मणिभूषण झा
नई दिल्ली । एहि साल गहूँमक खरीदक सरकारी आँकड़ा 350 लाख टनक रिकॉर्ड स्तर तक पहुँचि गेल । एहि सँ पहिने मानसून मध्य आ उत्तर भारत मे दस्तक देबय, सरकार गहूँमक भंडारण लेल आर वेयरहाउस भाड़ा पर लेबाक योजना बना रहल अछि । गहूँम आ चाऊर क सरकारी खरीदक लेल भारतीय खाद्य निगम (एफसीआई) नोडल एजेंसी अछि । एफसीआई राज्यक एजेंसी सब संगे मिलकय चालू मार्केटिंग वर्ष 2018-19 (अप्रिल सँ मार्च) मे रिकॉर्ड 251.9 लाख टन क खरीद केलक। एहि एजेंसी सबकए कुल अन्न भंडारण क्षमता 800 लाख टनक छनि । खाद्य मंत्रालय कए एकटा वरिष्ठ अधिकारी कहलनि एखन पुरान स्टाक बहुत राखल अछि । एहि लेल ओ सब अन्न भंडारण क बाकी सब विकल्प पर विचार कए रहल छथि ।