• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

कविता : तारानंद वियोगी क जेना सरिपहुं मैथिले छलहुं

तारानंद वियोगी मैथिली साहित्य क एकटा अनमोल हस्ताक्षर छथि।

November 12, 2019
in फीचर
A A
18
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

आजादी असलियत मे उतरल मिथिला मे
कि बलजुमरी थोपल गेल?

ओइ दिन पुछने रहथि जगदेव मंडल
गिदबास-निवासी हमर मित्र,
जिनकर गाम जुगजुग सं
गिद्ध बैसबाक कलंक ढोइत
मुदा, असल मे जे सब शास्त्रक भूर ढुकबा मे पारंगत

असल मे ओ
यादव जीक मैथिली लिखबा पर हनछिन क’ रहल छला

–क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका
पीठ पिछू दैत रहै छनि बिखिन बिखिन गारि
–लिखै छथि रचि रचि कय, मुदा कैटा छनि पाठक?
जेहो अछि ताहि मे हुनकर कैटा अछि?
मैथिलिए पढ़त लोक तं अमर जी कें नै पढ़त
जे सेखुलर-बामी-पाकिस्तानी कें पढ़त?

बजैत बजैत ओ तं हमरे पर ढरि गेल छला–
–औ, हुनकर मानता अलग, अहां के अलग
भासा हुनकर तं जूतियो चलैत हुनके
अहां बें बें करबै से कते दिन करबै?

दोसरसमाचार

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

— मानल जनता अमर छै,
मुदा बें बें करब जनताक काज नहि थिक
ने भाउ लगा क’ कथा गढ़ब…

–कोन काज अछि अहां कें मैथिली मैथिली करबाक?
जिनकर छियनि तिनका तं अथिये मे गाछ
ओ लोकनि तं छाहरिये मे
आ सबटा फिकिर अहीं कें? छि:…

–कहू त, जेहन अहांक जीवन अछि, लोक-व्यवहार अछि
किए अहां कें गारि सुनबाक चाही?
अही सेहन्ता मे लालन-पालन केलनि माय-बाप?
पुरखा-पितर की अही गोत्रोच्चारण लेल रहला प्रतीक्षारत?
किए गारि सुनै छी औ बाबू तं मैथिली दुआरे

अही दुआरे ने जे मानू
हुनका सभक पुस्तैनी संपति लुटने जाइ छियनि
जे मैथिली लिखै छी…

–लिखबे करब तं प्रोजेक्ट लेल लिखू महराज,
सिनेमा लेल लिखू
कतय सं कतय पहुंचि जाएब, किछु अछि अंटकर?
मुदा, ई की तं मैथिली हमर माता थिकी

–औ, माता तं हुनकर गंगो छथिन
देखियनु जा क’ गंगाक हाल,
गाइयो छथिन, देखू चहुंदिस गाइयेक हाल
भारतो तं माते छथिन हुनके देखि लियनु…

बजैत बजैत ओ आक्रोश मे
हमरे हिला रहल छला
हिलि रहल छलहुं सरिपहुं हमहूं
जेना सरिपहुं मैथिले छलहुं

Tags: maithilisahitya
Share18TweetPin

Related Posts

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021
New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
Next Post
कहानी : रमानाथ मिश्र क ‘हेमा दीदी’

कहानी : रमानाथ मिश्र क 'हेमा दीदी'

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

जल्द शुरू होए डीडी मिथि‍ला न्यूज चैनल, दरभंगा मे खुजय सेंसर बोर्डक क्षेत्रीय कार्यालय : मैथि‍ली फिल्म अकादमी

जल्द शुरू होए डीडी मिथि‍ला न्यूज चैनल, दरभंगा मे खुजय सेंसर बोर्डक क्षेत्रीय कार्यालय : मैथि‍ली फिल्म अकादमी

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि