पटना । रवि दिन अधिया राति बेंगलुरू से उड़ि के12-40बजे इंडिगो विमान पटना एयरपोर्ट पर उतरल। विमान क आगमन पर एयरपोर्ट क फायर टीम दिश सँ रनवे पर एहि फ्लाइट के वाटर सैल्यूट देल गेल। ई विमान पहिले दिन 55 मिनट देरी से पटना पहुँचल। विमान वेंगलुरूए सँ44 मिनट देरी से उड़ान भरने छल।
26 मार्च से पटना एयरपोर्ट पर 24 घंटा विमान सेवा शुरू भेलाक वावजूद एखन तक मध्य राति मे मात्र पूणे क लेल फ्लाईट उप्लब्ध छल परंतु रवि दिन से पटना एयरपोर्ट पर रात्रि सेवा वला ई दोसर विमान सेवा क शुरूआत भेल अछि। एयरपोर्ट निदेशक राजेन्द्र सिंह लाहोरिया, सि आई ,एस एफ कमांडेंट विशाल दुबे आ अन्य अधिकारी क उपस्थिति मे विमान के पटना एयरपोर्ट पर उतारल गेल।
पटना -वेंगलुरू रात्रि सेवा पर यात्री सब प्रसन्नता व्यक्त कयल। पटना एयरपोर्ट पर एकर तकनीकी जाँचोपरान्त भिन्सर 4-10 बजे बेंगलुरू लेल रवाना करबाक तैयारी चलैत रहल। पहिल दिन अपेक्षाकृत कम यात्री बुकिंग करौलन्हि। आटो आ कैब लेल यात्री परेशान छलाह । विमान क आगमन क पश्चात यात्री सभ आटो आ कैब लेल बेली रोड पर परेशान छलाह। एयरपोर्ट परिसर मे कैब क कमी क कारणे यात्री कै परेशानी भेलन्हि। एहि कारणे आटो बाला सब मनमाना किराया लेलाह। भिन्सर 4-10 बजे बेंगलुरू क फ्लाइटो के लके एयरपोर्ट तक पहुँचबा मे सेहो यात्री सब के परेशानी भेलन्हि।