सहरसा । दिनांक 28 जनवरी 2018 कए चंदा झा क जन्मस्थल आ हुनकर ममहर बड़गॉंव मे एकटा स्मृतिपर्व मनाओल जाएत । कविवर चन्दा झा विचार मंच सह सेवा संस्थान एहि आयोजन क आयोजक छथि । 28 तारिख कए होए बला एहि सत्र मे देश विदेश क मैथिल विद्वान जुटताह आ चंदा झाक व्यक्तित्व आ कृतित्व पर पर संभाषण देताह ।
विषहरा उच्च विद्यालय बड़गॉंव मे आयोजित एहि आयोजन क विषय मे जानकारी दैत चन्दा झा विचार मंच क चन्द्रशेखर झा कहलथि जे एहि आयोजनक मुख्य उद्देश्य कविश्वर चन्दा झा क नहि खालि मिथिलाक महान विभूति छलाह अपितु मैथिली साहित्यक युग-प्रवर्तक सहो छलाह, हुनकर लिखल मिथिला रामायण आजुक समय घर-घर गाओल जाएत अछि क व्यक्तित्व आ कृतित्व पर प्रकाश डालनाय अछि ।
ज्ञात होए जे कविवर चन्दा झा मैथिलीक आधुनिक साहित्य क प्रवर्तक मानल जाएत छल । मिथिला मे कविवर युगपुरुष क रूप मे सेहो सुविख्यात छलाह । कविवर सबसे पहिने मिथिला भाषा मे रामायण क रचना केने छलाह । हिनकर अलावे हिनकर कृति मे गीत सुधा, महेशवाणी संग्रह, चन्दा पदावली, लक्ष्मीश्वर विलास, अहिल्या चरित आदि प्रमुख अछि ।
कविवर चन्दा झा विचार सह सेवा संस्थान क इ साल तेसर स्मृति पर्व समारोह मना रहल अछि । आयोजक मे चन्द्रेश्वर झा, राजेश रंजन झा, मुकेश मानस, मुरारी कुमार मयंक, बौआ खां, भीमशंकर झा आदि तन मन धन से लागल छथि ।