• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

कोन बाटे अएलाह राम 

September 18, 2018
in विचार
A A
16
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
.
त्रेता युग मे राम अपन भाई लक्ष्मण और गुरु विश्वामित्र संगे मिथिला के यात्रा कयने छलाह| वाल्मीकि रामायण सँ ई ज्ञात होईत अछि जे अयोध्या सँ ओ पैदल मिथिला आयल छलाह |सीता सँ विवाह के बाद हुनका तथा बरियाती संगे अयोध्या घूरती काल मे रथ सँ गेल छलह| अयोध्या सँ जनकपुर जाईत काल मे बाट मे 13 रात्रि विश्राम भेल छल| अयोध्या घूरती काल मात्र 3 रात्रि विश्राम छल| राम मिथिला कोन बाट स एलाह आ कोन बाट स घुरलाह एहि पर प्रस्‍तुत अछि पूर्व प्रशासनिक पदाधिकारी गजानन मिश्र क इ शोधपरक आलेख – समदिया
विश्वामित्र के सिद्धाश्रम जे बक्सर लग छल, सँ विदा भ’ कोइलवर मे सोन नदी पार क’ निकटस्थ दक्षिण परेव मे 12 वी रात्रि विश्राम कयलनि| एतय सँ दिघवारा मे गंगा पार क वैशाली अयलाह तथा ओतय सँ महुआ-ढोली होईत दर्भांग( यानि वर्तमान दरभंगा) मे आबि रात्रि विश्राम कयल|
एकटा संस्कृत अभिलेख जे यामलसारोद्धार के अंश अछि और जे 15-16 वी सदी के रचना प्रतीत होईत अछि, मे ई लिखल अछि जे वैशाली सँ चलि श्री राम दर्भांग मे पहुँचि कुश-घास पर रात्रि विश्राम कयल तथा अगिला भोर दर्भांग सँ विदा भ’ गौतम आश्रम मे अहिल्या के उद्धार करैत जनकपुर पहुँचलाह| कुश-घास पर रात्रि-विश्राम कयलाह तैं दर्भांग नाम पडल| दर्भांग के अर्थ होईत छैक कुश के भूमि| दर्भांग सँ दरभंगा नाम होयब स्वाभाविक अछि|
राम के मिथिला यात्रा पर शोध कयनिहार सुन्दर कृष्णास्वामी लिखैत छथि जे राम विवाहोपरांत सीता, पिता और बरियाती संग तेसर रात्रि विश्राम डेरबा ( उत्तर प्रदेश मे सरयू कात) मे कयलनि| मुदा पहिल दु रात्रि विश्राम कतय कयलनि- तकर कोनो उल्लेख सुन्दर कृष्णास्वामी नहि करैत छथि|
जनकपुर सँ डेरबा ( उत्तर प्रदेश) 180 मील दूर अछि| जनकपुर सँ डेरबा के मार्ग मे वर्तमान मे सीतामढ़ी, शिवहर, पुरबी चंपारण, छपरा और सारण जिला पडैत अछि| एहि मार्ग मे पश्चिमी चंपारण मे पिपरा-मधुबन लग सीताकुंड अछि जे किम्बदन्ति मे सीता सँ सम्बंधित अछि| ई अनुमान कयल जा सकैत अछि जे राम पहिल रात्रि विश्राम सीताकुंड पिपरा मे कयने होयताह| एकर बाद दोसर रात्रि विश्राम सिवान मे कतहु भेल होयत- से अनुमान होईत अछि|
पंडित भवनाथ झा कहैत छथि जे राम-सीता केसरिया के बाद प्राचीन कुशीनगर के मार्ग सँ अयोध्या गेल होयताह| केसरिया-कुशीनगर-अयोध्या मार्ग निस्संदेह प्राचीन अछि| मुदा एहि मार्ग मे बस्ती,गोरखपुर और देवरिया जिला के सरयू तटीय क्षेत्र नहि पडैत छैक| एहि तिनु जिला मे व्याप्त जनश्रुति के अनुसार राम पथ ओ अछि जे अयोध्या सँ सरयू के दक्षिण काते-काते छावनी( बस्ती जिला), दोहरी घाट मे सरयू के पार क’ उत्तर स्थित बरहल्गंज सँ गुथनी( सिवान जिला) तक अछि| गुथनी सँ सिवान होईत केसरिया सेहो एक प्राचीन मार्ग अछि| सारन्य( सिवान के प्राचीन नाम) मे सिवान यानि मध्यकालीन अलीगंज संभवतः प्राचीनतम स्थल अछि| तैं हमरा जन्तवे राम-सीता केसरिया के बाद सिवान मे दोसर रात्रि विश्राम कयलनि| डेरबा( गोरखपुर) जतय राम तेसर रात्रि विश्राम कयने छलाह,सँ सिवान 57-58 मीलअछि, सिवान सँ चकिया-पिपरा सीताकुंड 66 मील अछि| तैं हमरा जन्तबे पहिल रात्रि विश्राम सीता कुंड मे भेल होयत| सीतामढ़ी सँ चकिया 51 मील अछि|
ओना केसरिया वस्तुतः अतिमहत्वपूर्ण स्थान छल| गज़ेतिअर मे एकरा राजा बेन के गढ़ कहल गेल अछि| संभवतः कंनिंघम सेहो उल्लेख कयने छथि जे केसरिया बौद्ध काल सँ पहिने सँ महत्वपूर्ण छल| केसरिया के सटले पूरब मे सम्मोहती/ मख्वा नामक एक छोटछीन धार बहैत अछि| ई धार प्राचीन कालीन प्रखर बाया नदी के एकटा स्रोत भ’ सकैत अछि| यदि इएह नदी देविका नदी छल त’ देविका नदी के कात मे श्री राम द्वारा रात्रि विश्राम के उल्लेख अछि| एहि ठाम सँ किछुएपूरब पिपरा-मधुबन मे प्रसिद्ध सीता कुंड अछि|
हमरा जनैत जैन मुनि प्रभ सूरी जे सुल्तान मुहम्मद बिन तुगलक के दरबार मे सम्मानित छलाह, 14 वी सदी मे मिथिला भ्रमण कयने छलाह| ओ मिथिला द’ लिखैत छथि जे एहि ठाम सीता के जन्म भेल छल, राम-सीता विवाह-स्थल साकल्य-कुंड के नाम सँ जानल जाईत अछि, एहि स्थल-पर विशाल वट-विटपी अछि, एहि ग्राम के जगती के नाम सँ जानल जाईत अछि, एहि ठाम पाताल-लिंग अछि, लगहि मे राजा जनक के भाई कनक के कनकपुर अछि| विशेष बात ई जे जैन मुनि कतहु जनकपुर के चर्चा नहि करैत छथि| वस्तुतः नेपाल के केओ प्राचीन वा मध्यकालीन इतिहास के इतिहासकार कतहु जनकपुर के चर्चा नहि करैत छथि| वर्तमान मे जे जनकपुर अछि, से तैं संदेह उत्पन्न करैत अछि| जनकपुर के पहिल बेर नेपाल के राजस्व अभिलेख मे उल्लेख 1667 ई के मकवानी राजा मानिक सेन के भूमि-वृत्त दान पत्र मे अछि| वर्तमान जनकपुर के पहचान और प्रचार बद्रीनाथ (भारत) के संत महंथ चतुर्भुज गिरि द्वारा 17 वी सदी के उत्तरार्ध मे कयल गेल छल| हुनका द्वारा पहचान के आधार मात्र हुनक विश्वास और हुनक कथित स्वप्न छल| तैं वर्तमान जनकपुर के असली जनकपुर मानबा मे संदेह होयब बाजिव बुझाइत अछि| मिहिला परगंना मिथिला के अपभ्रंश बुझि पडैत अछि|
.
(लेखक पूर्व भारतीय प्रशासनिक सेवा अधिकारी छथि)
Tags: BiharmithiaRamsita
Share16TweetPin

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post

कोसी फिल्‍म फेस्‍टीवल - कोसी मे सिनेमा तकबाक प्रयास

खंडूरी केर अनायास पदच्युत करब प्रतिरक्षाक कमीकेँ झाँपब अछि? 

कर्जामे डूबल आईएल एंड एफएस पर केंद्र सरकार कएलक कब्जा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि