• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

सदन झा एकटा युवा इतिहासकार क संग संग गंभीर लेखन क साहित्य रचनाकार छथि. खट्टरकाका शैली मे इ रचना हुनक वाल स साभार.

August 27, 2020
in फीचर, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
सदन झा
सोशल मीडिया पर खट्टर कका ई खेल देखि मुसकी छोड़ैत रहलाह। काल्हि, परसू दुनु दिन हमर कौतुहल दृष्टि के बक्र मुसकी संग घुरा दैत छलाह। एक आध बेर घेरबाक प्रयास कएल त खौंझाइत तमसाइत कहलाह, ‘बुझै नहि छह, ई अस्मिता’क राजनीति छिएक, हम एहि दलदल मे पड़ै बला नहि। चुनाव आबि रहल छैक। चुनावी पोखैर’क भाकुर चालि द रहल छैक।’
‘से त सत्ते कका। लेकिन…’
‘धूरि जो… फेर, तोहर अलसिसियन हमर धन्नि के धांगि देलक। ई झबरी के घरे पर किएक नहि आराम कर’ दैत छहि जे हमर धन्नी के बर्बाद करबा लेल एत’ नेने अबै छही।’
हमरा लेल ई खट्टर कका के कुपित भ जेबाक यथेष्ट संकेत भ जाईत छल। ओ गप्प आगू नहि बढ़ब’ चाहैत छलाह, तकर प्रमाण धन्नी’क प्रति मोह आ हमर शेरु पर तामस उतारि के देबाक हुनक पुरान ‘टैक्टिस’।
गप्प ओहिना रहि जाइत रहय। लेकिन आई मूड मे छलाह कका।बजलाह:
‘हौ! ई कह जे १९९९ बला कानुन मे टेरिटरी, रीजन या लौकेलिटी के उल्लेख छैक। राज्य शब्द त नहि छैक ने? तखैन, मिथिला’क दाबा एकदम उचित। यदि मैसुर पाक, बिकानेरी भुजिया आ रतलामी सेव भ सकैत अछि त मिथिला’क मखान किएक नहि? देखह, एत’ बंगाल बनाम् ओडिसा ‘क रसगुल्ला बला तर्क काज नहि करतैक।
फेर कह त कोन बेसी पुरान: मिथिला या बिहार? विदेथ माधव’क उल्लेख त सतपथ ब्राह्मण मे सेहो छैक। उत्तर बैदिक काल।
बिहार त बाद मे भेलैक। आ नीति कहैत छैक जे आधुनिक राज्य के अपन प्राचीन आ समृद्द सांस्कृतिक क्षेत्र’क सदिखन संरक्षण आ प्रोत्साहन देबाक चाही। अहि मे सबहक कल्याण। तखैन चुनाव सेहो त छैहे ।
अच्छा, तों एकटा काज कर’, खट्टर कका स्वर के कम करैत रहस्यमय बनबैत एक छन लेल अपन जिह्वा के बिश्राम दैत हमरा दिस अपन तौलैत दृष्टि फेंकलथि।
‘सुनह। ई लड़ाई थिक भौगोलिकता’क । लेकिन, एकर युद्द भुमि इतिहास होइत छैक। तों ई ताकह जे मखान सं संबंधित प्रमाणिक उल्लेख सबसं पहिने कोन ग्रंथ मे, कोन संदर्भ में आ कोन जगह पर भेलैक? शेष हमरा पर छोड़ि दह।’
सत्यानाश! फेर हमरे फंसा देलाह, खट्टर कका। हम मोने मोन कुनमुनाइत बहरा गेलहूं। पाछू से कका’क अवाज आबैत रहल, ‘मखान’क खीर कते दिन भ गेल, जीह पर देना। आब त स्वादो बिसरा गेल।’
हम मथा हाथ देल। आब कका के मखान’क खीर सेहो भोग लगाबय पड़त।
Tags: Makhanmithila
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
एक्सक्लूसिव: सुशांत केर बैंक खाताक फॉरेंसिक ऑडिट रिपोर्टमे पैघ खुलासा, रियाक लए क सोझां आयल ई बात

एक्सक्लूसिव: सुशांत केर बैंक खाताक फॉरेंसिक ऑडिट रिपोर्टमे पैघ खुलासा, रियाक लए क सोझां आयल ई बात

Delhi Metro, Delhi, Delhi Metro News

अनलॉक-4 : मेट्रो मॉल खुजि सकैत अछि, स्कूल कॉलेज पर संशय बरकरार

Mansoon in Bihar, Bihar Mansoon, Mansoon news,

बिहार, यूपी, बंगाल समेत देशभरिमे आइ मानसून कमजोर, एक सितंबर स' झारखंड, दिल्ली-NCR संग आन हिस्सामे होयत झमाझम बरखा

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि