• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सीतामढ़ी मे मैथिली कए पल्वित पुष्पित केलक कवि सम्मेलन

July 22, 2018
in समाचार
A A

रामबाबू सिंह मधेपुर

सीतामढ़ी  । साहित्यिक परिदृश्यमे विगत दशकोंसँ पड़ल शुन्यताकेँ तोड़बाक प्रयास करैत नवगठित साहित्यिक संस्था मैथिली साहित्य सम्मेलन 19 जुलाई कए सीतामढ़ीक गौशाला रोड पार्टीजोनक भव्य सभागारमे  मैथिली कवि सम्मेलन क भव्य आयोजन केलक ।  संस्था क अध्यक्ष संजीव सिन्हा क सद्प्रयासक प्रतिफल रहल जे इ आयोजन सीतामढी कए एक बेर फेर स मैथिली साहित्यहक मचान बना देलक अछि। एहनो नहि जे मैथिलीकें लSक अहि क्षेत्रक लोक काज नहि कS रहल छथि। रंगमंच, साहित्यिक मन्च, गायन आदि अनेकानेक क्षेत्रमे सीतामढ़ी सँ लोक अपन झंडा फहरा रहल अछि।

प्रसिद्ध गीतकार जनकपुर निवासी दिगम्बर झा ‘दिनमणि’क अध्यक्षता मे मिथिलाक प्रायः सभ क्षेत्रक कवि लोकनि भाग लेलनि। जाहिमे दरिभंगा सँ डॉ अशोक मेहता, फूलचंद प्रवीण, गुफरान जिलानी, डॉ जयप्रकाश चौधरी जनक आ मणिकांत झा मणि बेगूसराय सँ श्यामानंद निशाकर, सहरसा सँ शुभाष चन्द्र झा आ मुख्तार आलम, तहिना जनकपुर सँ अयोध्यानाथ झा, पूनम झा मैथिली, जलेश्वर सँ मनोज झा मुक्ति, विराटनगर सँ प्रवीण नारायण चौधरी मधुबनी सँ दिलीप कुमार झा प्रीतम निषाद, अजित आज़ाद, प्रणव नार्मदेय, अवधेश झा अनल, अक्षय आनंद सन्नी आ मैथिल प्रशांत, समस्तीपुर सँ सुमित मिश्र गुँजन संगहि सीतामढ़ी सँ अरुण माया, नवीन नवेन्दु, अभिलाषा, प्रो० सत्यनारायण झा, सत्येंद्र मिश्र , अनिल झा आ अनेको रचनाकार समसामयिक समस्या पर स्वरचित कविता पाठ कएलनि। स्थानिय दर्शक सँ खचाखच भरल सभागार देखि लागि रहल छल जे सीतामढ़ी पुनः जागि रहल अछि।

