• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिना टेंडर तीन टा एजेंसीके मतदाता सूची प्रकाशनक कांट्रेक्ट देबय पर निर्वाचन विभागके नोटिस पठओलक हाईकोर्ट

September 3, 2020
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

विधानसभा चुनावक लेल राज्यभरिमे छपायल जा रहल फोटोयुक्त मतदाता सूचीक प्रक्रिया पर प्रश्न ठाढ़ भ’ गेल अछि। बिना टेंडर ऊंच दर पर फोटोयुक्त मतदाता सूची छपयबाक ल’ हाईकोर्टमे एगो जनहित याचिका दायर कयल गेल अछि। एहि पर हाईकोर्ट निर्वाचन विभागके नोटिस जारी कयलक अछि। एहि केर सम्बन्धमे विभाग सभ जिलाके एहि मामिलामे शपथ पत्र दाखिल करबाक निर्देश देलक अछि। सभ 38 जिला निर्वाचन अधिकारीके एहि मामिलामे शपथ पत्र द’ स्थिति स्पष्ट करबाक अछि।

निर्वाचन विभागक अपर मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी रंजीता सभ जिला निर्वाचन अधिकारीके निर्देश देलनि अछि जे हाईकोर्टमे संबंधित केसमे सभ अपन-अपन शपथ पत्र दाखिल करय। एहि मामिलामे जनहित याचिका दाखिल करयवला अधिवक्ता कहलनि अछि जे  राज्यक 238 विधानसभा सीट पर शीघ्रहि चुनाव होमय जा रहल अछि। एकरा लेल राज्यक सभ जिला निर्वाचन अधिकारी सह डीएमके फोटोयुक्त मतदाता सूची एवं वोटर आईडी कार्ड बनयबाक आदेश निर्वाचन विभाग देलक अछि। अधिवक्ता कहलनि अछि जे आश्चर्यजनक रूप स’ पूरा बिहारमे तीने टा निजी एजेंसीके अलग-अलग शर्त पर फोटोयुक्त मतदाता सूची एवं वोटर आईकार्ड बनयबाक ठेका देल गेल।

जनहित याचिकामे आरोप लगाओल गेल अछि जे जिलामे फोटोयुक्त मतदाता सूची एवं वोटर आईकार्ड प्रकाशित करबाक जे दर तय कयल गेल, ओ आसपासक कतेको राज्यक दर स’ बहुत बेसी अछि। जनहित याचिकामे इ आरोप सेहो लगाओल गेल अछि जे वोटर आईकार्ड एवं फोटोयुक्त मतदाता सूचीक प्रकाशनक लेल सभ जिला टेंडर सेहो प्रकाशित नहि कयलक आ गुपचुप तरीका स’ एजेंसीक चुनाव कर ऊंच दाम पर करार क’ लेलक. जनहित याचिकामे एकरा सरकारी धनक दुरुपयोगक मामिला बतबैत पूरा राज्यमे एकर जांच करायब आ दोषी पदाधिकारी पर कार्रवाइक मांग कयल गेल अछि।

जनहित याचिकामे बताओल गेल अछि जे राज्यक औरंगाबाद, गया, बक्सर, मधुबनी, सुपौल, हाजीपुर, कटिहार, दरभंगा, पूर्वी चंपारण, नालंदा, जमुई, खगड़िया, पश्चिम चंपारण, अरवल, नवादा, रोहतास, बांका एवं गोपालगंज एहन जिला अछि, जतय तीन स’ पांच सालक बीच कोनो टेंडरे नहि निकालल गेल अछि। जखनकि हरेक अभियानमे बाद मतदाता सूची एवं वोटर आईडी बनयबाक लेल एहि तीन कम्पनीके ठेका देल गेल अछि। आब अपर मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी रंजीताक निर्देशक बाद सभ  जिलाके फोटोयुक्त मतदाता सूची एवं वोटर आईकार्ड बनयबाक प्रक्रियाक पारदर्शिताक संबंधमे अपन सफाइ देबाक अछि।

Tags: Biharhigh court

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Bihar BJP, BJP bihar, Bihar Election, Bihar Election 2020, Bihar Chunav, BJP ko vote,

बिहार चुनाव : डिजिटल योद्धा एवं प्रोफेशनल लोकनिक माध्यमे घर-घर पहुंचबाक तैयारीमे BJP

बिहार चुनाव: पप्पू यादव जारी कयलनि पहिल लिस्ट, कयलनि 3 सालमे बिहारके नंबर 1 राज्य बनयबाक दावा

बिहार चुनाव: पप्पू यादव जारी कयलनि पहिल लिस्ट, कयलनि 3 सालमे बिहारके नंबर 1 राज्य बनयबाक दावा

चुनाव आयोगक घोषणा, 29 नवंबर स' पहिने पूर्ण भ' जायत बिहार विधानसभा चुनाव

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि