• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

विकिपीडिया कए रहल अछि मैथि‍ली मे कोरोना वायरसक सूचना क प्रसार

May 8, 2020
in समाचार
A A

भारत मे कोरोना वायरसक मामिला 50 हज़ार से ऊपर चली गेल अछि, देश भरि मे लोक सभ कोरोना वायरस के मादे प्रतिबंधक पालन करैत घरे मे रहि रहल छथि आ अपन घरे स’ काज क’ रहल छथि। लेकिन लोक सभ के महामारी के बारे मे ख़बरि प्राप्त करब सहो ज़रूरी बुझना जाइत छैन्ह विशेषक’ कोरोना के मादे फूसि ख़बरक जे बाढि आबि गेल अछि, तकरा देखैत।

 

कोविड-19 के बारे मे फूसि खबर जेना उड़ि रहल अछि ओकरा देखैत विश्व स्वास्थ्य संगठन एहि बारे मे “इन्फ़ोडेमिक” के आशंका ज़ाहिर केलक अछि। एहि कारणें लोक के नहिं बुझा रहल छैन्ह जे ज़रूरी भेला पर सही जानकारी के लेल ओ कत’ जाथि। एहि सब बात के ध्यान मे रखैत विकिपीडिया के स्थानीय स्वयंसेवी लोकनि एहि चुनौती स’ लड़ि रहल छथि आ विकिपीडिया पर कोविड-19 के बारे मे जानकारी मे अंग्रेज़ी और 10  अन्य भारतीय भाषा मे सुधार क’ रहल छथि।

 

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

एहि महामारी के ल’क’ विकिपीडिया के आलेख दुनिया भरि मे लोकप्रिय भ’ रहल अछि। अंग्रेज़ी मे विकिपीडिया पर एहि स’ संबंधित आलेख के जनवरी 2020 के बाद एखन धरि 2 करोड़ लोक पढि चुकल छथि। ई आलेख सभ प्रमाणित संदर्भ आ स्रोत पर आधारित अछि आ बहुत रास आलेख त’ मात्र अही लेल लिखल गेल अछि जाहि स’ कोविड-19 के बारे मे कोनो तरहक अफ़वाह पर विराम लागै।

 

“हम विकिपीडिया के संपादित करब शुरू केलहुँ तकर कारण ई छल जे हम डॉक्टर और शोधकर्ता छी, ई हमर कर्तव्य अछि जे हम दुनिया के सही सूचना उपलब्ध करबियैक”, ई कहब छैन्ह नेथा हुसैन के जे पिछला 10 साल स’ विकिपीडिया मे योगदान द’ रहल छथि। “भारत मे कोविड-19 के मामिला जेना पसरि रहल अछि, हमर ई निजी मिशन हमरा लेल बहुत महत्वपूर्ण भ’ गेल अछि। यैह कारण छै जे हम भारत मे बहुत लोकक संग मिलि क’ काज क’ रहल छी ताकि हम आम लोक के नवीनतम जानकारी द’ सकी”।

 

विकीमीडिया के स्वयंसेवी एहि बात के मानैत छथि जे भारतीय भाषा मे ऑनलाइन स्वास्थ्य संबंधी जानकारीक बड्ड अभाव छैक आ तैं ओ लोकनि आम भारतीय के ई जानकारी उपलब्ध करेबा लेल बहुत प्रयास क’ रहल छथि। विश्व स्वास्थ्य संकटक एहि समय मे ई मुद्दा और ज़्यादा आवश्यक भ’ गेल अछि जखन कि लोक सभ के नवीनतम आ संगत जानकारी पहुँचायब ज़रूरी भ’ गेल छैक। स्वयंसेवी लोकनि 10 भारतीय भाषा मे स्वास्थ्यक बारे मे जानकारी जुटेबा मे लागल छथि। अंग्रेज़ी के आलेख मे सहो ओ लोकनि भारत मे कोरोना संक्रमण के मादे सूचना जोरि रहल छथि। एहि स’ संबंधित पृष्ठ के फ़रवरी स’ सभ दिन 2 लाख लोक पढि रहल छथि।

 

विकिडाटा मे भारत के बारे मे सूचना के बढ़ेबा लेल विकीप्रोजेक्ट इंडिया विभिन्न समूहक संग मिलि क’ काज क’ रहल अछि। विकीडाटा केंद्रीय डाटाबेस छै जकरा पर विकीमीडिया प्राजेक्ट्स के लेल जंतब संग्रह करबाक भार छै। विकीडाटा कोविड-19 टास्क फ़ोर्स हालहिं मे कोविड-19 डैशबोर्ड बनौलक अछि जत’ अहां राष्ट्रीय आ राज्य सभ मे एहि बीमारी के फैलाव के जंतब ल’ सकैत छी।

 

“विकिपीडिया स’ पाठक लोकनि के कोविड-19 के कतेक केस भेलैक और कतेक आदमी कोन राज्यक कोन ज़िला मे ठीक भेलैक से सभ जानकारी भेट जाइत छैन्ह। एहि के लेल डाटा प्रतिष्ठित संगठन सभ स’ जोगार कयल जाइत अछि। एहि मे शामिल अछि विश्व स्वास्थ्य संगठन, स्वास्थ्य एवं परिवार कल्याण मंत्रालय आ तकरा संग-संग स्थानीय सरकार जे बुलेटिन प्रसारित करैत अछि ओहो सूचना सभ संग्रह कयल जाइत अछि,” ई कहब छैन्ह जिनोय टॉम जेकब के जे विकिपीडिया मे 2017 स’ जुडल छथि। “विकीडाटा अही काजक लेल एतेक महत्वपूर्ण अछि किएक त’ ई डाटा संग्रह करैत अछि आ बुलेटिन सभ स’ प्राप्त आँकड़ा के एना सुव्यवस्थित करैत अछि जे महामारी के बारे मे विकिपीडिया के आलेख के महत्व के ई और बढ़ा दैत अछि”।

