• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आकाश भ गेल साफ, स्पाइस जेट आ इंडिगो शुरु करत दरभंगा स सेवा

January 18, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
कुमुद सिंह
पटना । सबकिछु ठीक रहल त अगिला सप्ताह तक दरभंगा स विमान सेवा शुरु करबा लेल इच्छुक विमान कंपनी कए लेटर आफ  एवार्ड इस्यू भ जायत। दरभंगा नगर विधानसभा क्षेत्रक विधायक संजय सरावगी इ जानकारी दैत दावा केलथि अछि जे एहि साल प्रवासी मैथिल गर्मी छुट्टी मे दरभंगा विमान स आबि सकताह।
एयरपोर्ट लेल नव टर्मिनल क कार्य शीघ्र शुरु होएत। एकरा लेल 50 एकड़ जमीन सेहो अधिग्रहित भ चुकल अछि। 6 मासक भीतर स्पाइस जेट या इंडिगो दरभंगा एयरपोर्ट स देश क तीनटा शहर दिल्ली,मुंम्बई आ बेंगलुरु लेल सीधा विमान सेवा शुरु क देत।
उल्लेखनीय अछि जे नागरिक विमानन सचिव आर एन चैबे और एयरपोर्ट ऑथरिटी ऑफ  इंडिया के अधिकारीक संग बुधदिन बिहार भवन, नई दिल्ली मे उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कए बैसार भेल। बैसारक बाद मोदी कहला जे दरभंगा स उड़ान योजना क तहत अगिला छह माह मे मुम्बई, बंगलुरू आ दिल्ली लेल विमान सेवा प्रारंभ भ जायत। एकर समीक्षा लेल एकटा उच्चस्तरीय टीम 24 जनवरी कए पटना आबि रहल अछि। पटना एयरपोर्ट क नव टर्मिनल क काज सेहो अप्रैल स प्रारंभ भ जायत।
ओ कहला जे दू विमानन कम्पनी स्पाइस जेट आ इंडिगो दरभंगा स मुम्बई, बंगलुरू आ दिल्ली क सेवा लेल निविदा देलक अछि। एयरफोर्स क अधीन दरभंगा एयरपोर्ट पर टर्मिनल भवन आ प्रवेश लेल सरकार जमीन उपलब्ध करा देलक अछि।
जेना कि अपने कए पता अछि जे दरभंगा एयरपोर्ट शुरु करबा लेल बहुत दिन स आंदोलन चलि रहल छल। एहि ठाम स विमानसेवा 1950 स 1962 धरि चालू छल। ओकर बाद छोट मोट प्रयास भेल मुदा ओ सफल नहि भ सकल। दरभंगा स विमान सेवाक उम्मीद तखन जागल जखन केंद्र क मोदी सरकार छोट शहर लेल उडान योजना अनलक। उड़ान योजनाक पहिल किश्त मे दरभंगा नहि आयल मुदा दोसर किश्त मे दरभंगा आ किशनगंज कए शामिल कैल गेल। जाहि स हवाई सेवा शुरू हेबाक उम्मीद बढि़ गेल। दरभंगा मे विमान सेवाक संभावना एतबा छल जे तीनटा विमानन कंपनी बिना कोनो सरकारी छूट लेने दरभंगा स विमान सेवा शुरु करबा लेल आवेदन द देलक।
एयरपोर्ट ऑथोरिटी ऑफ इंडिया (एएआइ) दिस स आरसीएस या उड़ान योजना लेल जे 141 रूट क सूची जारी भेल अछि ओहि मे दरभंगा स दिल्ली संग मुंबई आ बेंगलुरु शामिल अछि।
केंद्र सरकार दूनू एयरपोर्ट पर नव टर्मिनल भवन, एटीसी आ अन्य जरूरी सुविधा लेल 100-100 करोड़ टका खर्च करत। पटना आ  कोलकाता एयरपोर्ट आ डीजीसीए क विशेषज्ञ क एकटा टीम एहि दूनू ठामक दौरा सेहो केलक अछि।
आरसीएस : 1
पटना-बोकारो 274 किमी
बोकारो-पटना 269 किमी
आरसीएस :  2
पटना-इलाहाबाद 343 किमी
इलाहाबाद-पटना 343 किमी
आरसीएस : 3
पटना-जमशेदपुर 359 किमी
जमशेदपुर-पटना 363 किमी
आरसीएस  4
दरभंगा-आइजीआइ एयरपोर्ट दिल्ली976 किमी
आइजीआइ  एयरपोर्ट दिल्ली-दरभंगा972 किमी
आरसीएस : 5
दरभंगा-बेंगलुरु 1737 किमी
बेंगलुरु-दरभंगा 1758 किमी
Tags: darbhangaIndigoPlaneSanjay SaragwiSpiceJet

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

सिंगापुरक सहयोग स दरभंगा मे बनाउल जायत सुभितगर शौचालय

विक्रमशिलाक 60 किमी क गंगीय क्षेत्र मे होएत जलजीवक सर्वेक्षण

बिहार चाहैत अछि जीएसटी जेना हो एक राष्ट्र-एक टैरिफ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि