• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला मे होलिका दहन कए सम्मत कहल जाइत अछि। आइ पूरा देश मे होलिका दहन होएत।

March 11, 2021
in फीचर, समाचार
A A
293
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। मिथिला मे होलिका दहन कए सम्मत कहल जाइत अछि। आइ पूरा देश मे होलिका दहन होएत। मुदा जाहि ठाम होलिका क दहन भेल अछि आ हुनकर समाधि अछि ओ स्थान क बारे मे लोक कए कम बुझल अछि। पूर्णिया जिला क बनमनखी प्रखंड क सिकलीगढ़ मे एखनो ओ स्थान विराजमान अछि जतए होलिका प्रहलाद कए अपन गोद मे लकए चिता पर बैसल छलीह आ भगवान नरसिंह क कारण प्रहलाद त बचि गेलाह मुदा होलिका क दाह भ गेल।
पौराणिक कथा आओर किंवदंति क मुताबिक हिरण्यकश्यप क किला मे भक्त प्रहलाद क रक्षा क लेल एकटा खम्भा स भगवान नरसिंह क अवतार भेल छल। भगवान नरसिंह क अवतार स जुड़ल खम्भा (माणिक्य स्तम्भ) क एकटा छोट सन भाग एखनो एहि ठाम मौजूद अछि। कहल जाइत अछि जे एहि स्तम्भ कए कई बेर तोड़बाक प्रयास भ चुकल अछि मुदा  इ टूटल नहि।
हिन्दु क धार्मिक पत्रिका कल्याण क 31म वर्ष क विशेषांक मे सेहो सिकलीगढ़ क विशेष तौर पर विवरण देल गेल अछि एहि पत्रिका मे एकरा प्रहलाद क भूमि आ नरसिंह भगवान क अवतार स्थल बताउल गेल अछि।
वर्तमान मे कटिहार क्षेत्र क उप विकास आयुक्त आ बनमनखी अनुमंडल क अनुमंडल पदाधिकारी रहल केशवर सिंह क कहब अछि जे एकर कईटा प्रमाणिकता सेहो अछि। ओ कहला अछि जे एहि ठाम एकटा हिरन नामक नदी बहैत अछि। किछु साल पहिने तक नरसिंह स्तम्भ मे जे छेद अछि ओहि मे पाथर देबा पर ओ पाथर हिरन नदी में पहुंच जाइत छल।
एहि स्थान पर भीमेश्वर महादेव क विशाल मंदिर अछि। मान्यता अछि जे हिरण्यकश्यप एहि ठाम बैस कए पूजा करैत छलाह। मान्यता कए मानि त हिरण्यकश्यप क भाई हिरण्यकच्छ बराह क्षेत्र क राजा छलाह, जे आब नेपाल मे पड़ैत अछि।
प्रहलाद स्तम्भ क सेवा क लेल बनाउल गेल प्रहलाद स्तम्भ विकास ट्रस्ट क अध्यक्ष बद्री प्रसाद शाह कहैत छथि जे एहि ठाम शुरू स साधु क जमावड़ा रहल अछि। ओ कहला जे माणिक्य स्तम्भ स्थल क बारे मे भागवत पुराण (सप्तम स्कंध क अष्टम अध्याय) मे जिक्र अछि जे एहि खम्भा स भगवान विष्णु नरसिंह अवतार लकए भक्त प्रहलाद क रक्षा केने छलाह।
एहि स्थल क विशेषता अछि जे एहि ठाम राख आ माइट अर्थात मिट्टी स होली खेलाइल जाइत अछि। ट्रस्ट क सचिव राकेश कुमार कहला जे जखन होलिका जरि गेल रहथि आ प्रहलाद चिता स सकुशल वापस आबि गेल छलाह तखन लोक राख आ माइट एक-दोसर पर लगा-लगाकए खुशी  मनेने छल आ तहिए स इ परंपरा एहि ठाम शुरू भेल जे आइ धरि कायम अछि।
ओ कहला जे एहि अवसर पर एहि ठाम करीब 40 स 50 हजार लोक सब साल अबैत अछि आ जमिकए राख आ माइट स होली खेलाइत अछि। आइ सेहो मिथिला क लोग रंग क बजाए राख आ माइट स होली खेलब शुभ मानैत छथि।
महान संत महर्षि मेंही दास क पैतृक निवास स्थान सेहो एहि ठाम अछि। एहि क्षेत्र मे मुसहर जाति क बहुलता अछि। जनश्रुति क मुताबिक एहि क्षेत्र क मुसहर प्रारम्भ स ईश्वर आ साधु क सेवा करैत रहल अछि, एहि कारण स एहि क्षेत्र मे मुसहर लोक क उपनाम ऋषिदेव होइत अछि।

Tags: Biharholimithilapurniya
Share293TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
मधुबनीक मोहम्मदपुर हत्याकांड : माछ नहि एक कार्टून शराब लेल भेल पांच गोटेक हत्या, एहि कारण स भेल गिरफ्तारी

मधुबनीक मोहम्मदपुर हत्याकांड : माछ नहि एक कार्टून शराब लेल भेल पांच गोटेक हत्या, एहि कारण स भेल गिरफ्तारी

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

Comments 4

  1. Prakash Kr. Jha says:
    11 years ago

    Bahut neek jankari bhetal, dhanyabaad.

    Reply
  2. manoj kumar jha says:
    10 years ago

    kosis karab je ak ber jarur sakligarh jayab.

    Reply
  3. Anup Satyanarayan Jha says:
    9 years ago

    वाह रे Modern मैथिल !!

    राहुल मोदीक तु रोज पूजईत छ ।
    नितीश लालू के जय जय करईत छ ॥

    परदेसी भाषा बाजईत गर्व करईत छ ।
    अंग्रेजी हिन्दी में तु तर्क करईत छ ॥

    अपने अपमान तु कतेक करबऽ ।
    आब नञि तऽ कहिया सुधरबऽ ॥

    मैथिल छी तऽ मैथिली बाजैत केहन लाज !!

    Reply
  4. Rajiv Kumar says:
    9 years ago

    hamar loknik ke ie jankari naie chhella bahut bahut dhanyabaad
    Jai Mithla

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

भागलपुर मे विकसित होएत ईको टूरिज्म, डाल्फिन क दर्शन लेल चलत बोट

by संपादक
January 29, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि