• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ऐतिहासिक इंद्रभवन मे आयोजित भेल दरभंगा नृत्य उत्सव

April 8, 2019
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । सृष्टि फाउंडेशन द्वारा आयोजित दरभंगा नृत्य उत्सव स वीरान पड़ल ऐतिहासिक इन्द्रभवन एक बेर फेर रोशन भेल। सप्तरंगी प्रकाश मे चमचमाइत इन्द्रभवन क पूरा परिसर जगमगा उठल, वस्तुत: दरभंगावासी कए बहुत दिनक बाद एकर वास्तविक सौन्दर्य देखबा लेल भेटल।
दरभंगा नृत्य उत्सव क आगाज पारम्परिक रूप स दीप प्रज्ज्वलित क प्रसिद्ध नृत्यांगना नीलम चौधरी, अंतरराष्ट्रीय कत्थक नृत्यांगना डा रंजना सरकार आ गुरु हिमांशु शेखर
नायक क द्वारा सामुहिक रूप स कैल गेल।। एहि अवसर पर उद्घाटन समारोह कए संबोधित करैत नृत्यांगना नीलम चौधरी कहलनि जे हमसब अपन व्यावहारिक जीवन मे हर पल नृत्य क मुद्रा स जुड़ल रहैत छी। भोर ओछान छोड़बा स ल कए राति कए ओछान पर जाइत तक इ दृष्टव्य अछि। रंजना सरकार नृत्य क बढ़ैत आयाम पर जोर दैत वर्तमान परिदृश्य मे एकर उपयोगिता बतालथि। कहलीह जे जीवन मे संगीत आ नृत्य नहि अछि त ओ छुछुआन अछि। ओतहि अपन संबोधन मे भावुक होइत गुरु हिमांशु शेखर नायक कहला जे आइ सृष्टि क स्वरूप कए देखैत छी त आंखि स खुशी स डबडबा जाइत अछि। ओ कहला जे आइ समय क प्रतिकूल परिस्थिति कए याद करैत छी त मन अचंभित भ उठैत अछि, मुदा इ जयप्रकाश क अथक लगन अछि, जे आइ सांस्कृतिक रुप स समृद्ध मिथिला मे सेहो ओडिसी कए एहि स्वरूप मे स्थापित कैल
गेल अछि। एहि स पूर्व स्मारिका क विमोचन कैल गेल।
कार्यक्रम का शुभारंभ रितु, सपना, हरिओम आ अन्य द्वारा सरस्वती वंदना स भेल। नृत्य क शुरूआत मंगलाचरण स भेल जे ओडिसी नृत्य क पांच भाग में स पहिल छल। छोट- छोट बच्चा द्वारा प्रस्तुत एहि नृत्य क त्रिभंग छटा दर्शक क मन मोह लेलक। आशीर्वाद स्वरूप उपस्थित कलाप्रेमी सब पूरा परिसर कए अपन ताली स गुंजायमान क देलथि। छोट-छोट बच्चा सब भगवान शिव क अराधना में नागेन्द्रहराय नृत्य प्रस्तुत कलक। कार्यक्रम मे अंतरराष्ट्रीय स्तर क ओडिसी नर्त्तक सचिकान्त प्रधान
अपन भाव भंगिमा स सब कए आकर्षित कलाह। कत्थक नर्तक मधुरिमा गोस्वामी नृत्य क संग संग पेन्टिंग स दर्शक कए आश्चर्यचकित क देलथि। भरतनाट्यम क
प्रस्तुति स सोनपुर मंडल क सम्राट आध्या सेहो दर्शक कए प्रभावित कलथि। भगवान विष्णु क विभिन्न रुप पर आधारित विष्णु वंदना नृत्य स पूरा परिसर भक्तिमय भ
गेल। ताल आ छन्द क प्रधानता रखैत नृत्य वसन्त पल्लवी कए प्रस्तुत करैत पलक राज, आदर्श उज्जवल, कोमल माँझी, रिषिका भारती आ प्रियांशी मिश्रा सुर आ
ताल क समन्वयता एक देखेलथि। सृष्टि फाउंडेशन क निदेशक जयप्रकाश पाठक क नेतृत्त्व मे पंच महाभूत क प्रस्तुति मे पृथ्वी, जल, वायु, अग्नि आ आकाश में स
कोनो एकटा कए नहि रहबा स ब।्रह्माण्ड क चरण -प्रचलन बन्द हेबाक दृश्‍य प्रस्‍तुत केलथि। बिहार क सोंधी मिट्टी क महक कए समेटैत कजरी, झिझिया, छठ, सामा चकेवा, होली आधारित लोक नृत्य क प्रस्तुति स कलाकार पुरा जनमानस कए विशेषकर महिला कए अपन अतीत क भ्रमण करा देलक। मंच संचालन पल्‍लवी विश्‍वास केलथि।

Tags: darbhangakameshwarmithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

हम सब बना देलहुं सरकार - 3

सीतामढी क आसपास अवस्थित छल विदेहक राजधानी मिथिला नगर

आयुर्वेदिक चिकित्सा जाँचक नि:शुल्क शिविर मे उमडल भीड

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि