पटना । बिहार बोर्ड इंटर रिजल्ट 2019 क घोषणा काल्हि भए जाएत । काल्हि बिहार बोर्ड इंटर क तीनू स्ट्रीम कला, विज्ञान, वाणिज्य आ वोकेशनल क रिजल्ट एक संग जारी होएत । बिहार बोर्ड इंटर मूल्यांकन दू मार्च से शुरू भेल छल । एहि बेर रिकॉर्ड समय मे नतीजा क घोषणा कैल जा रहल अछि । नतीजा काल्हि दुपहर 1 बजे जारी कैल जाएत । शिक्षा विभाग क अपर सचिव आरके महाजन आओर बोर्ड अध्यक्ष आनंद किशोर रिजल्ट कए बोर्ड वेबसाइट पर जारी करताह ।
बता दी जे एहि बेर इंटर परीक्षा मे कुल 13 लाख 15 हजार 371 परीक्षार्थी शामिल भेल छल । परीक्षा 6 से 16 फरवरी धरि चलल । रोज दू पाली मे परीक्षा लेल गेल छल । ई पहिल मौका छल जे मार्च मे रिजल्ट जारी कैल जा रहल अछि । चुकी 2007 मे समायोजन भेलाक बाद हरेक साल मई क दोसरे सप्ताह क बादे रिजल्ट निकलैत रहल अछि । 2014 से 2018 धरि मईक तेसर आ चारिम सप्ताह मे इंटर क रिजल्ट जारी भेल छल । मुदा एहि बेर परीक्षा खत्म हेबाक मात्र 44 दिनक बाद रिजल्ट जारी होएत ।