 

भारत मे कोविड-19 के मामिला जेना-जेना आगू जा रहल अछि, विकिपीडिया प्रोजेक्ट आन-आन संस्थाक संग हाथ मिला रहल अछि। एहि दिशा मे संस्कृत स’ लेल गेल शब्द ‘स्वस्थ’ नामक संगठन भारत के राष्ट्रीय स्वास्थ्य प्राधिकरण और स्वास्थ्य मंत्रालय एवं जॉन हॉप्किन्स यूनिवर्सिटी, अमरीका के महामारी विशेषज्ञ और स्विट्जरलैंड मे मौजूद विश्व स्वास्थ्य संगठनक संगे मिलिक’ काज क’ रहल अछि।

 

स्थानीय पार्ट्नरक अलावा, विकिपीडिया पर कोविड-19 मादे जे सूचना देल गेल अछि ओकरा विकीप्रोजेक्ट मेडिसिनक सहयोग सहो हासिल छैक जाहि मे दुनिया भरिक डॉक्टर और विशेषज्ञ सभ शामिल छथि। विकीप्रोजेक्ट मेडिसिन विभिन्न भाषा मे 35,000 मेडिकल आलेख जुटौलक अछि आ 150 टा संपादक एहि पर नजरि रखने छथि।

 

दुनिया मे जखन 2014 मे ईबोला वायरस के चिंता मे लोक डूबल छल, विकिप्रोजेक्ट मेडिसिन मे काज कर’ बला स्वयंसेवी सभ मिलिक’ अलग-अलग 50 भाषा मे ईबोला पर आलेख लिखलनि जाहि स’ प्रभावित देशक लोक के एहि बारे मे विश्वसनीय जानकारी ल’ सकथि।एहि प्रयासक सार्थकता पता तखन भेल जखन द न्यू यॉर्क टाइम्ज़ मे विकिपीडिया के ईबोला के बारे मे सूचनाक लेल सबस’ बेसी विश्वसनीय इंटर्नेट स्रोत मानल गेल।

 

आइ विकीमीडिया फ़ाउंडेशन के चीफ़ प्रोडक्ट ऑफ़िसर टोबी नेग्रिन हमरा सबके कहलनि जे स्वयंसेवी समूहक प्रयास स’ भारत मे भिन्न-भिन्न भाषा-भाषी लोक के कोरोना वायरस के बारे मे तत्काल अपनहि भाषा मे सूचना भेटि सकतैन। ओ ईहो कहलनि जे स्वयंसेवी विकीमीडिया के दीर्घ कालक लक्ष्य के लेल बहुत महत्वपूर्ण छथि।

 

नेग्रिन के कहब छन्हि, “ 2030तक विश्व भरि मे नई दिल्ली स बर्लिन आ सैन फ़्रैन्सिस्को धरि हम मुक्त ज्ञानक सबस’ बड़का सहयोग व्यवस्था बन’ चाहैत छी। एहि लेल हम विश्व भरि मे अपन समर्पित स्वयंसेवी सभक समर्पण पर निर्भर छी। हमर टीम टूल आ संसाधन बनेबा पर ध्यान लगबैत छथि जाहि स’ हमर स्वयंसेवी संपादक लोकनि के अपना ज्ञानक योगदान करबा मे सुविधा होइत छन्हि आ दुनिया मे कोनो भागक लोक आसानी स’ गुणवत्तापूर्ण सूचना प्राप्त क’ सकैत छथि,” नेग्रिन कहैत छथि।

 

विकिपीडिया आ ओकर सहयोगी प्रोजेक्ट ‘ओपन एडिटिंग’के मॉडल पर चलैत अछि जाहि स’ कोनो तरहक भेदभाव नहिं उत्पन्न हो। एहि मॉडल के कारण कोनो पृष्ठभूमि और कोनो राजनीतिक मानयता के मानय बला लोक आलेख के संपादित क’ सकैत छथि। एहि वजह स’ दुनियाक अलग-अलग हिस्साक, अलग-अलग संस्कृतिक लोक सभ विषय – कला, संस्कृति स’ ल’ क’ कोरोना वायरस सन गंभीर विषय पर तटस्थ सूचनाक निर्माण करैत छथि।

 

इसमाद लेल उपेन्‍द्र सिंहक रिपोर्ट

Tags: MaihiliWikiPedia

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
सबटा कानून शिथिल क तेलंगाना पठाउल गेल मिथिला स गुलाम मजदूर

सबटा कानून शिथिल क तेलंगाना पठाउल गेल मिथिला स गुलाम मजदूर

चाही मिथिला मे कारखाना भेल टवीटर पर ट्रेंड, 2 लाख ट्वीटक संग 30 देश स 3 हजार लोक भेलथि शामिल

चाही मिथिला मे कारखाना भेल टवीटर पर ट्रेंड, 2 लाख ट्वीटक संग 30 देश स 3 हजार लोक भेलथि शामिल

शुरू भेल जीवछ धार क उड़ाही, संजय निभौलथि‍ वादा

शुरू भेल जीवछ धार क उड़ाही, संजय निभौलथि‍ वादा

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि