• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

चीनक विरुद्ध भारतक पैघ एक्शन, PUBG संग 118 मोबाइल ऐप पर बैन

September 2, 2020
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नव दिल्ली. आइ केंद्र सरकार पैघ फैसला लेलक अछि. सरकार पबजी संग 118 मोबाइल ऐप पर प्रतिबंध लगयबाक फैसला कयलक अछि. इलेक्ट्रॉनिक्स आ सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रालय धारा 69ए केर अंतर्गत एहि मोबाइल ऐप्स पर बैन लगयबाक फैसला कयलक अछि. मंत्रालय कतेको शिकायत भेटबाक बाद बैन लगयबाक इ फैसला लेलक अछि. सरकार दिस स’ आइ जारी बयानमे कहल गेल अछि जे इ ऐप राष्ट्रीय सुरक्षाक लेल खतरा छल.

इलेक्ट्रॉनिक्स आ सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रालयक दिस स’ जारी बयानमे कहल गेल अछि जे इ मोबाइल ऐप भारतक संप्रभुता, अखंडता, भारतक रक्षा, राज्य सुरक्षा आ सार्वजनिक व्यवस्थाक लेल खतरा छल. मंत्रालय कहलक जे एहन कतेको शिकायत भेटल छल जाहिमे कहल गेल छल जे एंड्रॉइड आ आईओएस प्लेटफॉर्म पर एहन कतेको मोबाइल ऐप अछि जे यूजर्सक सूचना चोरबैत अछि.
मंत्रालय कहलक जे इ ऐप्स अनधिकृत तरीका स’ यूजर्सक सूचना आ डेटा चोरी क’ भारतक बाहर पठा रहल अछि. इ ऐप यूजर्सक डेटाके चोरी क’ रहल अछि आ ओकरा भारत स’ बाहर स्थित अपना सर्वर धरि गैर कानूनी तरीका स’ पहुंचा रहल अछि. एहि डेटाक चोरी भारतक अखंडता, संप्रभुता आ सुरक्षाक लेल खतरा अछि. सरकार कहलक जे डेटाक चोरी चिंताक विषय अछि  आ एकरा लेल आपातकालीन डेग उठाओल जयबाक आवश्यकता अछि.

बता दी जे भारत सरकार एहि स’ पहिने टिकटॉक सहित चीनक कतेको ऐप पर प्रतिबंध लगौने छल. जूनक अंतिममे भारत टिकटॉक, हेलो समेत चीनक 59 मोबाइल ऐप पर प्रतिबंध लगौने छल. एकरा बादमे जुलाईक अंतमे सेहो 47 आओर चीनी ऐप पर पाबंदी लगाओल गेल छल.

एहि बेर केंद्र सरकार पबजीक अलावा लिविक, वीचैट वर्क आ वीचैट रीडिंग, ऐपलॉक, कैरम फ्रेंड्स सन मोबाइल ऐप पर पाबंदी लगओलक अछि. लद्दाखमे चीनक संग फेर स’ तनाव बढ़बाक बीच भारतक एहि डेगके कठोर मानल जा रहल अछि.

Tags: appGovernment

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

दरभंगा : राज्य स्तरीय बीएड संयुक्त प्रवेश परीक्षाक बाट साफ, 22 सितंबरके होयत परीक्षा

वर्दी पहिरि क’ ऑन ड्यूटी जाम छलका रहल छलाह दारोगाजी! फोटो वायरल होइते SP कयलनि सस्पेंड

वर्दी पहिरि क' ऑन ड्यूटी जाम छलका रहल छलाह दारोगाजी! फोटो वायरल होइते SP कयलनि सस्पेंड

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि