• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

विकास क बाट पर देश स नम्हर बिहारक डेग

February 24, 2017
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
मुजफ्फरपुर क पैघ छलांग, दरभंगा मुंहभरि धड़ाम
सबसे धनीक पटना, सबस गरीब शिवहर
प्रधान समदिया
gdprateपटना । विकास क बाट पर बिहार क डेग एक बेर फेर देश स नम्हर भेल । ओना आधार वर्ष बदलला स दोहरा अंक नहि छुबि सकलक, मुदा तखनो बिहारक विकास दर देश के विकास दर 6.8 क मुकाबला में 7.6 प्रतिशत रहल, जे देश मे सर्वाधिक अछि । आजादीक बाद बिहार मे जतय मुजफ्फरपुर निरंतर पायदान चढि़ पांचम स्थान पर आबि गेल, ओतहि दरभंगा अपन अवसान कए जारी रखैत एहि साल 12म स्थान स 19म स्थान पर आबि गेल । ओना विकास दर मे बेगूसराय सभ सं समृद्ध त मधेपुरा, सुपौल सभसं गरीब रहल ।
राष्ट्रीय स्तर पर कृषि आ उत्पादन क्षेत्र मे गिरावटक असरि बिहार पर सेहो देखबा मे आयल । एकर बावजूद राज्यक अर्थव्यवस्था मजबूत बनल अछि । चालू वित्तीय वर्ष मे बिहारक विकास दर 7.6 प्रतिशत छल जे राष्ट्रीय विकास दर 6.8 प्रतिशत स बहुत बेसी अछि ।
वित्त मंत्री अब्दुल बारी सिद्दीकी विधानमंडल मे आर्थिक सर्वेक्षण, 2016-17 पेश केलनि । एकरा अनुसारे विनिर्माण, बिजली, गैस आ जलापूर्ति, व्यापार, मरम्मत, होटल-रेस्टोरेंट, परिवहन, भंडारण आ संचार मे विकासक रफ्तार दू अंक मे रहल अछि । ओतहि राजस्व प्राप्ति मे 17.7 हजार करोड़क बढ़ोतरी भेल अछि । जखनिक प्रति व्यक्ति आय 26,801 रुपया सं बढ़ि क 36,964 रुपया भ गेल अछि । हालांकि, राष्ट्रीय औसत सं आब सेहो ई बड़ कम अछि । ओतहि पछिला पांच बरख मे वाहन रजिस्ट्रेशन मे प. बंगाल (24.2 प्रतिशत) के बाद बिहार (15.4 प्रतिशत) पूरा देश मे दोसर नंबर पर अछि।
वित्त मंत्रीक अनुसार वर्ष 2015-16 मे बकाया ऋण 88,829 करोड़ छल, जाहि सं ऋण आ जीएसडीपी क बीचक अनुपात 21.5 प्रतिशत तक रहल । राजस्व प्राप्तिक साथ ब्याज भुगतानक अनुपात 2011-12 मे 9.3 प्रतिशत छल, जे 2015-16 मे घटि क 8.5 प्रतिशत रहि गेल । बिहारक मुद्रास्फीति दर 2.52 प्रतिशत अछि, जखनकि राष्ट्रीय दर 4.31 प्रतिशत अछि ।
वर्ष  2015-16 मे राज्यक सकल घरेलू उत्पाद 3.27 लाख करोड़ छल जे 2016-17 मे बढि क 4.14 लाख करोड़ भ गेल । राज्य मे प्रति व्यक्ति आय वर्ष 2015-16 मे 26,801 रुपया आ वर्ष 2014-15 मे 25,400 रुपया छल, जे वर्तमान मे बढि क 36,964 अछि । एखन राज्य मे प्रति व्यक्ति आय राष्ट्रीय औसतक लगभग 35 प्रतिशत अछि । जखनिक करीब 10 साल पहिने ई 33 प्रतिशत छल । हालांकि, राष्ट्रीय प्रति व्यक्ति आय 77 हजार 435 रुपया क तुलना मे बिहार मे ई आधा सं कम अछि । पड़ोसी राज्य झारखंड मे सेहो प्रति व्यक्ति आय बिहार सं ज्यादा 54,140  रुपया अछि ।
प्रति व्यक्ति आयक मामला मे जिलावार काफी विभिन्नता वा असमानता पाओल गेल अछि । पटना, मुंगेर आ बेगूसराय सबसं समृद्ध जिला अछि । जखनिक मधेपुरा, सुपौल आ शिवहरक लोक सभसं गरीब छथि । अगर पटनाक छोडि़ देल जाय तं मुंगेर मे प्रति व्यक्ति आय सबसं बेसी अछि । मुंगेर मे प्रति व्यक्ति आय शिवहर सं तीन  गुना बेसी अछि । ओतहि शिवहर जिला मे प्रति व्यक्ति आय राज्य मे सबसं कम अछि ।
कृषि मे विकास दर घटला सं राज्यक सकल घरेलू उत्पाद मे प्राथमिक क्षेत्र क हिस्सेदारी मे पछिला बरखक तुलना मे गिरावट आओल अछि । वर्ष 2015-16 मे प्राथमिक सेक्‍टर क हिस्सेदारी जीएसडीपी मे 19.6 प्रतिशत सं घटि क 18.1 प्रतिशत रहि गेल । ओतहि सेकेंडरी सेक्टर (द्वितीय) क हिस्सेदारी 17.1 प्रतिशत बढिक 18.1 प्रतिशत भ गेल अछि । टरसियरी (तृतीय) सेक्टरक हिस्सेदारी तकरीबन बराबर रहल । तृतीयक क्षेत्रक हिस्सेदारी 2014-15 मे 59.8 प्रतिशत क तुलना मे 2015-16 मे 59.9 प्रतिशत रहल । वर्ष 2011-12 स 2015-16 क तुलना कैल जाय त प्राथमिक क्षेत्र मे 7 प्रतिशतक गिरावट आ तृतीयक क्षेत्र मे 6 प्रतिशतक उछाल आओल अछि । राज्य मे निमाज़्णक क्षेत्र मे तरक्की नहि भेल, मुदा सर्विस सेक्टर मे ग्रोथ हेबा सं ई बढ़ोतरी दर्ज कैल गेल अछि ।
एहि क्षेत्र मे 10 प्रतिशत स बेसी वृद्धि भेल
17.7 : विनिर्माण
15.2 : बिजली, गैस और जलापूर्ति
14.6 : व्यापार, मरम्मत, होटल आ रेस्टोरेंट
12.6 : परिवहन, भंडारण आ संचार
टॉप आ पछुआयल जिला
मानदंड                      टॉप थ्री                                       बॉटम थ्री
प्रति व्यक्ति आय      (पटना, मुंगेर, बेगूसराय)                 (शिवहर, सुपौल, मधेपुरा)
पेट्रोल खपत           (पटना, मुजफ्फरपुर, पूर्वीं चंपारण)     (शिवहर, अरवल, शेखपुरा )
डीजल खपत           (पटना, पूर्वीं चंपारण, मुजफ्फरपुर)     (शिवहर, अरवल, शेखपुरा)
एलपीजी उपयोग      (पटना, मुजफ्फरपुर, शेखपुरा)           (शिवहर, अरवल, चंपारण)
छोट बचत             (पटना, सारण, नालंदा)                   (प चंपारण, सीतामढ़ी, अररिया)
Tags: Bihar GDPGDP

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

आराक अनारकली ल 24 कए आबि रहल छथि दरभंगाक अविनाश

देश पहिरत नवादा क एसी जैकेट

फरक्का बराजक कारणे बिहार मे अबैत अछि हरेक साल बाढ़ि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि