अजय धारी सिंह
मधुबनी। केंद्र क मोदी सरकार एक बेर पुनः मिथिलांचल केँपैघ उपहार देल अछि ।औरंगाबाद- जयनगर तक फोर लेन सड़क बनेबा क स्वीकृति देल गेल अछि जे देश क राजधानी दिल्ली से पड़ोसी देश नेपाल जयबा मे सुबिधाजनक होयत। टटका समाचार क अनुसार औरंगाबाद से नेपाल सीमा समीप अवस्थित जयनगर तक एक नव फोर लेन सड़क बनत। केन्द्र सरकार क भारतमाला योजना अंतर्गत एहि परियोजना केँ तैयार कैल गेल अछि जकर नाम नाॅर्थ साउथ कॉरीडोर राखल गेल अछि।
बख्तियारपुर- ताजपुर संँ होयत कनेक्टिविटी। गंगा नदी मे बख्तियारपुर- ताजपुर के मध्य निर्माणाधीन फोर लेन पुल से उत्तर में नेपाल आ दक्षिण में बिहार क सीमा रजौली से भाया झारखंड उड़ीसा तक आवागमन क सुबिधा हेतु नव सड़क निर्माण करबा पर विचार कैल जा रहल अछि।एन एच २८ ताजपुर इमली चौक- दरभंगा क बिठौली – जाले – पुपरी- जालेश्वर नेपाल सीमा तक फोरलेन बनेबा लेल मार्ग रेखण निर्धारण कार्य शुरू होयबा क संभावना अछि। फोर लेन क काज पूर्णतः ग्रीनफील्ड हेतैक। दक्षिण मे बख्तियारपुर सँ रजौली तक फोरलेन बनेबाक योजना अछि।
कहल जाईछ जे पहिने मात्र दरभंगा तक एहि सड़क केँ बनेबाक योजना केन्द्र क छल परन्तु राज्य सरकार प्रस्ताव दय एकरा नेपाल सीमा तक विस्तारित करौलक अछि। औरंगाबाद सँ शुरू भेला क कारणे ई सड़क जी टी रोड अर्थात एन एच २ सँ सेहो सम्पर्कित होयत। एहि तरहेँ दिल्ली से भाया बिहार नेपाल तक ई सड़क फोरलेन भय जायत।पथ निर्माण विभाग एहि कॉरीडोर के मार्ग रेखण निर्धारित कय केंद्र सरकार केँ समर्पित कयलक अछि। केंद्र एहि हेतु एन एच ए आई केँ प्राधिकृत कयलक अछि जकर स्वीकृति पश्र्चात एकर मार्ग रेखण पर अंतिम निर्णय लेल जायत। जमीनक उपलब्धता आ यातायात घनत्व क कारणे मार्ग रेखण मे परिवर्तन संभावित छैक परंतु आरम्भिक आ अंतिम विंदु निर्धारित अछि आ पटना केँ एहि से सम्पर्कित करबा पर सहमति भ गेल छैक।
एहि सड़क केँ बनेबा सँ दक्षिण बिहार सोझे नेपाल संँ सम्पर्कित होयत। वर्तमान मार्ग रेखण अनुसारेँ सड़क क लंबाई २७१ किमीअनुमानित अछि।सड़क औरंगाबाद सँ शुरू भय भाया जहानाबाद कच्ची दरगाह आओत आ कच्ची दरगाह- बिदुपुर पुल पार करैत वैशाली जिला मे प्रवेश करत। संभवतः बख्तियारपुर- ताजपुर पुल सँ सेहो संपर्कित होयत।एहन परिस्थिति मे वैशाली छूटि जायत आ पटना सँ सीधे समस्तीपुर जिला पहुँचत। गंगा नदी पार कयला बाद ई सड़क समस्तीपुर, दरभंगा, मधुबनी क बाद जयनगर नेपाल सीमा पर समाप्त होयत। एहि परियोजना मे लागत कम करैबा लेल किछु पुरान सड़क सबहक अधिग्रहण कय सम्मिलित करबाक संभावना अछि।