पटना । दरभंगा आ रोसरा मे स्थापित DOORDARSHAN रिले केंद्र के बंद करबाक आदेश जारी कयल गेल अछि। कहल जा रहल अछि जे एहि लेलप्रसार भारती सं लिखित आदेश सेहो दुनू केंद्र कें पठा देल गेल अछि। प्राप्त जानकारी अनुसार विभाग द्वारा दुनू रिले केंद्रक बिजली आ टेलिफोन काटबाक आदेश एहि बरख मार्च माह मे निर्गत कयल गेल अछि। ओमहर एहि आदेशक बाद स्थानीय लोक सभमे आक्रोश देखल जा रहल अछि। नाम नहि बतेबाक शर्त पर रिले केंद्र मे काज क रहल एकटा कर्मचारी कहलिन जे एहिठाम विगत 26 मार्च कें एनालॉग सिस्टम बंद क देल गेल अछि। डिजिटलाइजेशनक काम जारी अछि। एकरा बाद अन्य कोनो ठाम सं रिले कयल जायत। एहि कारण दरभंगा आ रोसरा सेंटर कें बंद करबाक आदेश देल गेल अछि। हुनका अनुसारे प्रसार भारती द्वारा प्रति मास 7000 रुपए रेंट देल जा रहल अछि जे विभागक अनुसार बेसी अछि। ओ कहलनि जे हुनका लोकनि कें आदेश देल गेल छनि जे केंद्र मे स्थित सभ समान कें पैक करबाक बाद धनबाद पठेबा लेल आदेश देल गेल अछि। दोसर दिस मैथिली फ़िल्म अकादमी द्वारा बैठक केर आयोजन करबाक बाद एहि मामला मे आक्रोश व्यक्त कयल गेल। संगहि कहल गेल जे दरभंगासं केंद्र सरकार द्वारा दरभंगा दूरदर्शन रिले केंद्र कें बंद करबा लेल साजिश क रहल अछि। अकादमीक एकटा प्रतिनिधि मंडल एहि बीच दरभंगाक सांसद कीर्ति आजाद सं भेट केलक आ एहि मामला मे हस्तक्षेप करबा लेल आग्रह केलक। सांसद कहलिन जे ओ एहि मामला मे भरिसक प्रयास करता। मुदा वर्तमान केंद्र सरकार व्यवहार से लागि रहल अछि जे मोदी सरकार एक केर बाद एक मिथिला विरोधी कार्य क रहल अछि। ओ लोकिन मांग केलनि जे डीडी मिथिला नामसं चैनल खोलल जाय।