समदिया
पटना। मुख्य मंत्री नीतीश कुमार 11 सितम्बर केँ पटना- नेपाल बस सेवा क शुभारंभ करताह। परिवहन सचिव संजय कुमार अग्रवाल जनौलनि जे परिवहन विभाग तत्काल बोध गया से काठमांडू आ पटना से जनकपुर क बीच बस सेवा शुरू करत। दुनू रूट में आठ बस क परिचालन होयत।
विदेश मंत्रालय पीपीपी मोड पर बिहार ओ नेपाल मध्य बस सेवा शुरू करबाक अनुमति देलक अछि। बस सब केँ परमिट भेट गेलैक अछि। चारि बस पटना – जनकपुर आओर चारि बस बोधगया- काठमांडू बीच चलत। बस मे चालीस गोट ए सी सीट रहतैक। पटना- जनकपुर क बस भाया मुजफ्फरपुर, भिठा मोड़, सीतामढ़ी जनकपुर जायत। बोधगया- काठमांडू के बस भाया गया, पटना, हाजीपुर, मुजफ्फरपुर, मोतिहारी, रक्सौल, वीरगंज काठमांडू जायत। बोधगया सँ काठमांडू के किराया 1250 टाका आ पटना – जनकपुर क किराया 275 आ पटना- काठमांडू क किराया 1015 टाका निर्धारित कयल गेल अछि। परिवहन सचिव श्री संजय अग्रवाल जनौलनि जे बोधगया- काठमांडू दू बस आ पटना- जनकपुर तीन बस चलाओल जायत।
पटना सँ 3.15 बजे जनकपुर लेल बस खुजत जे राति 11 बजे जनकपुर पहुँचत। अन्य दू बस भिन्सर 4.10 आ राति 9.05 बजे खुजत। जनकपुर सँ भिन्सर 7.05 बजे प्रस्थान कय 2.15 में बस पटना पहुंचत। भिन्सर 9.00 आ राति 8 बजे दू बस पटना लेल चलत। बोधगया सँ भिन्सर 10 बजे प्रस्थान कय बस दोसर दिन 7 बजे काठमांडू पहुँचत। काठमांडू सँ राति 8 बजे खुजै बाली बस दोसर दिन साँझ 4.30 बजे बोधगया पहुँचत।
निर्धारित किराया
———
बोधगया- काठमांडू -१२५०/
पटना- जनकपुर- २७५/
पटना- काठमांडू-१०१५/