कार्यक्रमकें विधिवत शुरुआत गोसाउनिक गीत ” जय जय भैरवी” आ दिप प्रज्वलित कS बाबा विद्यापति माता सीताक सँग स्मृति चित्र कुलानन्द मिश्र, सत्यानन्द पाठक, बलदेव लाल कुलकिंकर आ बालेन्दु अरुण झा पर पुष्पांजलि सँ कएल गेल। संजीव सिन्हा जीक स्वागत उदबोद्धन केर बाद सभसँ पहिल कवि फूलचंद प्रवीण अपन गीत “टूटि गेल सपना अन्हारे पसरि गेल, आहिरे पएर तरक धरती ससरि गेल” सँ निस्सन आगाज भेल। फेर दोसर आनन्द मोहन झा अपन चिर परिचित अंदाजमे गजल ‘ ढोल पर जे थाप पड़लै सब सुनलकै, चाम पर जे बीत रहलैए के’ बुझलकै” सँ सभागार मुग्ध भ’ श्रवण करैत रहल्। फेर कवि सतीश मेहता जी अपन गीत ‘ करेजक आगि के’ मिझाऊ कोना? सँ समस्त सभागारकें ऊर्जान्वित कएलक। तकर बाद कवि गुफरान जिलानी अपन कविता ‘ जनक्रांति’ सँ क्रांति अनबामे सफल सिद्ध भेलाह। फेर कबि विजय दत्त मणि अपन कविता ‘ हम अपन देश खोजैत छी’ सँ सभके टकटकी लगेबा पर विवश कS देलखिन।  फेर युवा कवि सुमित मिश्र गुँजन अपन धरिगर कविता ‘ हाथ में ऐ सत्ता सरदार ताकू’ सँ सभकें अन्तर्मनकें झकझोरि देलक। तकर बाद फेर युवा कवि मुख्तार आलम अपन कविता ‘राजनीति’ सँ नीक समाद छोडबामे सफल भेलाह। तकर बाद कवि निशाकर अपन कविता ‘ठेकान’ सँ लोककें ठेकानक प्रयास केलथि आ सफल भेलाह। फेर कवि सुभाष सिनेही अपन कविता ‘ आशा’ सँग लोकमे आस जगौलथि। फेर कवि अक्षय आनन्द सन्नी अपन गीत ‘ राइत इजोरिया चान कारी, किछु बात भेलैए’ सँ लोकक मन मोहि लेलक। तकर बाद कवि अएलाह प्रणव नार्मदेय अपन कविता ” राक्षस राजा’ समसामयिक समस्या पर नीक रचना सँग। फेर कवि मनोज झा मुक्तिक  अपन गीत ‘ चढ़ल मास साओन’ गाओलक। फेर कवि प्रीतम निषाद जी अपन कविता ‘ मातृभाषा’ क पाठ कएलक। फेर कवि दिप नारायण विद्यार्थी अपन गजल ‘ बाते बात मे बात चलल त’ हमहुँ एकटा बात कहै छी’ बहुत सुंदर प्रस्तुत कएलाह। तकर बाद कवि अयोध्यानाथ चौधरी अपन गीत ‘ प्रकृतिक अजब खेल, बुझब कठिन छै’ गाबि कS सभागारमे सभके बन्हने रहलाह। फेर कवि सदरे आलम गौहर एकटा गजल ‘ हम राइत अन्हरिया हमर चान अहीँ छी सँ सभागारकें मुग्ध कS देलाह। फेर कवि मणिकांत झा मणि अपन गीत ‘ सम्मानक भुक्खल नहि रहलहुँ, मिथिला माटि तिलक लगाबी एतबहि बस अभिलाषा” सँ लोकक धेयान आकर्षित कएलाह। तकर बाद कवि  प्रो० सत्यनारायण झा अपन कविता ‘ बदलि गेल आब गाम’ ल्Sक अएलाह आ अपन छाप छोड़’ मे समर्थ भेलाह। अहि उपरांत कवियित्री अभिलाषा अएलीह पहिने ओ अपन मधुर स्वरमे सुंदर स्वागत गान आ तकर बाद एकटा कविता ‘ हमरा निम्मन लगैत अछि रुइया जकाँ उड़िआयत मेघ’ पाठ कएलीह। फेर कवि फेर मैथिल प्रशांत अपन जोशगर गजल ‘ नियार अछि जे बरछी गरांस तरुआरि भ’ जाए, पैघ पैघ गाछ के’ निबा दी अन्हड़ बिहाड़ि भ’ जाए।  फेर कामत जी अपन व्यंग्य कविता ‘ यौ भैया ई बिहार छै’ पाठ कएलाह।  ततपश्चात अनिल झा अपन कविता ‘भाषा’ पाठ कएलाह। ततपश्चात कवि अवधेश अनल कविता’ आत्महत्या’ सँ लोककें झकझोर’ मे समर्थ भेलाह। फेर कवि दयाशंकर मिथिलांचली एकटा लल्कारैत हुँकार भरैत कविता पढलाह। फेर कवि काशिकान्त झा ‘ नांगट उघार नवका डिजाइन बनल’ सुंदर प्रस्तुत कएलाह। फेर कवि नवीन नवेन्दु जी अपन रचना ‘ रातिए एलिऐ भोरे पड़ेलिए, नयन नै तिरपित भेल’ समाजिक दारुण व्यथाक चित्रण कएलाह। फेर कवियित्री पूनम झा मैथिली अपन कविता ‘ मारो मुँह ध’क’ बहुत नीक सँ प्रस्तुत कएलीह। फेर कवि दिलीप कुमार झा कविता ‘ ‘अहीँ बचा सकै छी जानकी’ सँ पुनः सभागारमे जोश भरलाह। एकर बाद कवि रामबाबू सिंह यानी हमर कविता ‘ उद्धारक आस मे’ पाठ कएल्। फेर कवि सत्येंद्र मिश्र अपन कविता ‘धूप बदलि गेल छांव बदलि गेल, शहर सँ बेसी गाम बदलि गेल’ पाठ कएलाह। फेर कवि शुभाष चंद्र झा अपन कविता ‘ सहरसा’ पाठ कएलक। तकर बाद कवि अएलाह मैथिली सहित्यजीवी अजीत आजाद एकटा गीत ‘निर्माण भ’ रहल पोखरि सन अनमन अछि जीवन गाबि कS सभागारमे फेर सँ जोश भरि देलक। फेर कवि अएलाह कथाकार कवि प्रो० अशोक मेहता एकटा गीत ‘हम कवि छी कविता करब हमर काज’ केर सुरीगर स्वर सँ माहौल सुरमय कS देलाह। फेर कवि अएलाह कमलेश प्रेमेंद्र हास्य व्यंग्य कविता दहेज प्रथा आधारित ‘हमरा नहि चाहि दहेज, लड़की चाही धपधप गोर’ सँ सभामे सभक चेहरा दमका देलक आ ततपश्चात  कवि अएलाह हास्य व्यंग्यक जनक आदरणीय जय प्रकाश चौ० जनक अपन दूटा कविता एकटा ‘तोरा की हेतौ है रौ अभगला घसल कपाड़” आ दोसर भविष्यमे होम बला किछु उनटा सीधा व्यवहार पर तितगर मिठगर प्रहार सँ सभागार ठहाका सँ गुंजायमान भेल छल। अंतमे  बारी एलनि कवि से गीतकार अहि कवि सम्मेलन केर अध्यक्ष कविवर दिगम्बर झा “दिनमणि” ओ पहिने भाषायी महत्व पर अपन बात रखलाह फेर दू गोट गीत राति सपनामे की की देखलिए, हुनका सपनेमे छाती सटौलिए। आ तकर बाद आदरणीय प्रवीण नारायण चौधरी जीक स्वरमे एकटा समदाउन सुनल गेल जाहिसँ सभागारमे उपस्थित लोक एक दोसर सँ विदाई लेबाक भाव सँ हृदय भरि गेल। आ तकर बाद धन्यबाद ज्ञापन सुधांशू शेखर झा कएलनि। अहि मन्च सँ सीतामढ़ी निवासी फ़िल्म निर्माता आदरणीय बलबंत शास्त्री जी हृदय सँ मिथिला राज्यक समर्थन पर जोर देलनि आ सभक एकजुट प्रयास हेतु आह्वान सेहो कएलाह।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

उल्लेखनीय अछि जे  माँ जानकीक प्राकट्य स्थल अछि  सीतामढ़ी आ तेँ अहि पावन पुण्य भूमिकेँ मिथिलाक केंद्र सेहो कहल जा सकैत अछि। कहिओ प० रामलोचन सरण, प० मधुसूदन झा, प्रसिद्ध कवि कुलानन्द मिश्र, सत्यानन्द पाठक, बलदेव लाल कुलकिंकर आदि मैथिली साहित्य केर सर्जनामे तल्लीन भS मैथिली साहित्यक भंडार भड़लनि। एमहर आबि कS लगभग तीन दशकसँ मैथिली साहित्य व संस्कृति ल्Sक सीतामढ़ी सुसुप्त सन छल। तीस बरिसक बाद भरिसक “मैथिली कवि सम्मेलन” आयोजित भेल आओर मातृभाषाक माधुरियता सँ सभागारमे उपस्थिति जनमानस पर एकटा अमिट छाप छोडबामे सफल सिद्ध सेहो भेल।

सीतामढ़ीक मैथिली कवि सम्मेलन आयोजन निश्चित रुपसँ मिथिलाक ऐतिहासिक माटि पर एकटा ऐतिहासिक संगहि क्रांतिकारी डेग सिद्ध भेल अछि। जाहि आयोजनमे अनेको प्रवुद्ध लोक सम्मलित भेलाह। आओर अहि आयोजनकेँ सफल बनेबा मे पार्टिजोनक संचालक आदरणीय मनोज जी, कवि सम्मेलन केर संयोजक सुधांशु शेखर झा, स्थानीय मीडिया कर्मी आ सीतामढ़ी फेसबुक पेज संगहि इम्पल्स कोटाक योगदान प्रमुख रहल। अहि सुअवसर पर साहित्यिक सांस्कृतिक आ समाजिक क्षेत्रक कतेको लोककेँ सम्मानित सेहो कएल गेल। जाहिमे मैथिली सिनेमाक चर्चित अभिनेता अनिल मिश्र, फ़िल्म निर्माता बलबंत शास्त्री संगहि मिथिला राज्य अभियानी राजेश झा आदि प्रमुख छलथि। सीतामढ़ीक अहि आयोजन सँ संकेत भेटल अछि जे सीतामढ़ीमे निरंतर साहित्यिक सांस्कृतिक आयोजन सँ मैथिलीक पल्वित पुष्पित होयत रहत।

Tags: Kavi SammelanMaithili Kavi sammelansitamadhi

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

सिपाही भर्ती परीक्षा मे बेटा सब केँ पछुआ देलक बेटी

शराबी केँ आफ़त, परिवार केँ राहत

तखन त मिथिला कए अलग राज्य बना देल जाये : राबडी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि