मणिभूषण राजू
भागलपुर । रवि दिन भागलपुर मे एकटा बड़का हादसा भए गेल। नवगछिया थाना क्षेत्र क रामनगर बिंदटोलीक समीप साझखन कोसी नदी मे नाव डूबला क बाद आठ गोटे लापता छथि। छोट सन नाव पर 15 लोग सवार छलथि। एहि में सँ सात लोक क ग्रामीण सब सुरक्षित बचा लेलथि।
जानकारी क अनुसार, नौका पर सवार लोग पूर्णिया जिलाक मोहनपुर ओपी क्षेत्र स्थित टोपिया बिंदटोली स विवाह समारोह मे शामिल भ लौट रहल छलाह। बिंदटोली निवासी भिखारी महतो क 27 अप्रैल कए विवाह छल, जहि मे भाग लेबय लेल नवगछिया क रामनगर बिंदटोली सँ हुनकर परिवार सब पहुंचल छलथि।
विवाह मुंगेर जिलाक चंडी स्थान मे भेल छल। ओतय सँ परिवार क लोक 28 अप्रैल कए टोपिया बिंदटोली लौटलथि। 29 अप्रैल कए साझा ओतय स सब गोटे रामनगर बिंदटोली वापस आबि रहल छलथि। संगहि दूल्हा भिखारी महतो सेहो छलथि। ई सब गोटे माछ पकडय़ वाला एकटा छोट नाव पर सवार छलथि।
गांव क नजदीक अचानक नौका अनियंत्रित भ पलट गेल आ सब लोक नदी मे डूबि गेला। आसपास क ग्रामीण सब सात गोटे कए नदी सँ सुरक्षित निकाल लेलथि। लापता लोक सबमें लक्ष्मण महतो, राजू, सोनी कुमारी, खुशबू कुमारी, निलेश कुमार, गुंजा कुमारी आ रीता कुमारी सहित एक अन्य शामिल छथि।
हादसा मे भिखारी महतो, अमृत कुमार, सीता देवी, विद्या देवी, अंकुश कुमार सहित दू अन्य कए बचा लेल गेल। एहि सब गोटे कए इलाज लेल नवगछिया अनुमंडलीय अस्पताल मे भर्ती करायल गेल अछि। घटना क सूचना पर पुलिस आ एसडीआरएफ क टीम घटनास्थल पहुंच गेल अछि। लापता लोग क खोज जारी अछि। एहि घटना सँ पूरा इलाका मे कोहराम मचि गेल अछि।