• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सत्‍कार लेल तैयार अछि बिहार

December 23, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रकाश पर्व लेल नवकनिया सन सजल अछि पटना 
गांधी मैदान (62 एकड़), कंगन घाट (12 एकड़ क्षेत्र) आओर मलाईचक बाईपास (65एकड़ ) मे बनाओल गेल तीन टा टेंट सिटी।
8 लाख लोक क एबाक संभावना, टैंट सिटी मे पचास हजार श्रद्धालू क रहबाक व्‍यवस्‍था ।
एकर अलावा गुरूद्वारा बाललीला, कारसेवक भूरी वाला दिस स सेहो तीन टा टैंट शहर बनाओल जा रहल अछि जाहि मे 25 हजार श्रद्धालू क रहबाक अछि व्‍यवस्‍था ।
प्रकाश पर्व लेल सफाई पर खर्च करल जा रहल प्रतिदिन 3.5 लाख, 45 दिन क सफाई लेल निर्गत भेल एक करोड़ 65 लाख ।
पर्यटन विभाग गांधी घाट से कंगन घाट तक चलाओत जहाज ।
अशोक राजपथ कए कराओल जाएत जाम मुक्‍त । तीन दिन लेल वाहन परिचालन रहत बंद ।

सुनील कुमार झा

prakash-parvaपटना । सिख धर्म क दशम गुरू श्री गोविन्‍द सिंह क 350म जयंती मनेबा लेल बिहार तैयार अछि । पूरा पटना शहर जेना सिख धर्म कए अपना लेलक अछि। अधिकारी स ल कए ऑटोे चालक तक बोले सो निहाल कएि कए आगंतुक अभिनंदन करैत अछि। तैयारी क आलम ई अछि जे शहर मे होटल, गेस्‍ट हाउस आ निजी आ सामाजिक सराय मे कोनो जगह खाली नहि अछि।  एकर अलावा छह टा टेंट शहर आ तीस टा प्राईवेट परिसर बुक कए लेल गेेल अछि । गाँधी मैदान क 62 एकड़ जमीन, मलाईचक बाई पास क 65 एकड़, आ कंगन घाट क 12 एकड़ जमीन पर बनाओल जा रहल अछि टेंट घर । टैंट मे गर्मपाइन क व्‍यवस्‍था सेहो रहत । राज्‍य सरकारक मुताबिक एहि टेंट शहर मे पचास हजार स बेसी श्रद्धालु क ठहरबा क व्‍यवस्‍था अछि । एहि क संगे गुरूद्वारा बाललीला, कारसेवक भूरी वालाा समिति‍ सेहो टेंट घर बना रहल अछि । एहि टेंट घर मे 25 हज़ार स बेसी श्रद्धालु क रहबाक व्‍यवस्‍था अछि । एहि क अलावा तीस टा प्राइवेट परिसर मे सेहो रहबाक व्‍यवस्‍था करल गेल अछि । टेंट घर मे बुकिंग नि:शुल्‍क अछि । बुकिंग ऑनलाईन आ ऑफलाईन दूनू तरह स भए रहल अछि । ऑफलाईन बुकिंग लेल टॉल फ्री नंबर सेहो जारी कैल गैल अछि ।  कुनू तरहक कुव्‍यवस्‍था वा गड़बड़ नहि होए एहि लेल बुकिंग लेल काग़जात क नीक जेंका जॉंच भए रहल अछि । अखैन धरि एहि टैंट घर लेल 25 हजार बुकिंग भए चुकल अछि ।  एकटा अनुमान क मोताबिक करीब 8 लाख श्रद्धालु क एबाक अनुमान अछि जेकरा लेल पटना नीक जेंका तैयार अछि । एहि लेल रेलवे आ एयरपोर्ट पर विशेष व्‍यवस्‍था कैल गेल अछि। 3 स 5 जनवरीक दौरान कईटा विशेष ट्रेन पटना आउत। एयरपोर्ट पर दू कए बदला मे एकसंग चारिटा जहाजक ठहरबा लेल व्‍यवस्‍था कैल गेल अछि। सुरक्षाक पुख्‍ता इंतेजाम कैल गेल अछि आ कईटा जोन मे बांटी शहर क निगेहबानी कैल जा रहल अछि।

एहि पर्व मे श्रद्धालु क गुरूद्वारा जाए मे कोनो दिक्‍कत नहि होए एहि लेल पर्यटन विभाग गंगा घाट से कंगन घाट तक जहाज चलाओत । बिहार पर्यटन विकास निगम एहि क लेल छोट-छोट जहाज गांधी घाट से कंगन घाट क लेल चलाओत । 25 दिसम्बर से एकर संचालन शुरू कैल जाएगा । 10 जनवरी तक लगातार एकर संचालन होएत । श्रद्धालु क लेल ई सुविधा बिल्कुल मुफ्त रहत । बिहार पर्यटन विकास निगम क जीएम राकेश मोहन बतेलथि‍ जे प्रकाश पर्व कए लकए सिख श्रद्धालू कए गंगा क रास्‍ता गुरुद्वारा लए जेबाक तैयारि अ‍छि । गांधी घाट से जहाज रोजाकना भोर आठ बजे खुलत आओर महज आधे घंटा मे कंगना घाट पहुंचाओत । पूरा दिन ई जहाज गांधी घाट से कंगना घाट लेल चलत । एहि जहाज क क्षमता 30 से 35 लोगक अछि । एहि क संग 12 सीट वला दू टा मोटर बोट सेहो चलत । यानी एक बेर मे 50 से 60 लोग जा सकत । एहि क अलावा गंगा दियारा भ्रमण क लेल सेहो अलग जहाज क व्‍यवस्‍था अछि । श्रद्धालू कए फ्लोटिंग बोट से दियारा क सैर कराओल जाएत । एहि बोट पर स्‍नैक्‍स आ कोल्‍ड ड्रिंक क व्यवस्‍था सेहो रहत ।

Tags: 350 prakash ParvapatnaPrakash ParvaSri Harmindar Sahib

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

साल 2017 क प्रबोध साहित्य सम्मान गंगेश गुंजन कए

गुरु क प्रकाश स उदित भेल बुद्धक बिहार

इत्र स बेसी सुगंध भेटल एहि सनेस मे

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि