बकौल मैलोरंग क निर्देशक प्रकाश झा ”एहन ऊर्जावान मैथिली रंगकर्मी कए ‘रंगकर्मी श्रीकांत मण्डल सम्मान – 2015’ क सम्मान क लेल चयनित केला पर मैथिली लोक रंग ( मैलोरंग रेपर्टरी )गौरवांवित अछि । इसमाद परिवार दिस स सेहो हुनका रास शुभकामना आ बधाई ।