• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सामाजिक आ सांस्‍कृतिक मूल्‍य प्रवासी मजदूरक सबस पैघ ताकत : जयराम

November 29, 2018
in समाचार
A A
30
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह स्मृति व्याख्यानमाला

ईशनाथ झा
दरभंगा । प्रसिद्ध समाजशास्त्री डॉ एन जयराम कहला अछि जे मजदूर जखन पलायन करैत अछि त अपना संग अपन संस्‍कृति सेहो ल जाइत अछि, जेकर सबस पैघ प्रमाण त्रिनिनाद अछि जाहि ठाम भारतीय मजदूर अपन सामाजिक आ सांस्‍कृतिक मूल्‍यक स्‍थापना केलक आ आइ ओ सबस मजबूत सामाजिक आ सांस्‍कृतिक समूह अछि।
श्री राम महाराजाधिराज कामेश्वर सिंहक १११म जयंती पर आयोजित महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह स्मृति व्याख्यानमालाक तहत त्रिनिदाद-टोबैगो मे गिरमिटिया मजदूर विषय पर व्‍याख्‍यान द रहल छलाह। अपन विद्वतापूर्ण, विशद् आ व्यापक व्याख्यानमे डॉ जयराम डेढ़ सौ साल मे बिहार आ उत्तर प्रदेश क गिरमिटिया मजदूरक पलायनक कारण विवशता पर गंभीरता पूर्वक अपन विचार रखलनि। संगहि हुनक मंतव्यमे ई मजदूर लोकनि कोना अपन सभ्यता-संस्कृति, रीति-रिवाज, खान-पान, पहिरन-ओढ़न, भाषा-बोली आदिकें बचाकें रखबाक संघर्ष कयलनि आ मजदूरी करबाक अपन नियतिकें दुतकारैत सत्ताक शीर्ष पर पहुँचलाह, तकर विवरण प्रभावशाली ढंग सँ रखलनि।
महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह कल्याणी फाउंडेशन, कल्याणी निवास, दरभंगाक तत्वावधान मे आयोजित भेल एहि समारोह क अध्यक्षता केलनि मिथिलाक लब्धप्रतिष्ठ अर्थशास्त्री डॉ डी एम दिवाकर ( पूर्व निदेशक, ए एन सिन्हा इंस्टीट्यूट ऑफ सोसल साइंसेस, पटना)। महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह कल्याणी फाउंडेशनक मुख्‍य न्‍यासी आ प्रसिद्ध वैज्ञानिक पद्मश्री डॉ मानस बिहारी वर्माक कुशल संचालन मे कार्यक्रमक प्रारंभ भेल मिथिलाक गौरवगान “जय-जय भैरवि असुर भयाओनि ….” क सुमधुर गायन सँ। तत्पशचात् महाराजाधिराज सर कामेश्वर सिंहक चित्र पर आगत अतिथि एवं उपस्थित विद्वत्जनक द्वारा श्रद्धांजलिस्वरूप पुष्पमाल्य चढ़ाओल गेल।
एकर बाद “आइने-तिरहुत” नामक पुस्तकक लोकार्पण कयल गेल। ध्यातव्य अछि जे ई पोथी मूल रूप संँ उर्दूमे लिखल गेल अछि जे तिरहुत राजक समयक सिंहावलोकन करबाक अद्भुत क्षमता प्रदर्शित करैत अछि। नवीन कलेवरक संग आयल ई पोथी मूल उर्दूक संग हिन्दी आ अंग्रेजी मे अनुवाद सेहो प्रस्तुत करैत अछि जे एकर आकर्षणकें बढ़बैत अछि। डॉ सुलेमान मंजर साहब, जे एकर हिन्दी अनुवादक छथि, एहि पोथीक विषयमे विशद् वर्णन केलथि आ जनतब देलनि जे ई पोथी मिथिलाक तत्कालीन सामाजिक, सांस्कृतिक आ आर्थिक व्यवस्थाक इतिहासक महत्वपूर्ण दस्तावेज थिक जकर अध्ययन समस्त मिथिलावासीक संग-संग इतिहासमे रुचि रखनिहार सब लोककें करबाक चाही।
कार्यक्रमक अध्यक्ष डॉ डी एम दिवाकर अपन संक्षिप्त वक्तव्यमे अही श्रृंखला कें आगू बढ़बैत अपन जड़ि तकबाक प्रयास केलनि आ मिथिलावासीक संघर्षशीलताक व्याख्या केलनि।
कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय, कामेश्वरनगर, दरभंगाक पूर्व कुलपति डॉ रामचंद्र झा अपन धन्यवाद ज्ञापन विशुद्ध संस्कृत मे केलनि आ सभा समाप्तिक घोषणा भेल।
एहि अवसर पर महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह कल्याणी फाउंडेशन द्वारा प्रकाशित प्रायः सबटा पोथीक प्रदर्शन आ विक्रय सेहो कयल गेल।
प्रबुद्ध श्रोतागण सँ पण्डाल भरल छल। डॉ भीमनाथ झा, डॉ फूलचंद्र मिश्र ‘रमण’, डॉ विजय मिश्र, कर्नल मायानाथ झा, श्री शरदिंदु चौधरी, श्री अमल झा, डॉ हरनाथ ठाकुर, एवं कतिपय अन्य साहित्यकार, विद्वान, गवेषक, शोधार्थी क उपस्थितिमे ई कार्यक्रम अत्यंत सफल रहल।
संपूर्ण कार्यक्रमक पृष्ठभूमि मे डॉ श्रुतिकर झा एवं श्री पारस नाथ सिंह ठाकुरक अमूल्य श्रम आ संयोजन प्रभावकारी छल।

Tags: Bihardarbhanga
Share30TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

सांझक गाछ तर बैस गाम स टहलि एलाह दर्शक

अनाथ आ दिव्यांगक अधिकार लेल काज करनिहार डा. जयशंकर झा कए एचीभर सम्‍मान

मिथिला विकास बोर्ड लेल जुटलाह एमएसयू

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि