जयनगर-बर्दीबास तक बड़ी लाइनक सर्वेक्षणक काज पूरा भेल
मधुबनी, जयनगर। भारतक सबस सफल रेल मंत्री लालू प्रसादक एकटा सपना पूरा हुए जा रहल अछि। समाद विशेष रूप स एहि योजना कए 2008 मे प्रकाशित केने छल। तत्कालीन रेलमंत्री लालू सीमावर्ती क्षेत्र जयनगर स नेपाल क बर्दीबास तक बड़ी रेल लाइन बिछेबा लेलसर्वेक्षणक काज शुरू करबेने छलाह। लालू प्रसाद सपना छल जे अयोध्या स जनकपुर भाया सीतामढ़ी ट्रेन चलि सकै। जाहि स रामायण सर्किटक विकास क संग-संग अवध आ मिथिलाक मिलन कए आओर पुख्ता बनाउल जा सकै। लालू एकर संगहि भारत आ नेपालक बीच सीधा रेल संपर्क स्थापित करि चीनक सामरिक तैयारी कए सेहो उत्तर देबाक मजबूत पहल केने छलाह। मुदा लोकसभा चुनावक बाद जहिना लालूक पद गेल, ममता बनर्जी लालूक अन्य योजनाक भांति एहि योजना कए सेहो शिथिल करि देलथि। आखिरकार मार्च क मध्य मे एहि रेलमार्ग सर्वेक्षण क काज पूरा करि लेल गेल अछि आओर उम्मीद अछि जे एहि रेल खंड पर शीघ्र बड़ी रेल लाइन निर्माण क काज प्रारंभ भ सकत। ओना एहि संबंध मे पूर्व-मध्य रेलवे हाजीपुर क महाप्रबंधक संजीव हांडा क कहब अछि जे एहि योजना पर काज भ रहल अछि। जयनगर-दरभंगा रेलखंडक निरीक्षण क क्रम मे मधुबनी आ जयनगर रेलवे स्टेशन पर पत्रकार स गपशप मे ओ कहला जे इ योजना रेलवेक महत्वपूर्ण योजना मे स एक अछि। महाप्रबंधक कहला जे मधुबनी आदर्श रेलवे स्टेशन क श्रेणी मे अछि आ एहि निमित्त तेजी स काज भ रहल अछि। जयनगर-दरभंगा रेलखंड पर गाड़ी क संख्या बढ़ेबा पर ओ कहला जे जयनगर मे वाशिंग पिट निर्माण क बाद एहि पर विचार भ सकैत अछि। मुदा ओ इ मानलाह जे मई तक एकर निमार्ण कठिन अछि आ निर्धारित अवधि 31 मई तक निमार्ण काज पूरा नहि भ सकल। सीतामढ़ी-जयनगर-लौकहा नव रेल लाइन निर्माण क बाबत सवाल पर ओ कहला जे पहिने सीतामढ़ी मुजफ्फरपुर रेल लाइन निर्माण काज पूरा कैल जाएत।