रामबाबू
पटना । छात्रकेँ रोजगारयुक्त शिक्षा पठनपाठनमे समावेश कराबय लेल, सकारात्मक आ सरोकारिक भावनाक विकसित करबा लेल केंद्र सरकार कएकटा योजना शुरू कएल अछि। जाहिमे सँ एकटा पैघ योजना छात्र कौशल विकासक अछि। जाहिसँ छात्र रोजगारोनुमुखी बनि सकैत अछि। मुदा कौशल विकास योजनाके आत्मसात करबामे बिहारक आँकड़ा हतोत्साहित करय वाला अछि। लाभ्यर्थिक श्रेणीमे बिहार बारहम स्थान पर अछि। विश्वविद्यालय अनुदान आयोगक रिपोर्टसँ स्पष्ट अछि पछिला तीन वर्षमे बिहारमे कौशल विकासक केंद्र सभ आ पाठ्यक्रम सभकेँ प्रति उदासीन रहल अछि।
यूजीसी कॅरियर ओरिएंटेड कोर्स केर शुरुआत कएलक जाहिमे दर्जनो पाठ्यक्रम अछि। लेकिन बिहारमे एखन धरि केवल पन्द्रह पाठ्यक्रम केS शुरुआत भS सकल अछि। अहि लेल 326.35 करोड़ रुपैया तीन वर्षमे देल जा चुकल अछि।
यूजीसी वित्तीय सहायतार्थ कॉलेज आ विश्वविद्यालय केर उच्च शिक्षामे स्तरीय बनेबाक लेल 2014-15 सँ 2016-17 धरि 326.35 करोड़ रुपैया प्रदान कएल गेल। अहिमे सँ कम्युनिटी कॉलेजकें 96.00 करोड़ आ बी-वोक संस्थान सभकेँ 122.51 करोड़ संगहि कौशल केंद्र सभकेँ 22.51 करोड़ आओर डीडीयू कौशल केंद्र सभकेँ 107.63 करोड़ रुपैया देल गेल अछि। जँ बिहारक संस्थान चाहैत तँ ओकर लाभ उठा सकैत छल मुदा ताहिमे असफल रहल। जखन की दू साल पहिने यूजीसी आवेदन मांगने छलैए तखन अड़तीस गोट संस्थान आवेदन कएने छलैए मुदा अहि योजना लेल अयोग्य सिद्ध भेल छल।
यूजीसी द्वारा कौशल विकास योजना पर खर्च
स्कीम 2014-15 2015-16 2016-17
कम्युनिटी कॉलेज 35.89 33.36 22.68
बी-वोक डिग्री संस्थान 80.64 31.87 10.00
डीडीयू कौशल केंद्र 98.70 8.93
कौशल विकास योजनाम टॉप 5 राज्य
राज्य कॅरियर ओरिएंटेड कोर्स कम्युनिटी कॉलेज बी-वोक कोर्सेज डीडीयू केंद्र
महाराष्ट्र 165 35 37 06
असम 53 27 13 02
केरल 48 19 15 03
तमिलनाडु 38 14 13 10
पंजाब 39 13 17 03
कौशल विकास योजनामे बिहार
कॅरियर ओरिएंटेड कोर्स- 15
कम्युनिटी कॉलेज- 06
बी-वोक संस्थान- 02
डीडीयू कौशल विकास केंद्र : 00
राष्ट्रीय स्तर
कॅरियर ओरिएंटेड कोर्स- 522
कम्युनिटी कॉलेज- 199
बी-वोक संस्थान- 162
डीडीयू कौशल विकास केंद्र : 63