• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

‘’गोल्डेन फाइबर’’ भेल ‘’गोल्डेन हिस्ट्री ’’

April 2, 2015
in समाद विशेष
A A

मिथि‍ला मे एकटा कहबी अछि– ज्‍यों उपजतो पाट, त दखिह ठाठ...। सोन अर्थात जूट मिथिला क किसान लेल केवल फसल मात्र नहि रहल, अपि‍तु इ एहि ठाम क संस्कृति क हिस्सा सेहो अछि । जूट स संबंध खत्‍म भेलाहक मतलब भेल एहि ठामक संस्‍कृति स संबंध टूटब । कहियो ‘’हरियर नोट’’ आओर ‘’गोल्डेन फाइबर’’ क नाम स विख्यात बिहार क जूट आइ अपन अस्तित्‍व लेल संघर्षरत अछि । सरकार आ समाजक अवहेलना आ उदारवाद स उपजल प्लास्ट‍िक प्रेम एहि ‘’गोल्डेन फाइबर’’ कए ‘’गोल्डेन हिस्‍ट्री’’ मे बदलि देलक अछि । एकटा समय छल जखन विश्व क कुल उत्पादन क 80 फिसदी जूट क उत्पादन असगर बंगाल करैत छल । बंगाल मे जूट कारोबार जखन शुरु भेल छल तखन बिहार सेहो ओकर हिस्‍सा छल । बिहार बंगाल स अलग भेल तथापि बिहार मे जूट क रकबा कम नहि भेल । बिहार मे जूट लेल बाजार सेहो प्रयाप्‍त छल । आजादी क समय विश्‍व क 80 फिसदी जूट प्रोसेसिंग भारत क कुल 90टा जूट मिल मे होइत छल । मुदा देश क विभाजन जूट कारोबार कए प्रभावित केलक । ओना एखनो देश मे समग्र जूट मिल क संख्या 79 अछि, जाहि मे 62 टा असगर पश्च‍िम बंगाल मे, सातटा आंध्रप्रदेश मे, बिहार आ उत्तर प्रदेश मे तीन-तीन टा, असम, ओडिशा, त्रिपुरा आ छत्तीसगढ़ मे एक–एक टा जूट मिल अछि। ‘’गोल्डेन फाइबर’’ स ‘’गोल्डेन हिस्‍ट्री’’ मे बदलि गेल जूट क यात्रा पर बहुत तार्किक ढंग स प्रकाश देबाक कोशिश केलथि अछि पत्रकार सुनील कुमार झा आ कुमुद सिंह । -: समदिया

 Jute

18वीं शताब्‍दी मे पटुआ बनल जूट

कहबा लेल जूट क मिथिला मे कईटा नाम अछि, कियो सोन, त कियो एकरा पटुआ कहैत अछि। मुदा ‘जूट’ शब्द संस्कृत क ‘जटा’ वा ‘जूट’ स निकलल बुझाइत अछि । यूरोप मे 18वीं शताब्दी मे सबसे पहिने एहि शब्दक प्रयोग भेटैत अछि, यद्यपि ओहि ठाम एकर आयात 18वीं शताब्दी क पूर्व “पाट” क नाम स होइत रहल छल । 1590 मे अबुल फजल लिखल आइन-ए-अकबरी सन कईटा दस्तावेज कहैत अछि जे जूट क प्रयोग भारत मे कपडा क रूप मे सेहो खूब होइत छल । दस्‍तावेजक अनुसार भारतीय खास कए मिथिला आ बंगाल मे सफेद जूट स बनल वस्त्र क प्रयोग बहुतायात मे होइत छल । 17वीं शताब्दी मे जखन अंग्रेज भारत आयल, तखन ईस्‍ट इंडिया कंपनी जूट क पहिल वितरक बनल आ एकर निर्यात पैघ पैमाना पर शुरु भेल । एहि स पहिने भारत मे जूट क उत्पादन केवल घरेलू उपयोग लेल होइत छल । 18वीं शताब्दी क प्रारंभ मे कंपनी स्कॉटलैंड क डूडी मे अपन पहिल कारखाना लगेलक । एकर संगहि भारतीय जूट कए स्कॉटलैंड क डूडी पठेबा लेल कलकत्ता क हुगली तट पर बंदरगाह बनाउल गेल । कच्‍चा माल आ सस्‍ता मजदूर दूनू भारत मे उपलब्‍ध छल, एहन मे मिस्टर जॉर्ज ऑकलैड डूडी नामक स्कॉटलैंड क जूट कारोबारी कए बुझायल जे स्कॉटलैंड मे जूट कारखाना महग धंधा अछि । कंपनी 1855 मे हुगली नदी क तट पर रिशरा मे पहिल जूट मिल खोललक । चारि साल बाद मिस्टर जॉर्ज ऑकलैड क देखा-देखी पॉंचटा आओर नव मिल शुरु भ गेल । 1910 तक एकर संख्या 38 भ गेल । 1880 स पहिने तक पूरा विश्व जूट लेल कलकत्ता आ डुंडी पर निर्भर रहैत छल, मुदा 1880 क बाद जूट फ्रांस, अमेरिका, जमर्नी, बेल्जीयम, इटली, रूस आ आस्ट्रीया तक पहुंच गेल । एहि दौरान भारत क जूट उद्योग सेहो खूब विस्‍तार पौलक । 1930 में दरभंगा महाराज कामेश्‍वर सिंह कालकाता क संग संग समस्तीपुर क मुक्‍तापुर मे सेहो एकटा जूट मिल खोललथि त 1934 मे कोलकाताक तीनटा कारोबारी संयुक्‍त रूप स कटिहार जूट मिलक स्‍थापना केलथि । रायबहादुर हरदत राय सेहो 1935 में कटिहार मे जूट कारखाना लगौलथि । कटिहार आ समस्‍तीपुर मे मुख्‍य रूप स बोरा निर्माण होइत छल । हाल क दशक मे कटिहार क दूनू मिल बंद भ चुकल अछि, ओना पूर्णिया मे एहि मिल क दूटा इकाई एखनो चालू अछि, जाहि मे स एकटा मे बोरा त दोसर मे कपडा बनेबाक काज भ रहल अछि ।

 1930 मे रामेश्वर जूट मिल स राखल गेल आधारशिला

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बिहार मे जूट कारखाना क आधारशिला रखनिहार दरभंगा महाराज कामेश्‍वर सिंह छलाह । 1930 मे कामेश्‍वर सिंह विन्सम इंटरनेशनल लिमिटेड नामक कंपनी क अंतर्गत कलकत्‍ता क संग संग समस्तीपुर जिला क मुक्तापुर मे सेहो रामेश्वर जूट मिल क स्‍थापना केलथि । तकरीबन 69 एक़ड जमीन पर स्थापित एहि औद्योगिक इकाई मे स्थापना काल मे करीब 5 हजार मजदूर आ 150 कर्मी कार्यरत छलाह । 4 सौ करघा क क्षमता वाला एहि मिल मे तीन सत्र मे कर्मी कार्य क निष्पादन करैत छल । ओ काल खंड कोसी अंचल क मजदूर आ किसान लेल स्‍वर्णकाल कहल जाइत अछि । एहि मिल क मजदूर अपन परिवार क भरण-पोषण क खुशहाली क जिन्दगी जीबैत छल । मिल कए कच्चा माल पूर्णिया, सुपौल, अररिया आ किशनगंज समेत राज्‍यक अन्य जिला क किसान उपलब्‍ध करबैत छलाह । आइ स्थिति इ भ चुकल अछि ज करीब सा़ढे नौ दशक पुरान मिल मे कार्यरत मजदूर क संख्या जतए ढाई हजार तक पहुंच गेल अछि ओतहि कर्मीक संख्या महज सवा सौ क आस-पास अछि ।

कहियो मांग पूरा करब छल मुश्किल, आइ पडल अछि माल

रामेश्‍वर जूट मिल क इतिहास कहैत अछि जे अपन सर्वाधिक उत्‍पादन क बावजूद एकटा समय छल जखन इ बाजार क मांग पूरा नहि करि पाबि सकल छल, वर्तमान मे मिल प्रबंधन लेल तैयार जूट क बोरा एकटा समस्या बनल अछि । मिल सूत्र क मानि त फिलहाल जूट मिल मे करीब 12 स 13 करोड़ टकाक तैयार बोरा गोदाम मे प़डल अछि । बाजार मे मांग नहि रहबाक कारण एकर बाजार नहि अछि । मिल क एकटा पुरान कर्मी रामवतार सिंह कहैत छथि जे एहन स्थिति रातोराति नहि भेल अछि । दरअसल 80 दशक मे सरकारी स्तर पर विदेशी कंपनी सब कए लाभ पहुंचेबाक नीति जूट मिल कए संकट कए बढा देलक । आइ सरकारी स्‍तर पर सेहो विदेशी कंपनीक प्लास्टिक बोरा क ध़डल्ले स प्रयोग भ रहल अछि । जखनकि जूट क बोरा गोदाम मे पडल अछि । देखल जाये त पिछला 30 साल मे जुट क विकल्‍प दिस बाजार तेजी स बढैत गेल आ धीरे-धीरे भारतीय बाजार जूट स अपना कए दूर करैत रहल । आइ बेशक रामेश्‍वर जूट मिल मे निर्मित बोरा क मांग नहि कए बराबर रहि गेल अछि, मुदा रामेश्वर जूट मिल निर्मित बोरा क मांग पंजाब मे सर्वाधिक होइत छल । एकर अलावा हरियाणा, उत्तराखंड आ उत्तर प्रदेश सन राज्य स सहो भारी मात्रा मे जूट क बोरा क मांग कैल जाइत छल । मिल क प्रशासनिक प्रबंधक आरके सिंह क कहब अछि जे 2012 आ 2014 मे मिल कए भारी आर्थिक क्षति भेल, जखन मिल क गोदाम मे आगि लागल आ करोड स बेसी क संपत्ति खाक भ गेल। पिछला घटना कए छोडि दी तखनो 19 अप्रैल, 2014 मे भेल दुर्घटना मे मिल कए करीब 7 स 8 करोड़ टकाक नुकसान भेल । कहियो बिहार क पटुआ स किसान आ मजदूर कए सोन क भाव देनिहार रामेश्‍वर जूट मिल आइ अपन अस्तित्व रक्षा लेल संघर्ष क रहल अछि । दू साल क अवधि मे दूटा पैघ आपदा क सामना क चुकल कारखाना अपन पुरान तेबर मे पुन: तैयार हेबाक हर संभव प्रयास क रहल अछि । मुदा प्राकृतिक आपदा क संग संग सरकारी बेरुखी एकर विकास मे वाधक बनल अछि ।

download

जूट नगरी छल कटिहार

बिहार मे तीनटा मे स दूटा जूट मिल असगर कटिहार मे अछि । एहि कारण स कहियो कटिहार कए जूट नगरी कहल जाइत छल । समस्‍तीपुर में 1930 में स्‍थापित भेल रामेश्‍वर जूट मिलक ठीक चारि साल बाद 25 जून, 1934 कए कलकत्‍ता क तीनटा कारोबारी क्रमश: बिनोद कुमार चमरिया, रामलाल जयपुरिया आओर विजय कुमार चमरिया संयुक्‍त रूप स कटिहार जूट मिल लि. क स्‍थापना केलथि । एकर कारपोरेट आइडेंटिफिकेशन नंबर (CIN) –u17125wb1934pl007999  आ पंजीयन संख्‍या 007999 छल । एहि कंपनी क कार्यालय 178, दोसर तल्‍ला, महात्‍मा गांधी रोड, कोलकाता-07, प. बंगाल दर्ज अछि । 71.07 एकड मे अवस्थित एहि कारखाना कए 30 मैट्रिक टन उत्‍पादन क्षमता छल । एहि ठाम करीब 5 हजार लोक कए रोजगार भेटल छल । एहि कारखाना कए खुजलाक एक साल बाद 1935 मे राय बहादुर हरदत राय सेहो कटिहार मे एकटा जूट मिलक स्‍थापना कलथि । जे आइ राष्ट्रीय जूट विनिर्माण लिमिटेड क उपक्रम अछि । प्रति‍दिन 17 मैट्रि‍क टन उत्पादन करनिहार एहि मिल मे करीब 1 हजार लोक कए प्रत्‍यक्ष रोजगार छल, जखन कि करीब 50 हजार किसान एहि मिल स सीधा जुडल छलाह । कहल जाइत अछि जे पाट स ठाठ देखेबाक परंपरा एहि ईलाका क किसान कए एहि दूनू मिल क देन छल । मिल बंद भेल त पाट आ ठाठ दूनू बिला गेल । आइ बेशक कटिहार क परिचय धूमिल भ गेल अछि, मुदा कटिहार मिल क उत्‍पाद क पहचान समस्‍त भारत मे छल । बोरा क संग संग एहि ठाम बनल जूट क अन्‍य उत्‍पाद क मांग देश स विदश तक मे छल । पंजाब, हरियाणा, उत्तराखंड आ उत्तर प्रदेश सन राज्य स सहो भारी मात्रा मे जूट क सामान मांग कैल जाइत छल । संगहि नेपाल एकर एकटा पैघ बाजार छल ।

जिनगी क आस मे मरि गेल कारखाना

ओना त 1947 क विभाजन एहि कारोबार कए खासा प्रभावित केलक, मुदा बिहार मे सत्‍तर स बदतर होइत गेल स्थिति । देखल जाय त देश विभाजन क फलस्वरूप जूट उत्पादन क लगभग तीन चौथाई जूट क्षेत्र पूर्वी पाकिस्तान मे चल गेल, जखन कि जूट मिल सब भारत क हुगली नदी क कछैर मे कच्‍चा माल लेल तरसैत रहल । पाकिस्तान आ भारत मे संबंध लगातार खराब होइत गेल, जाहि स जुट क संबंध कहियो जुडि नहि सकल । बिहार क जूट उद्योग कए कच्‍चा माल या बाजार क कहियो कमी नहि रहल, मुदा बंगाल मे जूट क संकट बिहार क कारखाना कए सेहो वाम आंदोलनक भेंट चढा देलक । बंगालक वाम आंदोलन आ देश क अराजक राजनीतिक हालात क कारण निजी प्रबंधन कोनो ठोस निर्णय लेबा मे असमर्थ भ गेल । कारखाना क हालत दिन ब दिन बदतर होइत गेल । तथापि न्यूनतम  मजदूरी, पेंशन,  भविष्यनिधि‍, स्वास्थ्य सुविधा मे कटौती क वामपंथी नेताक आरोप क बावजूद किसान-मजदूर मिल मे उत्पादन बढेबा लेल सक्रि‍य छल । अंतत: वामपंथी दलक दबाव मे आबि 1980 मे सरकार एकटा महत्‍वपूर्ण डेग उठेलक आ राष्‍ट्रीय जूट वि‍निर्माण नि‍गम (एनजेएमसी) लि‍मि‍टेड क स्‍थापना केलक । छहटा जूट मिलक राष्‍ट्रीयकरण क देलक । एहि मे कटि‍हार क राय बहादुर हरदत राय मि‍ल सेहो शामिल अछि । सन् 1935 मे स्थापित एहि कारखाना क 18-8-1978 कए भारत सरकार द्वारा अधिग्रिहित कैल गेल । 20-12-1980 कए कारखाना क राष्ट्रीयकरण कैल गेल । पिछला 35 साल मे सरकार कंपनी क पुनरुद्धार लेल करोडो टका खर्च केलक । पिछला दशक मे सेहो 1562.98 करोड़ क पैकेज मंजूर केलक आ 6815.06 करोड़ क ऋण बकाया आ ब्‍याज माफ केलक । एकर बावजूद सबटा छह इकाइ 6 स ल कए 9 साल स चल नहि रहल अछि । पुनर्बहाल पैकेज क तहत कटिहार मिल कए चालू करबाक छल, मुदा संभव नहि भ सकल अछि । उम्‍मीद छल जे एहि मिल कए चालू भेला स बि‍हार मे 5 हजार स बेसी लोक कए प्रत्‍यक्ष रोजगार भेटत । दस्‍तावेज क अनुसार 2004 स 2010 तक उत्पादन ठप (मिल बन्द) रहल । 2007 मे कर्मचारी क स्वेच्छा सेवा निवृति (भी.आर.एस) आ 2011 मे अधिकारी क स्वेच्छा सेवा निवृति भेल । 2010 मे कारखाना पुनर्जिवित भेल । 14-2-2011 कए कॉन्ट्रेक्टर क बहाली आ उत्पादन प्रारम्भ भेल । मुदा एहि सबहक बादो 6-7 जुलाई, 2013 क मध्य रात्रि‍ कए आरबीएचएम जूट मिल मे तालाबंदी क देल गेल । मिल स जुडल रामसेवक राय क कहब अछि जे पुरान मशीन आ एनजेएमसी क मजदूर विरोधी नीति कारण स्थि‍ति बिगडैत गेल । मील क उत्पादन क्षमता मे भारी गिरावट आयल । जतए प्रति‍दिन 16-17 मैट्रि‍क टन उत्पादन होइत छल ओतहि मुश्किल स 10 मैट्रि‍क टन भ गेल । दोसर दिस वामपंथी यूनियन क हो हल्‍ला सेहो बढैत गेल । एहि दबाव क कारण यूनिट हेड डीके सिंह पत्नी क बीमारी क बहाना बनाकए बिना सूचनाक कटिहार स विदा भ गेलाह । चारि दिन बाद मिल क प्रबंधक एसके विश्वास त्यागपत्र द कए चलैत बनलाह । लगभग एक मास तक पूरा मिल श्रम अधिकारी नवीन कुमार सिंह आ एकटा सुरक्षा प्रहरी द्वारा चलैत रहल । अंतत: मशीन क मरम्मति आ रंग-रौगन क बहाना बनाकए 6-7 जुलाई, 2013 क मध्य रात्रि‍ कए आरबीएचएम जूट मिल मे तालाबंदी क देल गेल । एहिने इतिहास कटिहार जूट मिल क सेहो अछि । कटिहार जूट मिल लि. कए बिहार राज्‍य वि‍त्‍तीय निगम 13 सितंबर, 2001 मे चलेबा मे असमर्थ भेला पर गोविंद शारदे क कंपनी सनवायो मैन्‍यूफैक्‍चर प्रा. लि. कए सौंप देलक । राज्‍य वित्‍तीय निगम क अधिनियम 1951 क तहत अंडर सेक्‍सन 29 व 30 क तहत सनवायो मैन्‍यूफैक्‍चर प्रा. लि. कए कटिहार जूट मिल लि. क 77.07 एकड जमीन बेच देलक । कंपनी क प्रबंधनक श्‍याम सुंदर बेगानी क कहब अछि जे कंपनी मांग कम रहबाक कारण घाटा में चलि रहल छल, जाहि कारण 20 मार्च, 2013 कए गोविंद शारदे अपन कटिहार जूट मिल बंद करबाक नोटिस लगा देलथि । दोसर दिस कंपनी क गोदाम मे भीषण अगलगी भेल जाहि मे हजार क्विटल क करीब जूट राख भ गेल । एहि स पूर्व सेहो एहि ठाम किछु छोट-मोट अगलगी भेल छल । कुल मिला कए मिल लेनिहार अपन पूंजी बीमा आ अन्‍य स्रोत स निकालबाक प्रयास मात्र केलथि, मिल चलेबा मे हुनकर प्रयास कम बुझायल । एकर परिणाम इ भेल जे जतए कंपनी क गेट पर ताला लागल अछि ओतहि कंपनीक जमीन पर कब्‍जा क मामला थाना तक पहुंच चुकल अछि । कारखाना स बेसी कारखाना क जमीन पर आइ बहस भ रहल अछि ।

पाट क पटरी पर विदा भेल किसान

imagesजे पटरी कहियो पाट पठेबा लेल बिछाउल गेल छल, ओ पटरी ध पाट उपजेनिहार किसान आ पाट स बोरा तैयार करनिहार मजदूर आन देस पलायन करबा लेल मजबूर भ चुकल अछि । जूट उपजनिहार हजार क संख्‍या मे किसान आ कामगार प्रति वर्ष रोजगार क तलाश मे पलायन करैत छथि। सरकारी स्तर पर जूट उपजनिहार कए कोन प्रकार क सहयोग देल जा रहल अछि एकर अंदाजा महज जूट क न्‍यूनतम समर्थन मूल्‍य देखि कए पता चलि सकैत अछि । कहियो ‘’हरियर नोट’’ आओर ‘’गोल्डेन फाइबर’’ क नाम स विख्यात जूट 1984 मे 1400 टका प्रति क्व‍िंटल छल, जखनकि 2014 मे यानि 30 साल बाद सरकार एकर न्‍यूनतम समर्थन मूल्‍य महज 1150 टका प्रति क्व‍िंटल तय केलक अछि । पिछला 30 साल मे न्‍यूनतम समर्थन मूल्‍य क एहन अवमूल्यन आन कोनो नकदी फसल मे संभवत: नहि भेटत । जूट लगेनिहार किसान क दर्द एहि स बुझि सकैत छी । उल्‍लेखनीय अछि जे भारतीय जूट नि‍गम कपड़ा मंत्रालय क तहत एकटा सार्वजनि‍क उपक्रम अछि आ इ कि‍सान लेल कच्‍चा जूट क समर्थन मूल्‍य कए लागू करेबाक काज करैत अछि । इ स्थिति तखन अछि जखन कि‍सान क हि‍त मे सब साल कच्‍चा जूट आ मेस्‍टा लेल न्‍यूनतम समर्थन मूल्‍य तय कैल जाइत अछि । वि‍भि‍न्‍न श्रेणी क मूल्‍य कए तय करबा काल नि‍म्‍न श्रेणी क जूट कए हत्‍सोसाहि‍त कैल जाइत अछि आ उच्‍च श्रेणी क जूट कए प्रोत्‍साहन देल जाइत अछि, ताकि‍ कि‍सान उच्‍च श्रेणी क जूट क उत्‍पादन लेल प्रेरि‍त होइथि ।

