नई दिल्ली । देशक कोनो गाम आब बिजली क पहुंच सँ अछूता नहिं अछि । मणिपुर क सेनापति जिलाक लीसांग ओ आखिरी गाम छल जतय एखन धरि बिजली नहीं पहुंचल छल मुदा शनिक साँझ पांच बजे एहि गाम कए सेहो नेशनल पावर ग्रिड सँ जोड़ि देल गेल ।
केंद्र सरकार क महत्वाकांक्षी “दीन दयाल उपाध्याय ग्राम ज्योति योजना” क तहत आजादी क 70 साल बादो बिजली कनेक्शन सँ महरूम रहल गाम सबमे बिजली पहुंचेनाई छल । केंद्र सरकारक आंकड़ा क मोताबिक देशक सब पांच लाख 97 हजार 464 गाम मे आब बिजली पहुंचि चुकल अछि । स्वयं प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी लीसांग गाम मे बिजली पहुंचेबाक खबर शेयर कए ट्वीट केलथि जे ई खबर हर भारतीय लेल गर्व आओर प्रसन्नता सँ भरि देत ।
एहिक बाद पीएम दू टा आर ट्वीट केलथि । एकटा ट्वीट मे ओ लिखलथि जे “हम ओहि सभ लोग सभकए सलाम करैत छी जे सब जमीन पर अथक परिश्रम केलथि । एहिमे अधिकारी क टीम, तकनीकी स्टाफ आ आन लोग शामिल छथि आ ओ सब मिलकय पावरफुल इंडियाक सपना कए हकीकत मे बदललथि । अजुका ई कोशिश सब आबयवला पीढ़ी धरि मददगार साबित होयत । पीएम अपन मन क बात में सेहो एहि उपलब्धि के चर्चा कयलथि ।
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, 15 अगस्त 2015 कए लाल किला क प्राचीर सँ एक हजार दिन क भीतर ओहि सब 18 हजार गाम सबमें बिजली पहुंचेबाक ऐलान केने छलथि, जतय आजादी क 7 दशक बादो धरि बिजली नहीं पहुंच सकल छल । समय सीमा पूरा होबय सँ 12 दिन पहिने शनि दिन ई लक्ष्य हासिल कए लेल गेल । प्रधानमंत्री एहि काज कए पूरा करबाक लेल 1000 दिन का समय देने छलथि जे 10 मई कए पूरा होएत । सरकार क अगिला लक्ष्य आब मार्च, 2019 धरि हर घर कए बिजली देबाक अछि ।