मधेपुरा । कोशी प्रमंडलक खस्ताहाल सडक पर आब संग्राम शुरू भ गेल अछि। सडक लेल लोकसब सडक पर उतरि गेलाह अछि। सडक एकटा एहन मुद्दा बनि गेल अछि जे एकर मांग जनांदोलनक रूप ल लेलक अछि। एनएच 106 और एनएच 107 क जर्जर स्थिति स त्रस्त आमजन मधेपुरा मे विशाल जन आंदोलन क शंखनाद क देलथि अछि। 16 अगस्त कए विशाल आक्रोश मार्च निकलल। हजार स बेसी लोक एक ठाम जमा भ सरकार स सड़क बनेबाक अपील केलथि।
आक्रोश मार्च बीपी मंडल स्टेडियम स शुरू भ कए बस स्टैंड, कॉलेज चौक, मस्जिद चौक, सुभाष चौक, कर्पूरी चौक, पूर्वी बायपास होइत वापस बीपी मंडल स्टेडियम पहुंचल। एहि आक्रोश मार्च मे बूढ स बच्चा आ महिला स पुरुष धरि शामिल छल। मात्र दू दिन पहिने सोशल मीडिया पर शुरू भेल इ अभियान एतबा पैघ आंदोलन क स्वरूप लेत तकर उम्मीद प्रशासन कए सेहो नहि छल। लोकक संख्या देख प्रशासन सेहो सचेत भेल अछि।
प्रशासन सेहो मानैत अछि जे धीरे-धीरे एहि आंदोलन मे काफी लोक आ संगठन जुडि रहल अछि। एहि जन आंदोलन कए डॉक्टर क संस्था, इंडियन मेडिकल एसोसिएशन, जिला अधिवक्ता संघ, व्यापार संघ, प्राइवेट स्कूल एसोसिएशन, जिला स्वर्णकार संघ, विभिन्न सांस्कृतिक संगठन आ जिला ई-रिक्शा संघ अपन समर्थन द चुकल अछि।
शनिदिन जन आंदोलन क अगिला चरण क तहत कला भवन मे आम सभा क आयोजन होयत। आमसभा मे सहरसा व्यापार संघ, मुरलीगंज व्यापार संघ क प्रतिनिधि शामिल हेताह। ओहि आमसभा मे पूर्णिया, सिंहेश्वर, सोनवर्षा आ ग्वालपाड़ा आदि जगह स सेहो लोक शामिल हेताह। आमसभा मे आगू क रणनीति तैयार कैल जाएत। प्रशासनक नजरि एहि बैसार पर अछि।
एहि स पूर्व आक्रोश मार्च स पहिने एकटा प्रतिनिधिमंडल मुख्यमंत्री क नाम संबोधित पत्र डीएम क अनुपस्थिति मे एडीएम शिव कुमार शैव कए सौंपलक अछि। पत्र मे मुख्यमंत्री स सड़क निर्माण लेल आवश्यक पहल करबाक अनुरोध कैल गेल अछि। देखबाक चाही जे आमजन क एहि जनांदोलन पर सरकार केतबा ध्यान दैत अछि।