राष्‍ट्रीय जूट नीति‍-2005

एहन नहि जे सरकारी अधिकारी लग जूट पर कहबा लेल किछु नहि अछि । सरकारी दस्‍तावेज देख कतिपय एहन नहि बुझना जायत जे किसान क दर्द सरकार नहि बुझि पाबि रहल अछि या सरकार कए एकर भान नहि अछि । सरकारी पदाधिकारी अपन स्तर पर बहुत किछु नीति तैयार केलथि अछि मुदा बिचौलिया आ भ्रष्टाचारी क जद मे आबि इ योजना सब धरातल पर पहुंचबा स पहिने दम तोडि दैत अछि । बदलैत वैश्‍वि‍क परि‍दृश्‍य मे प्राकृति‍क रेशा क वि‍कास, भारत मे जूट उद्योग क कमी आ खूबी , वि‍श्‍व बाजार मे वि‍वि‍ध आ नूतन जूट उत्‍पाद क बढ़ैत मांग कए ध्‍यान मे राखि कए सरकार अपन लक्ष्‍य आ उद्देश्‍य कए पुनर्परि‍‍भाषि‍त करबा आ जूट उद्योग कए गति‍ प्रदान करबा लेल राष्‍ट्रीय जूट नीति‍-2005 क घोषणा केलक ।

एहि नीति‍ क मुख्‍य उद्देश्‍य सार्वजनि‍क आ नि‍जी भागीदारी स जूट क खेती मे अनुसंधान आ वि‍कास गति‍वि‍धि मे तेजी आनब छल ताकि‍ जूट कि‍सान नीक प्रजाति क जूट क उत्‍पादन करथि आ हुनका प्रति‍ हेक्‍टेयर उत्‍पादन बढ़ए संगहि आकर्षक दाम भेटए । मुदा बिहार मे इ नीति कागज स बाहर एखन धरि देखबा लेल नहि भेटल अछि ।

किछु एहने हाल जूट प्रौद्योगि‍की मि‍शनक सेहो अछि । सरकार जूट उद्योग क सर्वांगीण वि‍कास आ जूट क्षेत्र क वृद्धि‍ लेल ग्‍यारहवीं पंचवर्षीय योजना क दौरान पांच साल लेल जूट प्रौद्योगि‍की मि‍शन शुरु केलक । 355.5 करोड़ क एहि मि‍शन मे सेहो कृषि‍ अनुसंधान आ बीज वि‍कास, कृषि‍ प्रवि‍धि‍, फसल कटाई आ ओकर बाद क तकनीकी, कच्‍चा जूट क प्राथमि‍क आ द्वि‍तीयक प्रस्‍संकरण आ वि‍वि‍ध उत्‍पाद वि‍कास आ वि‍पणन -वि‍तरण स संबंधि‍त चारिटा उपमि‍शन अछि । एहि उपमि‍शन कए कपड़ा आ कृषि‍ मंत्रालय मि‍लकए लागू केलक, मुदा बिहार क किसान लेल इ एकटा सरकारी सपना स बेसी किछु नहि । एहिना जेपीएम अधि‍नि‍यम बिहार मे कतए लागू भेल पता नहि । जूट पैकेजिंग पदार्थ (पैकेजिंग जिंस मे अनि‍वार्य इस्‍तेमाल) अधि‍नि‍यम, 1987 (जेपीएम अधि‍नि‍यम) नौ मई, 1987 कए प्रभाव मे आयल । एहि अधि‍नि‍यम क तहत कच्‍चा जूट क उत्‍पादन , जूट पैकेजिंग पदार्थ आ एकर उत्‍पादन मे लागल लोक क हि‍त मे किछु खास जिंस क आपूर्ति आ वि‍तरण मे जूट पैकेजिंग अनि‍वार्य बना देल गेल अछि । एसएसी क सि‍फारि‍श क आधार पर सरकार जेपीएम,1987 क अतंर्गत जूट वर्ष 2010-11 लेल अनि‍वार्य पैकेजिंग क नि‍यम कए तय केलक, एकर बाद अनाज आ चीनी लेल अनि‍वार्य पैकेजिंग क शर्त तय कैल गेल । तदनुसार , जेपीएम अधि‍नि‍यम क अंतर्गत सरकारी गजट क तहत आदेश जारी कैल गेल जे 30 जून, 2011 तक वैध रहल । ओकर बाद सरकार एहि दिस देखबाक समय नहि निकाली सकल । बिहार मे प्रौद्योगि‍की उन्‍नयन कोष योजना सेहो असफल रहल । एहि योजना क उद्देश्‍य प्रौद्योगि‍की उन्‍नयन क माध्‍यम स  कपड़ा / जूट उद्योग कए प्रति‍स्‍पर्धी बनेबाक छल आ ओकर प्रति‍स्‍पर्धात्‍मकता मे सुधार अनबाक संग संग ओकरा संपोषणीयता प्रदान करब छल । जूट  उद्योग क आधुनि‍कीकरण लेल सरकार 1999 स एखन धरि 722.29 करोड़ क नि‍वेश केलक अछि । पॉलि‍थि‍न पर प्रतिबंध क बाद उम्मीद छल जे जूट क दिन घुरत मुदा उदारीकरण क एहि दौर मे नियम कए ताक पर राखि सरकारी स्‍तर पर जूट क खरीद नहि होइत अछि । एहन मे जूट श्रमि‍क क कार्यस्‍थि‍ति‍ मे सुधार क कोनो सरकारी दावा झूठ क अलावा किछु नहि बुझाइत अछि । कहबा लेल सरकार जूट उद्योग क श्रमि‍क कए लाभ लेल एक अप्रैल, 2010 कए गैर योजना कोष क तहत कपड़ा मंत्रालय क अनुमोदन स नव योजना शुरु केलक । जूट क्षेत्र क श्रमि‍क लेल कल्‍याण योजना जूट मि‍ल आ वि‍वि‍ध जूट उत्‍पाद क उत्‍पादन मे लागल छोट इकाइ मे कार्यरत श्रमिक क संपूर्ण कल्याण आ लाभ लेल अछि । एकर अंतर्गत राजीव गांधी शि‍ल्‍पी स्‍वास्‍थ्‍य बीमा योजना क तर्ज पर एहि क्षेत्र क श्रमि‍क कए बीमा सुवि‍धा प्रदान कैल जेबाक छल । कहबा लेल राष्‍ट्रीय जूट बोर्ड एकरा लागू केलक । मुदा लाभ केकरा भेटल एकर सूची आइधरि नहि बनि सकल । कुल मिला कए निवेशक अभाव, सरकारक उपेक्षा आ अलाभकारी फसल भ चुलि जूट क किसान आब एहि फसल स मुंह मोडि रहल छथि । आब त इ बस किसान क जिद आ देसी उपयोगिता क बल पर हमर सबहक बीच ‘’गोल्डेन फाइबर’’ बुझू ‘’गोल्डेन हिस्‍ट्री’’जेकां अछि।

manufacturing-industries-47-638

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa, Joot

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaJootlatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

केंद्र-राज्य मे झगडा आ रामविलास शर्मा क जिद

Esamaad Epaper Website

2019 तक शुरु भ जाएत बरौनी फर्टिलाइजर मे उत्पादन

Esamaad Epaper Website

बेर कालक गीतक संरक्षण क एकटा प्रयास

Comments 5

  1. purushottam kr. jha says:
    10 years ago

    fantastic report. keep it up and aware the ground zero reality.

    Reply
  2. Mukesh Jha says:
    10 years ago

    Bahut nik Report

    Reply
  3. Raman Dutt Jha says:
    10 years ago

    Bahut sarwardhak.Jute , Sugar or Tobacco Industry Sabhak halat kharab rahla se Mithila k kahawat ulta BH gel je Uttam Kheti Madhyam Ban Naukri chakri bhikh nidan.

    Reply
  4. Sohan & Neha says:
    10 years ago

    Kumud di thanq from d bottom of my heart nic endeavor really. Sunil bhai 2 u also.

    Reply
  5. Sharique says:
    9 years ago

    Great Didi ,keep it up….

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि