• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आयुर्वेदिक चिकित्सा जाँचक नि:शुल्क शिविर मे उमडल भीड

May 13, 2019
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

मणिभूषण राजू
दरभंगा ।
मैथिल मंच आ विश्व आयुर्वेद परिषद क मिथिला प्रभाग कए संयुक्त तत्वावधान में एक दिवसीय नि:शुल्क आयुर्वेदिक चिकित्सा जाँच शिविर के आयोजन गेहुँमी के वैदेही नगर क नवनिर्मित पार्क में कयल गेल।
शिविर में वैद्य गणपति नाथ झा के नेतृत्व में अनेकों विशेषज्ञक द्वारा ढ़ाई सौ सँ बेसी लोक के आरोग्य परामर्श देल गेल। प्रमुख चिकित्सक सबमें वैद्य गणपति नाथ झा, वैद्य जगदीश शाह (वरीय चिकित्सक दरभंगा), वैद्य राजेश्वर दूबे (प्रोफेसर महारानी रमेश्‍वरी आयुर्वेदिक कालेज, दरभंगा), वैद्य अमरनाथ मिश्र (विश्व आयुर्वेद परिषद, बिहार के चिकित्सा प्रकोष्ठ पटना), वैद्य आनंद मिश्र (व्याख्याता (एस.एम.एस.जे.एस.सी.एच, भिखारी चौक, छपरा)
आदि आरोग्य परामर्श देलथि आ डाबर इंडिया लिमिटेड के तरफ सँ ए.एस.ओ. डा. कमलेश कुमार सिंह, संजय कुमार झा, एवं रौशन कुमार पाण्डेय जी ब्लड प्रेसर, मधुमेह आदि के नि:शुल्क जाँचक संग किछु विशेष रोग सबलेल नि:शुल्क दवाई उपलब्ध करबाओल गेल। जांच शिविर में प्रमुखतया उदरविकार सँ पीड़ित (पेट से संबंधित) रोगी ज्यादा देखल गेल आ संग में चर्मरोग, गठिया, जोड़दर्द, श्वांस आदि के समस्या सबसँ ग्रसित अनेक रोगी सबहक संख्या देखल गेल।
दरभंगा आ आसपासक क्षेत्र में एहि शिविर के लय क विशेष उत्साह देखल गेल। दरभंगा, मधुबनी आ सीतामढ़ी सँ लोक शिविर में आरोग्य परामर्श लेबय लेल आयल छलाह। मिथिला मैथिली अभियानी डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ , इतिहासविद डा. अयोध्या नाथ झा, मधुबनी सँ वरिष्ठ समाजसेवी श्री प्रफुल्ल चन्द्र झा , सीतामढ़ी सँ आनंद मोहन भारद्वाज, पटना सँ श्रीमती नगीना मिश्रा, श्री आशीष चौधरी, श्री प्रदीप कुमार के संग सैकड़ों गणमान्य लोक आरोग्य परामर्शक लाभ लेलथि।
मैथिल मंचक समस्त टीम, विश्व आयुर्वेद परिषदक सदस्यगण के संगहि लक्ष्मीनगर के वार्ड पार्षद श्री सोहन यादव, शिवधाराक वार्ड पार्षद लालाभाई , आलमनगर वार्ड पार्षद श्री गौरी मंडल, वरिष्ठ समाजसेवी श्री इन्द्र कुमार झा मार्गदर्शन संग आयोजन में सहयोग कयलन्हि। कार्यक्रम स्थलक उपलब्धता, आगंतुक चिकित्सकगण आ अतिथिगणक स्वागत सम्मान संग कार्यक्रम के सफल बनेबाक लेल पार्षद श्री सोहन यादव के विशेष धन्यवाद आयोजक वैद्य गणपति नाथ झा के द्वारा ज्ञापित कयल गेल।
ज्ञातव्य हुए कि गेहुँमी गामक वैदेही नगर में दरभंगा नगर निगम द्वारा भव्य पार्कक निर्माण भय रहल अछि। आयोजन में उपस्थित प्रबुद्धजन के संग स्थानीय लोक सब मिलकय एहि पार्क के नामांकरण पर सेहो संक्षिप्त चर्चा कयलनि आ माननीय डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ और मिथिला अभियानी डा. अयोध्यानाथ झा , वैद्य गणपति नाथ झा, वरिष्ठ समाजसेवी श्री प्रफुल्ल चन्द्र झा सबगोटे मिलकय एहि पार्कक नाम “मिथिला केसरी बाबू जानकीनन्दन सिंह” के नाम पर करबाक प्रस्ताव देल गेल जेकर उपस्थित समस्त लोकसब एकमत सँ समर्थन कयलथि आ एहि प्रस्ताव के अमल में लाबयलेल आगा नियमतया कार्रवाई करबाक प्रतिबद्धता जतौलनि।
विदित हो जे मिथिला केसरी बाबू जानकीनन्दन सिंह मिथिला के सबसँ समर्पित आ मजबूत नेता के संग दरभंगा डिस्ट्रिक्ट बोर्ड के पहिल अध्यक्ष सेहो छलथि। ई एकटा विडंबना अछि कि आई हिनकर नाम पर दरभंगा में एकटा स्मारक या कोनो स्थल नहिं अछि। एहन स्थिति में केवल दरभंगा टा नहिं समस्त मिथिलाक लोकक लेल गर्वक बात होयत अगर दरभंगा नगर निगम द्वारा बनाओल जा रहल पहिल आधुनिक पार्कक नामांकरण मिथिला केसरी स्व. बाबू जानकीनन्दन सिंह के नाम पर होई।

Tags: darbhangajankimithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

पहिल चरण मे बिहार क 10 जिला क 550 गाम मे आयल सौर उर्जा

दरभंगा क देवेन भारती बनल महाराष्ट्र एटीएस क नब चीफ

Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि