पटना । भारत क फुटवेयर इतिहास मे बिहार खास क दरभंगा क उल्लेख अनिवार्य रूप स अबैत अछि। खुशी क गप अछि जे बिहारक पहिल फुटवेयर डिजाइनिंग डेवलपमेंट इंस्टीच्यूट (एफडीडीआई) बिहटाक अमहरा मे तैयार भ गेल। एहि ठाम 22 अगस्त स पढाई शुरु भ जायत। करीब दस एकड मे पसरल परिसर मे 750 टा छात्र-छात्रा लेल छात्रावसक सेहो व्यवस्था कैल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे देश मे एखन कुल ठाम एफडीडीआइ स्थापित अछि। बिहटा एहि नौअम संस्थान मे सेहो विश्व स्तरीय प्रशिक्षण क व्यवस्था क दावा कैल जा रहल अछि। केंद्रीय वाणिज्य एंव उद्योग मंत्रालय, भारत सरकार एहि संस्थानक स्थापना केलक अछि। एकर घोषणा दू वर्ष पूर्व कैल गेल छल। एहि ठाम फुटवेयर डिजाइनिंग आ रिटेल मार्केंटिग क पढाई होएत। पहिल सत्र मे 30 गोट छात्र-छात्राक नामांकन होएत। परिसर क अधीक्षक राजीव कुमार मिश्र कहला अछि जे अगिला साल स पीजी स्तरक पढाई शुरु होएत। संस्थान मे नामांकन लेल 30 जुलाई तक पंजीयन होएत। देश मे एक संग अगस्त मे परीक्षा आयोजित होएत, जाहि मे सफल परीक्षार्थि कए एहि अन्य आठ ठाम क एफडीडीआइ संग एहि ठाम सेहो नामांकन संभव होएत।