• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

कागजपर लिखल इतिहास पर हो काज : पं गोविंद झा

November 28, 2016
in समाचार
A A
133
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

mithila-bhartiपटना । स्थानीय पटना संग्रहालय स्थित रिसर्च सोसाइटी सभागारमे रविदिन मिथिला भारती पत्रिकाक तेसर अंकक विमोचन कैैल गेल । मैथिली साहित्यक प्रकांड विद्वान पं गोविंद झा, प्रो० डॉ भीमनाथ झा, पटना हाईकोर्टक पूर्व जज श्रीमति मृदुला मिश्रा, प्रो० डॉ रत्नेश्वर मिश्र आ प्रो० डॉ इंद्रकांत झा संयुक्त रूप स पत्र‍िका का विमोचन केलथ‍ि।

सभा कए संबोधित करैत पं गोबिंद झा कहलथ‍ि जे हम सब आय धरि इतिहासक खोज कागजपर वा धरतीपर करैत रहलौ अछि, मुदा कागजपर लिखल शब्दक खोज आई धरि नहि कैैल गेल अछि । एहिपर काज कैैल जेबाक चाही । शब्द अपना माध्यमे इतिहास बताबैत अछि। उदाहरण लेल सलहेस अर्थात सोलह कोसक शासक । पंं झा कहलथ‍ि जे मिथिला में तीन गोट गणराज्यक इतिहास भेटैत अछि । एहिमे ब्राह्मण, क्षत्रिय आ पासवान शामिल अछि।

ओतहि कार्यक्रमक अध्यक्षता करैत प्रो० डाॅॅ रत्नेश्वर मिश्र कहलथ‍ि जे ओरल इतिहास पर काज कएल जेबाक चाही । प्रो० डॉ भीमनाथ झा मैथिली साहित्यक इनसाइक्लोपीडिया छथि। जे वस्तु लिखल जा रहल अछि ओकर आय नहि काल्हि उपयोग हेबे करत।

श्री भैरव लाल दासक संचालन में संपन्न भेल एहि कार्यक्रम मे प्रो० डाॅॅ भीमनाथ झा मैथिलिक प्रकाशनक परिदृश्य पांच वर्ष 2011-2015 पर आलेख पाठ केलथ‍ि। एहि क्रममे ओ कहलथ‍ि जे मैथिलीक साहित्यकार लोकनि अपन क्षमता अनुसारे काज क रहल छथ‍ि । छपबा सेहो रहल छथ‍ि । जे लिखै छथि से केहन लिखै छथि, ओहिपर समीक्षा केहन भ रहल अछि, के देखाओत हुनका लोकिन कए ई मार्ग । पाठक बेस मौन साधने रहै छथि । समीक्षक लोकिन आरक्षित दर्जाक भ गेल छथि । बाद बाकी आलस्य आ उपेक्षावश आँँखि मुनि नेने छथि। नवतुरिया लोकनि कए आँँगा एबाक चाही। आबियो रहल छथि। प्रोफेसर शिक्षक लोकनि के चाहयिन जे ओ हुनका सभक मदद करथि। हुनका लोकनिके चाहयनि जे नव पोथी जे लिखल जा रहल अछि ताहि सभ पर समीक्षा लिखथु । समाजक बीच आनथु । जाहिसं समाज लाभान्वित भ सकए।

प्रो० डाॅॅ भीमनाथ झा एहि क्रम मे कहलथ‍ि जे हमरा लग जतेक उपलब्ध पोथी अछि ताहि आधार पर वर्ष 2001-2011 केर बीच 580 टा पोथी प्रकाशित भेल अछि। ओतहि 2011-2015 धरि 361 पोथीक प्रकाशन भेल अछि। कहल जाए तं प्रति वर्ष एक सय पोथी छपा रहल अछि। आंकड़ा दैत प्रो० डॉ झा कहलथ‍ि जे वर्ष 2011 मे 64, 2012 मे 83 टा पोथी छपल अछि। तहिना 2013 -81, 2014- 60, 2015- 73 टा पोथी छपल अछि। विधाक आधार पर देखल जाए तं कथाक बावन, कविताक एकासी, निबंधक इक्यानवे, उपन्यासक अठाइस, नाटकक तेरह, जीवनी पर आधारित एकतिस, रचनावली आठ, अभिनंदन ग्रंथ पांच, अनुवाद चौबीस, इतिहासक दू, यात्राक पांच, गद्य पद्यक दू आ विज्ञान आधारित सतरह टा पोथी शामिल अछि।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

प्रो० डॉ भीमनाथ झा आरम्भ मे अधिकांश पोथीक नामक संग जतए छोट-छोट टिप्पणी केलथ‍ि ओतहि समय अभाव हेबाक कारणे पोथीक नाम आ लेखकक नाम कहि आलेख संपन केलनि। एहि क्रममे ओ कहलनि जे कहांदनि फेसबुक पर मैथिलीक हजारो पाठक छथि। आलेख पाठ क क्रममे श्री झा कहलथ‍ि जे सुभाष चंद्र यादवक उपन्यास गुलो अपन भाषा शैलीक कारणे लोकक ध्यान आकृष्ट करै छथि। पचपनिया मैथिलीक स्वागत कएल जेबाक चाही। मुदा एकरा मानक मानल जेेनाय हमरा समझ सं ठीक नहि अछि। हसनी पान बजंता सुपारी बाल उपन्यास मे किशोर-किशोरीक कथा लिखल गेल अछि। आँँगा ओ कहलथ‍ि जे अगिला सय बरखमे मैथिली केहन होयत से कहब कठिन अछि। श्री झाा कहलथ‍ि जे युवा साहित्‍यकार मे दीपनारायण विद्यार्थी, मनोज शांडिल्य, नारायण झा, चंदन कुमार झा, अरुणा शौरभ, कृष्ण कुमार एहिक अखन प्रमुखता स उभरि रहल अछि ।

एहि अवसर पर मोहन भारद्वाज, कमल मोहन चुन्नू, शरदेंदु चौधरी, सुकांत सोम, श्याम दरिहरे, प्रेमलता मिश्र प्रेम, कि‍शोर केशव, कुमर गगन, भवनाथ झा सहित कतेको गोटे उपस्थित छलाह।

Tags: Govinda JhaMithila Bharti
Share133TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

डीएमसी क छात्र करताह बिहार क सबसे पुरान अस्पताल मे इलाज

आईटी स्टाटर्ट अप कए आगाँ बढ़ेबाक लेल राज्य सरकार प्रतिबद्ध : चौधरी

फिल्म पद्मावती क शूटिंग लेल बिहार भ रहल तैयार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि