मधुबनी। रेलवे स्टेशन मधुबनी क चौदह हजार वर्ग फीट क्षेत्र केँ मिथिला चित्रकला सँ सजाय स्वच्छता हेतु देश भरि मे दोसर स्टेशनक गौरव दियौनिहार कलाकार लोकनि मात्र पाँच कलाकार केँ दिल्ली बजाय प्रशस्ति पत्र आ पाँच लाख टाका क चेक देबाक विरोध में शुक्र दिन स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस गाड़ी कय दू घंटा धरि मधुबनी रेलवे स्टेशन पर रोकने रहलाह। संगहि दरभंगा- जयनगर सेहो रोकल गेल।बाद मे नगर थाना प्रभारी अरुण राय आ स्टेशन अधीक्षक श्री जगदंबा प्रसाद द्वारा कलाकार क माँग पत्र रेल मंत्रालय तक पहुँचेबाक आश्वासन देलाक बाद ट्रेन परिचालन शुरू भ सकल।
भेटल जानकारी अनुसार मधुबनी रेलवे स्टेशन परिसर मे कयल गेल चित्रकारी हेतु रेल मंत्रालय कलाकार सबकेँ पुरस्कार स्वरूप पाँच लाख टाका आ प्रशस्ति पत्र देबाक घोषणा क अनुपालन हेतु पछिला बृहस्पति दिन जिला सँ पाँच ग्रुप लीडर केँ दिल्ली बजाय रेल मंत्री श्री पियूष गोयल पांँच लाख टाका क चेक निशा कुमारी क नामे आ पाँचो कलाकार केँप्रशस्ति देलनि।विरोध एतहि सँ शुरू भेल जे पेंटिंग मे ढ़ाई सय से अधिक कलाकार अपन योगदान कयलनि तखनि मात्र पाँच कलाकार केँ प्रशस्ति पत्र आ एकेटा कलाकार केँ चेक देब अनुचित थिक। हिनकर सबहक माँग अछि जे समूह केँ राशि आ प्रशस्ति पत्र देल जाय।
एहि आन्दोलन मे सैकड़ों महिला पुरुष कलाकार मिथिला स्टुडेंट यूनियन क नेतृत्व मे सम्मिलित छलाह। एम एस यू क नगर अध्यक्ष श्री विजय घनश्याम सब कलाकार केँ बराबरि सम्मानित करेबाक आ प्रेस कांफ्रेंस द्वारा जनता केँ सब जानकारी देबाक माँग कयलनि।कलाकारा विभाग,आकांक्षा,रानी,सबापरवीन,फहीम अर्जन,नीतू देवी, ममता देवी,उषा देवी, रमेश कुमार मंडल मंदिता देवी आदि रेल रोको आंदोलन मे शामिल छलीह।