• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एक चार्ज में लगातार 365 दिन तक घरक निगरानी करत ई सिक्योरिटी कैमरा

April 24, 2018
in तकनीक, समाचार
A A

अजय धारी सिंह

नई दिल्‍ली । अहाँक घर क सिक्योरिटी लेल एक टा एहेन सिक्योरिटी कैमरा बनाओल गेल अछि जे एक बेर फूल चार्ज केला क बाद लगातार 365 दिन तक घरक निगरानी करत । एहि मे खास तौर पर तैयार कैल गेल ली-आयन बैटरी लागल छै जे एक साल तक बैटरी बैकअप देबा मे सक्षम अछि ।

एहि कैमरा कए वाशिंगटन मे स्थित कैमरा निर्माता कंपनी यूफ़ी सिक्योरिटी (Eufy Security) दिस स तैयार कएल गेल अछि । यूफ़ी एवरकैम (Eufy EverCam) नामक ई सिक्योरिटी कैमरा सँ 1080 पिक्सल्स क एचडी वीडियो रिकॉर्ड होएत। जेकरा अहाँ घर मे लागल हब मे स्टोर क सकैत छी आ लगातार उपयोग लेल कंपनी क्लाउड स्टोरेज क विकल्प सेहो देने अछि ।

एहि कैमरा क एकटा आार खासियत अछि जे ई बिजली गेलाक बादो बिना रुकल वीडियो कए रिकॉर्ड करैत रहत। एकर हब मे 5,200 एमएएच क बैटरी लागल अछि जे बिजली गेला क बाद स्टोरेज हब कए बैकअप दैत अछि । कंपनी क दावा अछि जे जों अहाँक घर मे 7 दिन तक बिजली नई रहला पर सेहो रिकॉर्डिंग बंद नहि करत ।

क्विकचार्ज 3.0 टेक्नोलॉजी क सपोर्ट:
यूफ़ी एवरकैम (Eufy EverCam) मे क्विकचार्ज 3.0 टेक्नोलॉजी क सपोर्ट देल गेल अछि जे एक सालक बादो मात्र 3 घंटा मे एकरा फुल चार्ज करबा मे मदद करत । एकरा आसानी से इनस्टॉल कैल जा सकैत अछि आ एकर उपयोग केनाई सेहो बड्ड आसान छै । एहि कैमरा क 100% वाटरप्रूफ बनाउल गेल अछि । कंपनी कैमरा लेल एक टा मैग्नेटिक माउंट तैयार केलक जेकरा ऊपर एकरा आसानी सँ लगा क’ उपयोग कैल जा सकैत अईछ ।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

एहि तरह सँ काज करैत अईछ कैमरा:

ई सिक्योरिटी कैमरा अहाँक घर क अंदर लागल बेस हब मे डाटा कए आसानी से वायरलेसली Wi-Fi दिस ट्रांसमिट करत । वीडियो कए स्टोर करबाक लेल एहि हब मे कंपनी 16 जीबी क माइक्रो एसडी कार्ड पहिने सँ देत जेकरा 128 जीबी तक बढ़ाओल जा सकैत अछि । आ अगर अहाँ एक साल तक लगातार वीडियो कए रिकॉर्ड क कए रखय चाहैत छी त अहाँक 2.99 डॉलर(करीब 200 टका) प्रति महीना खर्च कए क क्लाउड स्टोरेज खरीद परत । जेकर बाद अहाँ यूफ़ी एवरकैम आईओएस(Eufy EverCam iOS) आ एंड्राइड एप्प पर सेहो वीडियोज कए चेक क सकैत छी ।

घर मे घुसपैठ केला पर बाजत अलार्म:
यूफ़ी एवरकैम (Eufy EverCam) मे मोशन डिटेक्टर लागल छै जे केकरो सामने से गुजरला पर आर्टिफीशियल इंटिलिजैंन्स आ फेस रिकॉगनिशन फीचर सँ ई कैमरा ई पता करैत अछि जे आगन्तुक रेगुलर छैथ आकि नहि । आ जों नहि त ई कैमरा हब कए सिग्नल दैत छै आ ओकर बाद हब में लागल 3 वॉट क स्पीकर सँ 100 डीबी तक के अलार्म बाजए लागत।

ऑडियो रिकॉर्डिंग:
एहि कैमरा मे 140 डिग्री पर काज करय वला एफ 2.2 लेंस लागल अछि । ई कैमरा दुनु दिस क आवाज कए रिकॉर्ड करैत अछि जे आवाज सँ इ पता लगबै मे मदद करत की कोन दिस क खिड़की वा दरवाजा खुजल छै।

वॉटरप्रूफ अछि ई कैमरा:
एहि कैमरा क वॉटरप्रूफ बनाओल गेल अछि अर्थात ई कैमरा आईपी66 (IP66) सर्टिफाइड अछि । अहाँ बरसातक समय मे सेहो बिना कोनो चिंताक ई कैमरा क उपयोग क सकैत छी । एकर अलावा राइत बा अन्हार मे रिकॉर्डिंग लेल नाईट विज़न मोड सेहो देल गेल अछि। कंपनी दिस कहल गेल अछि जे एकरा खास तौर पर पाहुन घर (लिविंग रूम), बाड़ी(बैकयार्ड), मुख्य द्वार(एंट्रेन्स) पर लगेबाक लेल तैयार कैल गेल अछि । उम्मीद कैल जा रहल अछि जे लगभग 21,000/-(329/-डॉलर) के ई कैमरा सितंबर 2018 तक बिक्री लेल उपलब्ध भ जाएत ।

Tags: CameraEufy Camera

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

100 अरब डॉलर क पूंजी बला पहिल भारतीय कंपनी बनल टीसीएस

महिला सशक्तीकरणक प्रतीक छथि सीता : नीतीश

मैथिल विजय लेल कैल गेल जानकी नवमी दिन मिथिलाक बेटीक बहिष्कार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि