• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा मेडिकल स्‍कूलक जमीन पर बनत अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्‍थान

November 22, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
उत्तर बिहार क पहिल स्वायत्त मेडिकल संस्‍थान होएत दरभंगा एम्‍स 
डीएमसीएच लग अछि 250 एकड जमीन, 26 तक पटना पहुंचत दस्‍तावेज   
ज्‍योति कुमारी
दरभंगा । 1912 मे स्‍थापित दरभंगा मेडिकल स्‍कूलक जमीन पर बिहारक दोसर आ उत्‍तर बिहारक पहिल अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्‍थान खुलत। दरभंगा एम्‍स उत्तर बिहार क पहिल स्वायत्त मेडिकल संस्‍थान होएत।
एहि संबंध मे राज्‍य सरकार शीघ्र एकटा प्रस्‍ताव केंद्र कए पठा रहल अछि। जिला प्रशासन क दावा अछि जे एहि प्रस्‍ताव लेल जमीन जरुरी दस्‍तावेज ताकल जा रहल अछि आ 26 नवंबर तक सबटा कागज पटना पठा देल जायत।
उल्‍लेखनीय अछि जे केंद्र 2014 स राज्‍य सरकारक एहि प्रस्‍तावक बाट ताकि रहल अछि। राज्‍य सरकार करीब चारि वर्ष तक मंथन केलाक बाद अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्‍थान लेल पटनाक बाद दोसर शहर दरभंगाक चयन कलक अछि। सरकार अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्‍थान लेल 1946 में दरभंगा मेडिकल स्‍कूल स अपग्रेड भेल दरभंगा मेडिकल कॉलेजक जमीन देत। एहि तरहे 1912 मे स्‍थापित दरभंगा मेडिकल स्‍कूल दोसर बेर अपग्रेड होएत। 1946 मे इ पहिल बेर अपग्रेड भेल छल।
जिलाधिकारी चंद्रशेखर कुमारक कहब अछि जे मुख्‍यसचिवक निर्देश पर डीएमसीएच लेल आवंटित जमीनक दस्‍तावेज ताकल जा रहल अछि। एखन धरि भेटल दस्‍तावेजक अनुसार 1912 मे स्‍थापित दरभंगा मेडिकल स्‍कूल लेल कुल 282 एकड जमीन आवंटित छल जाहि मे स 250 एकड जमीनक दस्‍तावेज उपलब्‍ध भ गेल अछि। बाकी जमीनक दस्‍तावेज ताकल जा रहल अछि। 26 नवंबर तक जमीन संबंधी सबटा दस्‍तावेज पटना पठा देल जायत।  दोसर दिस डीएमसीएच अधीक्षक डॉ. आरआर प्रसाद कहला जे किछु जमीन अतिक्रमित अछि मुदा ओ पैघ समस्‍या नहि अछि। अस्‍पताल प्रशासन जिला प्रशासनक संग पूरा सहयोग क रहल अछि। डीएमसीएच अधीक्षक डॉ. आरआर प्रसाद सेहो उम्‍मीद जतौलाह जे एहि सप्‍ता‍ह बाद सबका कागजी काज पूरा क लेल जायत।
डीएमसीएच अधीक्षक डॉ. आरआर प्रसाद कहला जे इ राज्य क तेसर आ उत्तर बिहार क पहिल स्वायत्त मेडिकल कॉलेज होएत। पटना मे एम्स आ आईजीआईएमएस स्वायत्त मोड पर चलि रहल अछि। राज्य मे एखन आठ टा सरकारी मेडिकल कॉलेज चलि रहल अछि। एहि मे पीएमसीएच आ एनएमसीएच पटना, डीएमसीएच दरभंगा, एसकेएमसीएच मुजफ्फरपुर, एएनएमएमसीएच गया, जेएलएनएमसीएच भागलपुर, जीएमसीएच बेतिया आ वर्द्धमान आयुर्विज्ञान संस्थान पावापुरी शामिल अछि।
फिलहाल डीएमसीएच मे एमबीबीएस क 100 आ पीजी (डिप्लोमा/डिग्री) क 143 सीट अछि। एतबे नहि डीएमसीएच परिसर मे पारा मेडिकल क पढ़ाई सेहो होइत अछि जाहि मे 163 छात्र-छाक नामांकन होइत अछि। फिलहाल एहि ठाम  ओपीडी मे औसतन 2500 मरीज प्रतिदिन इलाज करबैत अछि। दरभंगा आ कोशी प्रमंडल क संगहि पड़ोसी देश नेपाल स सेहो एहि ठाम मरीज अबैत अछि। 1050 बेड क व्यवस्था अछि। डॉक्टर लेल 206 स्वीकृत पद अछि, जाहि मे  97 कार्यरत छथि। नर्स क स्वीकृत पद 1200 अछि जाहि मे मात्र 297 कार्यरत छथि। कर्मीक स्वीकृत पद 120 अछि मुदा 50 कार्यरत छथि।
डीएमसीएच क कर्मी क भविष्‍यक सवाल पर डीएमसीएच अधीक्षक डॉ. आरआर प्रसाद कहला जे एखन नहि पर कोनो अंतिम निर्णय नहि भेल अछि, मुदा भ सकैत अछि जे दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल (डीएमसीएच) मे कार्यरत 97 डाक्टरों, 347 पारा मेडिकल आ अन्य कर्मी सब कए राज्य क दोसर मेडिकल कॉलेज मे पठा देल जाये, जाहि स ओहि कॉलेज सब मे डॉक्‍टर आ कर्मीक कमी दूर कैल जा सकत। मुदा एखन एहि पर कुछ कहब कठिन अछि। एम्‍स मे समावेश क सवाल पर ओ कहला जे दरभंगा एम्स लेल दिल्ली एम्स क पैटर्न पर डाक्टरों आ अन्य कर्मी क नियुक्ति होएत।
Tags: Bihardarbhangadmchnitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

कोसी तटबंध क ऊंचाई पूरा क्षेत्र लेल ख़तरनाक : दिनेश मिश्र

सामाजिक आ सांस्‍कृतिक मूल्‍य प्रवासी मजदूरक सबस पैघ ताकत : जयराम

सांझक गाछ तर बैस गाम स टहलि एलाह दर्शक

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि