• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बहुत किछु कहि गेल झारखंड क जनादेश

December 25, 2014
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कुमुद सिंह

झारखंड । झारखंड मे एहि स नीक परिणाम क उम्‍मीद नहि कैल जा सकैत अछि । इ उम्‍मीद कोनो दल या गठबंधन क जीत स संबंध नहि रखैत अछि । इ जीत लोकतंत्र आ जनता क अधिकार क जीत स संबंध रखैत अछि । झारखंड विधानसभा क परिणाम मे कोनो दल क जीत बा हारि स बेसी महत्‍वपूर्ण तथ्‍य ओहि नेता क जीत आ हारि अछि जे पिछला 14 साल स झारखंड क जनादेश कए मजाक बना देने छलाह । झारखंड क कोनो पुरान मुख्‍यमंत्री बा उपमुख्‍यमंत्री विधान सभा नहि पहुंच सकलाह अछि । हेमंत सोरेन दूटा मे स एकटा सीट जरूर जीत गेलाह, मुदा दुमका स हुनकर हारि महत्‍वपूर्ण अछि। बाबूलाल मरांडी, अर्जुन मुंडा, मधु कोरा, हेमंत सोरेन आ सुदेश महतो क पराजय इ बता रहल अछि जे झारखंड क जनता पार्टी स बेसी हिनका सब स अपन बेइज्‍जति क बदला लेलक अछि । ओना आजुक परिणाम मे झारखंड केवल एहन नेता स मुक्‍त नहि अपना कए केलक अछि बल्कि ओहन दल स सहो अपना कए मुक्‍त करबा मे सफल रहल जे झारखंड कए अपन मौजे जेकां व्‍यवहार करैत छल आ ओकरा लेल झारखंड महज सत्‍ता कए संतुलित या नियंत्रित करबाक माध्‍यम छल। जदयू, राजद आ बसपा मे स केवल बसपा कए खाता खुलल अछि । पिछला 14 साल मे राजद या जदयू राज्‍य मे अपन कए झारखंड क पार्टी नहि बना सकल । एहि कारण झामुमो, झाविमो आ आजसू क परिणाम जदयू या राजद स काफी नीक रहल । नवीन जायसवाल सन किछु परिणाम विशुद्ध रूप स जनादेशक संदेश द गेल । आजसू प्रमुख सुदेश महतो जाहि प्रकार स अपन जीत लेल भाजपा स गठबंधन क नवीन जायसवाल क टिकट काटी देने छलाह, जनता एकर जबाव हुनका हरा आ नवीन कए जीता कए द देलक । कुल मिलाकए पिछला 14 साल मे झारखंड मे जेतबा कद्दावर नेता छलाह ओ लगभग सदन स दूर भ चुकला अछि । भ्रष्‍टाचार क खिलाफ बहुत हद तक जनादेश अछि। परिवारवाद क जरूर मनोबल खसल अछि, किछु परिणाम अपवाद स्‍वरूप राखल जा सकैत अछि । उपलब्‍ध उम्‍मीदवार में एकटा नीक सरकार लेल जेतबा नीक चयन भ सकैत छल, झारखंडक जनता केलक अछि । एहन मे देखबाक चाही जे राज्‍य क आगूक भविष्‍य केहन होइत अछि किया त आब पूर्णबहुमतक सरकार बनत आ दागी कद्दावर नेता सदन स बाहर रहताह । लोकतंत्र मे जनता एहि स फाजिल की क सकैत अछि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

लिखबा स बेसी मिटाउल गेल बनारस हिंदू वि‍श्वविद्यालय क इतिहास

Esamaad Epaper Website

गीतकार रविंद्र कए प्रबोध साहित्य सम्मान

शहीद खुदीराम बोस क चिताभूमि पर बनल शौचालय टूटल, मुदा हटल नहि

Comments 1

  1. raghurajsingh says:
    10 years ago

    Very sweet language ! Good analysis,congratulations !!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि