• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

शिक्षा दान सर्वोत्तम सेवा-पूजा : विधायक

August 27, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
विनीत ठाकुर
दरभंगा। संस्कृत विश्वविद्यालय क ऐतिहासिक दरबार हॉल मे संस्कृत सप्ताह समारोह क अवसर पर बेनीपुर क विधायक श्री सुनील कुमार चौधरी बजलाह जे शिक्षा दान सर्वोत्तम सेवा थिक। संभव अछि जे एहि सेवा मे मनोनुकूल अर्थोपार्जनक संभावना नहि हो परंतु आत्मसंतुष्टि अवश्य भेटैत छैक।शिक्षाक एहन दानवीर पर भगवानो  कृपा करैत छथि। मिथिलांचल केँ ज्ञान वितरण केंद्र कहैत माननीय विधायक कहलनि जे भाषे से कोनो संस्था, संस्थान क परिचय भेटैत अछि तेँ संस्कृत जतेक विकसित होयत ,हमर सबहक संस्कृति ओतवे प्रखर आ मजगूत होयत। श्री चौधरी विशिष्ट अतिथि क रूपेँ अपन विचार व्यक्त कयल।
श्री चौधरी जनौलनि जे शिक्षक क स्थान समाज मे सर्वोपरि अछि। इतिहास प्रमाण दैछ जे जखन कखनौ आर्थिक, सामाजिक, राजनीतिक आ संस्थागत संकट आ समस्या उत्पन्न होइछ, शिक्षक क भूमिका सबसँ बेशी बढ़ि जायत छैन्हि।  तेजी सँ होइत सांस्कृतिक क्षरण पर चिंता व्यक्त करैत ओ गुरूवर, प्राध्यापक संँ उचित रास्ता देखाए एहि माया जाल सँ बाहर निकालवा हेतु निवेदन कयलनि।ओ स्पष्ट रूपेँ स्वीकार कयलनि जे देववाणी संस्कृत केँ एक वर्ग विशेष के भाषा कहि एकर क्षेत्र  सीमित कैल गेल अछि।ओ क्षोभ व्यक्त कयलनि जे एहि क्षेत्र में कार्यरत शिक्षक सब केँ उचित सम्मान आ वेतन नहि भेट रहल अछि। ओ संस्कृत क उत्थान हेतु सब संभव सहायता देबाक आश्वासन देलन्हि। ओ जनौलनि जे इतिहास क छात्र रहलाक कारणे भूतकाल सँ सीख लय वर्तमान केँ सुंदर बनेबा क प्रयास करैत छथि। मिथिलांचल के पुत्र छथि आ जे बजैत छथि से करितो छथि।सब स्तर पर संग देबाक लेल अपना केँ प्रस्तुत करैत ओ अजमेबाक आह्वान कयलनि।
समारोह केँ अध्यक्षता करैत कुलपति श्री सर्वनारायण झा कहलनि जे आई संकल्प क दिन अछि। विशेष रूपेँ गवेषक, शिक्षक,छात्र संकल्पित भय संस्कृत आ संस्कृति क जीवंतता हेतु काज करबा लेल संकल्पित होथु। एहि क्षेत्र मे अनेको संभावना अछि जकरा मात्र चमकेबाक प्रयोजन अछि। कुलपति नवागंतुक शिक्षक क मध्य ‘ ग्रहस्पष्टीकरण’ विषय पर सफल शास्त्रार्थ पर हर्ष व्यक्त कयलनि आ श्लोक वाचन करैत कहलनि जे बच्चो सब कुशल विद्वान भय  सकैछ।ओ नियमित रूपेँ शास्त्रार्थ क आवश्यकता जनौलनि।
ध्यातब्य अछि जे आजुक शास्त्रार्थी छलाह उत्तर पक्ष सँ वरुण कुमार झा आ पूर्व पार्षद सँ विकास। दुनू ज्योतिष क शिक्षक थिकाह।  एहि अवसर पर उपकुलपति प्रो. चंदेश्वर प्रसाद सिंह कहलनि जे संस्कृत केँ मात्र पूजा पाठ आ कर्मकांड क भाषा बूझब आजुक समय मे भयंकर गलती होयत। संस्कृत देववाणी क संगहिं विज्ञान क भाषा थिक। ओ संस्कृत अनुरागी सब सँ संस्कृत भाषा केँ विज्ञान सँ जोड़बाक अपील कयलनि आ कहलनि जे एहि सँ संस्कृत भाषा व्यापक होयत। ओ कहलनि जे प्रसन्नताक विषय अछि जे कुलपति एहि लेल प्रयासरत छथि आ छात्र क संगहिं गवेषक लोकनि केँ उत्साहितो कय रहल छथि। ओ कहलनि जे विदेश मे संस्कृत शिक्षा लेल आश्चर्यजनक उत्साह देखल जाए रहल अछि।हमरो सब केँ संकल्पित भय किछु नव काज करय  पड़त, तखनहिं संस्कृत समृद्ध होयत आ जनमानस में बैसल गलत अवधारणा निर्मूल होयत।
पी आर ओ निशिकान्त जनौलनि जे प्रो. शशिनाथ झा क संचालन मे संपादित एहि कार्यक्रम मे सर्वप्रथम भगवती सरस्वती क चित्र पर माल्यार्पण पश्र्चात वरुण कुमार झा आ अखिलेश मिश्र द्वारा मंगलाचरण प्रस्तुत कयल गेल। निशा, अनुपम, राखी, गुड्डी, वीणा,राजन,रंजय,चंदन, दीपक, पंकज, श्यामानंद आ भवेश सम्मिलित स्वर मे कुलगीत गौलनी। स्वागत भाषण डॉ विद्येश्वर झा कयलनि आ धन्यवाद ज्ञापन शिवकांत झा कयलनि।
दोसर सत्र मे क्विज क आयोजन भेल। संयोजक प्रो. श्रीपति त्रिपाठी, प्रो सुरेश्वर झा, प्रो चौठी सदाय, डॉ दिलीप कुमार झा, डॉ हरेंद्र किशोर झा, डॉ विनय कुमार मिश्र, डॉ पुरेन्द्र वारिक , डॉ दयानाथ झा, डॉ रामप्रवेश पासवान, डॉ सत्यवान कुमार, डॉ शैलेन्द्र मोहन झा, डॉ तेज नारायण झा समेत सब कर्मी उपस्थित छलाह। तकनीकी व्यवस्था सूचना वैज्ञानिक नरोत्तम मिश्रा क संग पवन सहनीआ  सतीश कुमार कयलनि।
संस्कृत सप्ताह दिवसक अवसर पर विश्वविद्यालय क दरबार हॉल मे संस्कृत क तीन विद्वान, क्रमशः ऊजान, धर्मपुर निवासी साहित्य पुरौधा, महाकवि आचार्य श्री राम जी ठाकुर, सरिसब पाही निवासी आचार्य शशिशेखर झा आ ककरौल निवासी ज्योतिषाचार्य देवानंद झा केँ सम्मानित कयल गेल। विद्वतजन अपन अपन अनुभव आ विचार सँ सभा केँ अवगत करौलन्हि।
Tags: darbhangaKameshwar Singh Sanskrit UniversitySanskrit

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

१२ वर्ष से कम उम्र क बालिका संग बलात्कर केनिहार केँ मृत्यु दंड क प्रावधान, राष्ट्रपति देलैन स्वीकृति

बिहार मे पॉलिथीन पर लागत प्रतिबंध

देश में पहिल बेर जैव ईंधन सँ उड़ल विमान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि