• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बाढि़ स परेशान मिथिला मे सेहो पहुंचत ‘डे जीरो ‘ पर जलस्तर

April 15, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
पूर्व चेतावनी उपग्रह प्रणाली बनेनिहार डेवलपर्स क कहब अछि जे भारत मे जल संकट ‘डे जीरो’ तक पहुंच जायत। यानी नाला तक सूखा जायत।  अंग्रेजी अखबार ‘गार्जियन’ क रिपोर्ट अनुसार उपग्रह स प्राप्त संकेत क आधार पर पूर्वानुमान बतेनिहार क कहब अछि जे जलाशय सिकुड़बा स जल स्तर तेजी स नीचा जा रहल अछि आ ओकरा रोकबा लेल कोनो तरहक प्रयास नहि भ रहल अछि। 
समदिया
लंदन । समुद्र जखन लंका जेबा लेल रास्ता नहि द रहल छल त राम बाण स समुद्र सुखेबाक फैसला केलथि। समुद्र प्रकट भ राम स आग्रह केलथि जे हुनका सुखेबाक प्रण छोडि दथि ओ सेतु निर्माण लेल बाट सुझेलथि। राम लग समस्या ढार भेल जे आब बाण कए वापस कोना लेब। समुद्र फेर हाथ जोडि कहला जे हे प्रभु पश्चिम कात सदूर इलाका मे लोक सब जल संग दुव्र्यवहार क रहल अछि एहि बाण कए ओहि ठाम पढाउल जाये। दुनियाक सबस पैघ रेगिस्तान क चर्च रामायण मे किछु एहिना वर्णित अछि । कहबाक मतलब इ जे जलक सम्मान जाहि ठाम नहि होएत । जलक चिंता जाहि समाज मे नहि होएत ओहि समाज मे जलसंकट निश्चित अछि ।
अयोध्या प्रसाद बहार अपन पुस्तक रियाज ए तिरहुत मे लिखने छथि जे तिरहुतक इलाका अकाल ग्रस्त रहल अछि। एहनो समय आयल जखन भूख मिटेबा लेल लोक अपन संतान तक कए पका खा लेने छल । हालांकि ओहन पापी कए मौतक सजा देल गेल, मुदा स्थितिक आकलन एहि एक घटना मात्र स कैल जा सकैत अछि । 19वीं शताब्दीक बाद तिरहुत मे अकाल नहि आयल । एहि लेल पिछला चारि सौ सालक प्रयास उल्लेखनीय रहल । 1873 क बाद भीषण अकालक कोनो इतिहास नहि अछि । नदी स धार निकाली बसावट तक अनवाक प्रयास जे पिछला चारि सौ साल मे भेल तेकर परिणाम 19वीं शताब्दीक अंत मे आबि कए भेटल । नरेंद्र सिंह क पग पग पोखरि माछ मखनक नीति स जे डेग डेग पर पोखरि खुनल गेल ताहि स भूमिगत जल क स्तर नहि केवल ऊपर उठल बल्कि स्थिर सेहो रहल । कोसी आ कमलाक बीच त भूमिगत जल महज चारि फुट नीचा तक आबि गेल। 20वीं शताब्दी मे जल संकट मिथिला लेल अधिकता ल लेलक । बाढि मे सब उलझि गेल । जल संचय लेल लापरवाह भ गेल । नदी बथम आ धार सूखा गेल। पोखरि त गायब होइत गेल । भूमिगत जल स्तर महज 75 साल मे 45 फुट स बेची नीचा जा चुकल अछि । स्थिति स सब बेफ्रिक छी मुदा जलस्तर पर काज करनिहार लोग चित्कार क रहल छथि । इ स्थिति मिथिला टा मे नहि बल्कि पूरा भारत मे देखा रहल अछि । जल संकट पर वैज्ञानिक गंभीर चेतावनी जारी केलथि अछि ।
उपग्रह प्रणाली क अध्ययन पर आधारित एकटा रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे मिथिला समेत पूरा भारत बहुत जल्द भारी जलसंकट स घेरा रहल अछि ।  रिपोर्ट क अनुसार सिकुड़ैते जलाशय क कारण जल संकट गहिर भ रहल अछि । दुनिया क 500,000 बांध लेल पूर्व चेतावनी उपग्रह प्रणाली बनेनिहार डेवलपर्स क कहब अछि जे भारत मे जल संकट ‘डे जीरो’ तक पहुंच जायत । यानी नाला तक सूखा जायत।
अंग्रेजी अखबार ‘गार्जियन’ क रिपोर्ट अनुसार उपग्रह स प्राप्त संकेत क आधार पर पूर्वानुमान बतेनिहार क कहब अछि जे जलाशय सिकुड़बा स जल स्तर तेजी स नीचा जा रहल अछि आ ओकरा रोकबा लेल कोनो तरहक प्रयास नहि भ रहल अछि । वर्ल्‍ड रिसोर्सेस इंस्टीट्यूट (डब्ल्यूआरआई) क अनुसार बढ़ैत मांग, कुप्रबंधन आ जलवायु परिवर्तन क कारण मिथिला समेत कैक इलाका मे पैघ अकाल क आशंका उत्पन्न भ चुकल अछि । एहि रिपोर्ट मे साफ साफ लिखल गेल अछि जे पिछला साल कम बर्षा क वजह स मध्य प्रदेश क बांध इंदिरा सागर क ऊपरी हिस्सा मे जल अपन सबस नीचा पहुंच गेल । एकर भरपाई लेल सरदार सरोवर जलाशय स जल लेल गेल।
जल संकट क एकमात्र कारण इ नहि अछि जे वर्षा कम भेल इजराइल सन देश मे जतय वर्षा क औसत 25 सेमी स कम अछि ओतहु जीवन चलि रहल अछि । ओहि ठाम जल क एक बूंद व्यर्थ नहि कैल जाइत अछि। भारत मे मात्र 15 प्रतिशत जल क उपयोग भ रहल अछि, शेष जल बहा देल जा रहल अछि। जल संचय लेल कियो गंभीर नहि अछि। जाहि जलक आइ प्यास नहि अछि काल्हि प्यास लेल इ जल कोना भेटत तेकर चिंता ककरो नहि अछि।
Tags: Day ZeroJal Sankatmithilawater

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

50 स बेसी बेर रक्तदान क चुकला अछि प्रशांत, अभिजीत सेहो 28बेर क चुकल छथि महादान

सीतामढी स जनकपुर लेल बनत नव सडक, पर्यटक कए होएत सुविधा

दरभंगा मे 3 जून कए होएत मिस एंड मिसेज मिथिलाक ग्रांड फिनाले

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि