• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

तमिलनाडू कए पाछुआ माछ उत्‍पादन मे बिहार टॉप-5 राज्य मे शामिल

सर्वाधिक माछ उत्‍पादन केनिहार पांचटा राज्‍य मे बिहार असगर एहन राज्‍य अछि जेकर सीमा समुद्र स सटल नहि अछि। ताहि लेल इ उपलब्धि बहुत खास अछि।

February 12, 2020
in समाचार
A A
481
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter
  • समुद्री सीमा नहि रहलाक बावजूद बिहार पौउलक टॉप- 5 मे स्‍थान  
  • 14-19 के बीच माछ कारोबार क जीडीपी मे योगदान 53,660 करोड रहल।
  • तीन साल के दौरान बिहार मे माछ उत्‍पादन में 18.47 फीसदीक बढोतरी भेल।
  • बिहार मे 6.42 लाख एमटी मांग अछि, जखन कि उत्‍पादन भ रहल अछि।
  • बिहार मे 2 स 3 लाख टन माछ अबैत छल, आब 40 हजार टन आबि रहल अछि।
  • 30 हजार एमटी माछ बिहार स बंगाल, नेपाल आदि राज्‍य मे निर्यात भ रहल अछि।

 

नीलू कुमारी

नयी दिल्‍ली / पटना । 30 हजार स बेसी माछ विहीन पोखरि आ सूखल धार-चौरक बावजूद माछक उत्‍पादन मे बिहार नहि केवल देश मे पांचम राज्‍य भ गेल, बल्कि आत्‍मनिर्भर सेहो भ गेल अछि। बिहार एहि साल तमिलनाडू कए पछुआ पांचम स्‍थान पाबि लेबा मे सफल रहल। बिहार स बेसी माछक उत्‍पादन केनिहार पश्चिम बंगाल, आंध्र, गुजरात आ केरल समुद्र तट पर अछि जखनकि बिहार नदी आ पोखरि मे माछक उत्‍पादन करैत अछि। सर्वाधिक माछ उत्‍पादन केनिहार पांचटा राज्‍य मे बिहार असगर एहन राज्‍य अछि जेकर सीमा समुद्र स सटल नहि अछि। ताहि लेल इ उपलब्धि बहुत खास अछि।

 

 

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
  1. प बंगाल- 14,47, 260 मीट्रिक टन
  2. आंध्र प्रदेश- 10,10,830 मीट्रिक टन
  3. गुजरात- 7,21,910 मीट्रिक टन
  4. केरल- 6,67,330 मीट्रिक टन
  5. बिहार- 6,02,000 मीट्रिक टन

 

दोसर दिस बिहार मे माछक उत्‍पादन आ मांग क बीच फासला आब महज 40 हजार मीट्रिक टन रहि गेल अछि, जखन कि 30 हजार मीट्रिक टन माछ बिहार स बंगाल आ नेपाल सन किछु ठाम निर्यात सेहो भ रहल अछि। पशुपालन एंव मत्‍स्‍य विभागक प्रधान सचिव विजयालक्ष्‍मी कहलथि जे किछु साल पहिने तक बिहार मे माछक मांग आ उत्‍पादन मे बहुत अंतर छल। करीब 3 लाख मीट्रिक टन माछ आंध्र स आयात हांइत छल। मुदा आइ 40 हजार मीट्रिक टन आयात भ रहल अछि, जे अगिला एक वर्ष मे लगभग खत्‍म भ जेबाक चाही। प्रधान सचिव कहलथि जे बिहारक माछ क मांग पडोसी देश नेपाल आ पडोसी राज्‍य मे सेहो बढि रहल अछि। एखन बिहार स करीब 40 हजार मीट्रिक टन माछ निर्यात भ रहल अछि। एहन मे कहि सकैत छी जे बिहार अपन मांग क बराबर माछक उत्‍पादन क रहल अछि।

 

माछक उत्‍पादन

  • 14-15 : 479 लाख मीट्रिक टन
  • 15-16 : 506 लाख मीट्रिक टन
  • 16-17 : 509 लाख मीट्रिक टन
  • 17-18 : 587 लाख मीट्रिक टन
  • 18-19 : 602 लाख मीट्रिक टन

 

केंद्रीय मत्‍स्‍य पालन, पशुपालन और डेयरी मंत्री गिरिराज सिंह देश मे माछ उत्‍पादनक आकडा देखबैत कहैत छथि जे केंद्र सरकार देश मे मत्‍स्‍य उत्‍पादन आ एकरा लेल जरूरी ढांचागत सुविधा क विकास पर अगिला पांच साल मे 25000 करोड़ टका निवेश करत। मत्स्य पालन क्षेत्र 1.60 करोड़ स बेसी लोक आजीविका क प्रमुख स्रोत छै। मत्स्य पालन क विकास स भारत क पोषण सुरक्षा, खाद्य सुरक्षा सुनिश्चित भ सकैत अछि। रोजगार सेहो प्रदान कर सकैत अछि।

राष्‍ट्रीय स्‍तर पर 2017-18 क दौरान अंतर्देशीय क्षेत्र स 8.90 मिलियन मीट्रिक टन आ समुद्री क्षेत्र स 3.69 मिलियन मीट्रिक टन मत्‍स्‍य उत्‍पादनक संग 12.59 मिलियन मीट्रिक टन क कुल मछली उत्पादन दर्ज कैल गेल अछि। 2016-17 क तुलना मे 2017-18 क दौरान मछली उत्पादन मे औसत वृद्धि 10.14% (11.43 मिलियन मीट्रिक टन) रहल । इ मुख्य रूप स 2016-17 (7.80 मिलियन मीट्रिक टन) क तुलना मे अंतर्देशीय मत्स्य पालन मे 14.05% क वृद्धि क कारण अछि।

उल्‍लेखनीय अछि जे भारत वर्तमान मे माछ क विश्व क दोसर सबस पैघ उत्पादक अछि। वर्ष 1950-51 क दौरान कुल माछ उत्‍पादन मे अंतर्देशीय माछ उत्‍पादन क प्रतिशत योगदान 29 प्रतिशत छल, जे 2017-18 मे बढिकए 71 प्रतिशत भ गेल अछि। आंध्रप्रदेश मे सर्वाधिक 34.50 लाख टन अंतर्देशीय माछ क उत्‍पादन होइत अछि, जखनकि गुजरात देश मे समुद्री माछ क सबस पैघ (7.01 लाख टन) उत्‍पादक राज्‍य अछि। वर्ष 2017-18 क दौरान 45,106.90 करोड़ टका मूल्‍य क 13,77,243.70 टन माछ आओर माछ उत्‍पाद क निर्यात भेल। समुद्री माछ उत्‍पाद क निर्यात मे सेहो वर्ष 2017-18 क दौरान प्रमात्रा क रूप मे 21.35 प्रतिशत आ मूल्‍य क रूप मे 19.11 प्रतिशत क बढ़ोतरी दर्ज भेल।

Tags: BiharFish
Share481TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
राजनीति मे वकील सन महत्‍व चाहैत अछि नौकरशाह, पुष्‍पम त बस गुडिया छथि  

राजनीति मे वकील सन महत्‍व चाहैत अछि नौकरशाह, पुष्‍पम त बस गुडिया छथि  

अटल मिथिला-प्रतिभा खोज प्रतियोगिता क तैयारी शूरू, मिथि‍लाक हेरायल प्रतिभा होएत सम्मानित

अटल मिथिला-प्रतिभा खोज प्रतियोगिता क तैयारी शूरू, मिथि‍लाक हेरायल प्रतिभा होएत सम्मानित

कोरोना स रूकल बिहार, सभटा सार्वजनिक स्थान बंद, चैती दुर्गा पुजा आ छठि पर सेहो रोक

कोरोना स रूकल बिहार, सभटा सार्वजनिक स्थान बंद, चैती दुर्गा पुजा आ छठि पर सेहो रोक

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि