भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड क कैलेंडर सँ बिहार वासी मे प्रसन्नता व्याप्त
मुम्बई । भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड क कैलेंडर मे बिहार क खेलाड़ी सब केँ सब घरेलू मैच मे शामिल कयल गेल अछि। रणजी ट्रॉफी, अंडर २३, अंडर-१९, वीमेंस सीनियर, वीमेंस अंडर २३, आ वीमेंस अंडर १९ मे विहार केँ शामिल कयल गेल अछि। पुरुष मैच क शुरूआत १७ अगस्त सँ होयत जे ९ सितंबर तक आयोजित दलीप ट्राफी क संग रहत। ई सीरीज दिन आ राति खेलायल जायत।एहि मे गुलाबी रंग क गेंद उपयोग कयल जायत। रणजी ट्रॉफी १ नवंबर सँ छ फरबरी तक खेलायल जायत। रणजी में विहार क संग एहि ग्रुप मे अरुणाचल प्रदेश, मणिपुर, मेघालय, मिजोरम, पुदुचेरी, सिक्किम आ उत्तराखंड केंँ राखल गेल अछि। ग्रुपक विजेता टीम नाॅक आउट राउंड मे प्रवेश करत।
विजय ट्राफीकेँ अंडर १६ में विहार केँ ईस्ट जोन में राखल गेल अछि।ईस्ट जोन में विहार क संग झारखंड, त्रिपुरा, वंगाल,असम आ ओडिशा क टीम रहत। विहार केँ बीसीसीआई सँ मान्यता भेटलाक बाद विहार एक दिश त सब मैच खेलायत त दोसर दिश बीसीसीआई क सब मैच में बढ़ोत्तरी कयल गेल अछि। मणिपुर, मेघालय, मिजोरम, अरूणाचल प्रदेश, नागालैंड आ विहार क टीम सबकेँ घरेलू मैच मे शामिल भेला बाद सीनीयर महिला पुरुष सहित अंडर १६ स्तर क दूनू वर्गक मैच क संख्या मे वृद्धि कयल गेल अछि। घरेलू मोर्चा क शुरूआत १३ से २० अगस्त तक महिला वर्ग मे चैलेंजर ट्राफी क संग होयत।
सैयद मुश्ताक अली ट्राफी क लेल राष्ट्रीय टी-२० चैंपियनशिप मे १४० मैच खेलायल जायत। पुरुष अंडर २३ वर्ग दुई प्रारूप मे ३०२ मैच ( प्रत्येक प्रारूप मे १५१) खेलायल जायत।अंडर १९ पुरुष वर्ग मे दुई प्रारूप मे २८६ मैच( प्रत्येक प्रारूप मे१४३) होयत। सीनियर महिला सत्र मे २९५ मैच आ अंडर २३ वर्ग मे २९५ मैच होयत।